Sunday, December 11, 2011

आइ अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतीय दिवस मनाओल जाऽ रहल


२५ अगहन, काठमाडौँ । आइ डिसेम्बर ११ अर्थात अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतीय दिवस । नेपालमे सेहो इ दिवस बिभिन्न  कार्यक्रम कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक आहृवानमे हरेक वर्ष अजुके दिन ओकर सदस्य राष्ट्रसबमे इ दिवस मनाओल जाइत अछि । अहि बेरक दिवसक नारा वन आ पर्वतीय क्षेत्रतय कएल गेल अछि । दिवसक अवसरमे विश्वव्यापी रुपमे जलवायु परिवर्तन तथा जनसंख्या वृद्धिके जोखिमसँ पर्वतीय क्षेत्रके वनपैदावारमे परल असर न्युनीकरण तथा जलवायु परिवर्तन अनुकुलमे वन पैदावारक भूमिकाक विषयमे जनचेतना मुलक विविध कार्यक्रमसब भऽ रहल अछि ।

पृथ्वीके कूल भु भागके पाँच भागमे एक भाग पर्वतीय क्षेत्र अछि तऽ पिवय योग्य पानि मेसँ ८० प्रतिशत पर्वतीय क्षेत्रसँ उपलब्ध होइत आएल अछि । विभिन्न अध्ययनसँ वन जंगल बिनासक कारणसँ हिमालय क्षेत्रके जलवायु परिवर्तनके असर परल जनाओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन