Tuesday, November 29, 2011

एना कऽ मनाओल जाइत अछि बिबाह पंचमी


२०६८ साल अगहन १३ गते । मिथिलाक पवित्र भुमि जनकपुर धाममे बिभिन्न समयमे बिभिन्न किसिमक पावनिसब हर्षोउल्लासके सँग मनाओल जाइत अछि ।

जनकपुरमा मनाओल जाएबला बिभिन्न पावनिके अपने अपने बिशेषता आ महत्व रहल अछि । मुदा अगहन महिनामे परयबला पावनि राम जानकी बिबाह महोत्सवके बहुत पैघ महत्व रहल अछि । कारण इ पावनिमे भगवान श्रीराम आ माता जानकीक बिबाह सम्बन्धसँ जुडल अछि । अहि बर्षक बिबाह महोत्सव अगहन १३ गते भऽ रहल अछि । पँचमीक दिन बिबाह महोत्सव भेलासँ अहिके बिबाह पँचमी सेहो कहल जाइत अछि । अहि बिबाह पँचमीक अवसरमे अहि दिन राम आ सिताक रुप धारण केनेसबहक बिबाह करबाक चलन रहल अछि । माता जानकीके सिता बैदेही जेहन बिभिन्न नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । बिबाह पँचमीमे सिता आ रामके बिवाह भेलासँ अहि दृश्यबे  भक्तजनस कैद करय अपन  आ भगवानक बिबाहमे सहभागी होबय लेल नेपाल तथा भारतक बिभिन्न ठामसँ दुर दुरसँ बहुत पैघ सँख्यामे अबैत अछि । याह कारण जनकपुरधामके एक महिना पहिनेहीसँ सजाबयके काज शुरु भऽ जाइत अछि ।

जनकपुर नगरपालिका सरसफाईके तिब्रता दैत अछि तऽ जानकी मन्दिरक रङपोत सेहो तिब्र रुपमे कऽ जानकी मन्दिरके कनिया जका सजाओल जाइत अछि । अहि महोत्सवमे बिदेशी पर्यटकसबहक सेहो ओतबे उपस्थिति रहैत अछि ।  बिबाह पँचमी महोत्सवमे सहभागी होबय लेल पर्यटक तथा श्रद्धालु भक्तजनसब ५  दिन आगुए सँ जनकपुर आबय लगैत अछि । एम्हर भारतक अयोध्यासँ सेहो महोत्सवमे सहभागी होबय साधु सन्त सहितक बरियातीके टोली मटकोरे दिन जनकपुर आबि जाइत अछि । ओ बरियातीसबके  नेपाली भुमिमे प्रवेश करिते  बिभिन्न मठ मन्दिरक महन्थ तथा स्थानिय बासी आ स्थानिय प्रशासन भब्य स्वागत करैत अछि ।

अहिना भगवान रामको तिलकोत्सव समारोहमे जानकी मन्दिरसँ राम मन्दिरमे बिवाह पँचमीसँ २ दिन पहिने भार पठाबयके  परम्परा रहल अनुसार अहु बेर १ सय ५१ टा मिठाइसबहक भार राम मन्दिरमे पठाओल गेल छल । अहिना ओकरबाद बिबाह पन्चमीके दिन राम मन्दिरसँ डेढ सय सँ बेसी भार जानकी मन्दिरमे पठाबयके चलन रहल अछि ।

बिवाह पँचमीक दिन साँझमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे भगवान राम आ सिताक बिवाह कार्यक्रम सम्पन्न होइत अछि । ओइसँ पहिने धनुषा तथा महोतरीक बिभिन्न गाम गाम तथा कुटीसबसँ बिभिन्न किसिमक नाच आ झाँकी प्रस्तुत करैत जानकी मन्दिरमे आबि जानकी माताक डोला पाछु पाछु स्थानिय बारह बिग्हा रँगभुमि मैदानमे पहुँचैत अछि । अहि क्रममे लाखौ श्रद्धालुसब सेहो डोलाके पाछु पाछु सहभागी होइत अछि ।

राम मन्दिरसँ श्री राम जीक डोला आ जानकी मन्दिरसँ माता जानकीक डोला निकैल कऽ स्थानिय बारह बिग्हा मैदान पहुँचैत अछि । ओइठाम श्रद्धालु आ श्रीरामचन्द्र तथा माता जानकीक डोला पहुँचलाबाद स्वँयबर कार्यक्रम सम्पन्न होइत अछि । ओकरबाद बारह बिग्हासँ पुनः डोला सहितक भीड रामानन्द चौक पिडारी चौक मिल्स एरिया जनक चौक हुँदै नगर परिक्रमा गर्दै शोभा यात्रा निकालैत जानकी मन्दिरमे आबि कऽ परिक्रमा सम्पन्न होइत अछि ।

जानकी मन्दिरक प्राङणमे सब जम्मा भेलाबाद करिब साँझ ६ बजेसँ राम आ सिताक बैबाहिक कार्यक्रम शुरु होइत अछि । जाहिमे दुल्हा पक्षके दिससँ राम मन्दिरक महन्थ दशरथ बनल रहैत छथि तऽ कनिया पक्षक दिससँ  जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास बैष्णब सिताक पिता जनकके रुपमे प्रतिनिधित्व करैत अछि । बिबाह समारोहमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे लाखौके सँख्यामे भक्तजनसबहक भिड लागल रहैत अछि ।

ओकरबाद ओइके दोसर दिन राम कलेवा अर्थात बिदाइ कार्यक्रम होइत अछि । ओहिदिन माता जानकीके बिदाइ कएल जाइत अछि । एकर बाद बिवाह पँचमी महोत्सवक समापन होइत अछि ।

अहिबीच एम्हर भिडभाडके ध्यानमे रखैत स्थानिय प्रशासन ओ समयमे करिब १५ सयसँ अधिक सुरक्षाकर्मी परिचालन कएने रहैत अछि तऽ पाकेटमारसबहक गिरफ्तारीके लेल पुलिससबके सादा पोशाकमे सेहो परिचालन कएल गेल रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।

एम्हर बिवाह पँचमीक अवसरमे जनकपुरक बिभिन्न बिद्यालयसब जनकपुरमे आएल अतिथिसबहक लेल निःशुल्क आवास के ब्यब्स्था सेहो कएने रहैत अछि तऽ बिभिन्न क्लब तथा जिल्ला जनस्वास्थ्य आ रेडक्रस सोसाइटि निःशुल्क दबाइ बितरण तथा जाँचके ब्यब्स्था सेहो कएने रहैत अछि ।

बिवाह पँचमी महोत्सव सप्ताहब्यापी रुपमे मनाओल जाइत अछि जकर कार्यक्रम एना रहैत अछि ।

पहिल दिन जनकपुर नगर दर्शन
दोसर दिन फुलवारी लिला
तेसर दिन -  धनुष यज्ञ
चारिम दिन तिलकोत्सव
पाँचम दिन मटकोर
छठम दिन शुभ बिवाह अर्थात बिवाह पँचमी
सातम दिन -  राम कलेवा


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन