Thursday, July 21, 2011

पाँच प्रतिशत आर्थिक वृद्धिदर लक्ष्य


काठमाडौं, श्रावण ५ । राष्ट्र बैंक चालु आर्थिक वर्षमे पाँच प्रतिशतके आर्थिक वृद्धिदर हासिल करबाक लक्ष्य लेने अछि ।

विनियोजित पूँजीके खर्च समयमै परिचालन होबय सकत त आर्थिक गतिविधिमे अपेक्षित सुधार भ आर्थिक वृद्धि दर सहजे हासिल होबय सकत राष्ट्र बैंकके अनुमान अछि । आर्थिक वृद्धिदरके लक्ष्य हासिल करय मुद्रा प्रदायक वृद्धि दर १२. ५ प्रतिशत रहत बैक जनौलक अछि ।

राष्ट्र बैंक काल्हि मौद्रिक नीति सार्वजनिक करैत आर्थिक वृद्धि दर सात प्रतिशत कायम राखयके जनौलक अछि । इ  बितल आर्थिक वर्षक तुलनामे करिब ४ प्रतिशत कम अछि ।

राष्ट्र बैंक पछिल्ला समयमे राष्ट्रिय वाणिज्य बैंकमे देखलगेल तरलता अभावके न्यूनीकरण करय बैंक दर सामान्य पुर्नकर्जा सुविधा, अन्तिम ऋण दाता सुविधा, स्थायी तरलता सुविधा आ विशेष पुर्नकर्जा सुविधा यथावत राखि तरलता व्यवस्थापनके लेल प्रदान कयल जाएबला पुर्नकर्जा सुविधाके परिमार्जन करैत ल जाएके जनौलक अछि ।

अहिना, राष्ट्र बैंक तथा बित्तिय संस्थाके मर्जरके उच्च प्राथमिकतामे रखने अछि । विदेशी विनिमय संचिति क पाँच अर्ब रुपैयाँके हाराहारीमे सोधनान्तर बचत हासिल करयके लक्ष्य केन्द्रीय बैक लेने अछि । 

संसद अवरुद्ध करबाक कांग्रेसक चेतावनी


५ साउन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनमे सरकार उदासीन रहल कहैत आपत्ति जनौलक अछि ।

सभापति सुशील कोइरालाक निवास महारागञ्जमे आइ बैसल शीर्ष नेतासबहक बैसरसँ सहमति कार्यान्वयनमे आलटाल केने कहैत आपत्ति जनौलक अछि ।

सत्तापक्ष पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे उत्सुकता नहि देखौने कहैत काँग्रेस संसद् अवरुद्ध सहितक आन्दोलन करबाक  चेतावनी देलक अछि ।

बैसारमे साउन १० गतेस बैसयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे एजेण्डाबारे सेहो बिमर्श भेल कांग्रेस नेता विमलेन्द्र निधि जानकारी देलनि । हुनका अनुसार माओवादीसँगके बिमर्शके समिक्षा भेल छल ।

नेपालमे कोनो अधिनायकवाद स्वीकार्य नहि हाएत महत


चितवन (रत्ननगर), श्रावण ५ । कांग्रेसक नेता तथा पूर्वमन्त्री प्रकाश शरण महत लोकतन्त्र संस्थागत करय कांग्रेस लडैत रहत बतौलनि अछि ।
 लोकतन्त्र खतरामे परलासँ पार्टी कार्यकर्ता प्रशिक्षण सुरु केने बतबैत ओ पार्टीके योजना अनुसार दृढ भ  लागय समेत कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि अछि ।

आइ चितवनके पूर्वी क्षेत्रके कार्यकर्ता भेटघाटक क्रममे ओ नेपालमे कोनो प्रकारके अधिनायकवाद स्वीकार्य नहि हाएत  बतौलनि ।

भादव १४ गतेबाद नेपालमे शून्यताके अवस्था नहि आबे कहिक कांग्रेस लागि परल बतबैत नेता महत संविधान जारी नहि क देशके एहने अस्थिरतामे फँसाबयके षड्यन्त्र भ रहलासँ चिन्ता व्यक्त केलनि । पार्टीके केन्द्रीय कार्यक्रम अन्तर्गत कार्यकर्ता प्रशिक्षणके लेल महत चितवन पहुँचल छथि ।

सोनक दाम फेउर बढल

५ साउन, काठमाण्डौं । लगातार बढि क बुधदिन किछ घटल सोनाके भाऊ आइ फेउर बढल अछि । काल्हि तोलाके ४४ हजार रहल सोनाके आइ ४४ हजार दु सय रुपैंयामे कारोबार भ रहल अछि ।

मंगलदिन सोनके भाउ ४४ हजार तीन सय रुपैंया छल । इ सोनके अखनधरिके सबसँ  बेसी  मोल अछि । युरोपियन युनियनमे देखलगेल आर्थिक संकटसँ सोनके भाऊ अस्थिर भेलनेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासंघक अध्यक्ष तेजरत्न शाक्य बतौलनि – ‘अखनो किछदिन एहने अवस्था रहत ओ कहलथि ।


पोखराके पर्यटन विकासमे चीन सहयोग करत


पोखरा, श्रावण ५ । नेपालक लेल चीनके राजदुत याङ होलन पोखराके पर्यटन विकासमे आवस्यक सहयोग करब बतौलनि अछि ।
राजदूत याङ पोखरा पर्यटकीय आकर्षणके केन्द्र भेलासँ एक बैकल्पिक विमानस्थल आवश्यक रहल कहैत ओ अहितर्फ अपने चीन सरकारसंग बात करब बतौलनि । अफ सिजनमे सेहो अपने पोखरामे बहुत चिनियाँ पर्यटक देखने आ अन्तराष्ट्रिय विमानस्थल हाएत त आरो संख्या बढ्यके विश्वास लेने बतौलनि ।

ओ पोखराके नेपालमे चीनियाँ लगानी कर्ता लगानी करय चाहने आ अइके लेल राजनैतिक स्थिरता, संक्रमणकालके अन्त्य, शान्ति आ संविधान बनय सकत त आओर वातावरण बनत बतौलनि ।

आइ भिन्सर पोखरेली पर्यटन ब्यवसायीसंगके बिमर्शमे राजदुत याङ नेपाल आ चीनबीचक पुरान सम्बन्धके आओर प्रगाढ बनाबय परत कहैत ओइके लेल नेपालके सब क्षेत्रमे सहयोग करय ईच्छुक रहलमे जोड देलनि ।


सँगम राई मोडेल

जननिर्वाचित संस्थाके विकल्प नहि अछि नेम्वाङ


५ साउन, काठमाडौँ । संविधानसभा अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ जननिर्वाचित संस्थासँ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काजके निश्कर्शमे पहुँचाबय परत बतौलनि अछि ।

कान्तिपुर डेन्टल कलेज आयोजना केने तेसर दन्त स्वास्थ्य विज्ञान प्रदर्शनीके आइ राजधानीमे उद्घाटन करैत नेम्वाङ दलसब बीचक विवादसँ शान्ति आ संविधान असमन्जसमे परल चिन्ता व्यक्त केलनि । माओवादी सेनाके लडाकूसबहक रेखदेख, समायोजन तथा पुर्नस्थापना विशेष समितिके बैसार औपचारिकतामे मात्रे सीमित रहैत एलासँ समायोजनके काम गति लेबय नहि सकल बतौलनि ।

शान्ति प्रक्रिया आगु बढ्य नहि सक्ला सँ संविधान निर्माणके काज सेहो प्रभावित भेल नेम्वाङक कहब छलनि । राष्ट्रिय अभिभारा पूरा करय दलसबके एके ठाममे ठार भेनाइके विकल्प नहि रहलमे जोड दैत ओ दलसबके सकारात्मक दबाब देबय सबसँग आग्रह कयलनि ।

अमरीका सोमालियाके अकालग्रस्त इलाक़ामें सहायता पठाबय लेल तयार


५ साउन, एजेन्सी । अमरीका इस्लामी ग्रुप अल शबाब के नियंत्रण वाला सोमालियाके अकालग्रस्त इलाक़ामें सहायता पठाबय लेल तयार अछि मुदा अमेरिका चाहैत अछि जे विद्रोही, सहायता सामग्रीके वितरणमें दखल नहीं दौक ।

अमरीकी अल शबाबके आतंकवादी ग्रुप मानैत अछि कियाक त बितल साल ओ सोमालियाके ओइ पैघ इलाक़ामें सहायता रोकि देने छल जतय ओकर नियंत्रण छल ।

संयुक्त राष्ट्र  दक्षिणी सोमालियाके २ टा इलाक़ाके अकालग्रस्त घोषित केने अछि । अइ दुनु इलाक़ामें 50 सालसँ बेसी समयके बाद ऐहन सूखा पड़ल अछि ।

यूएस एजेंसी फ़ॉर इंटरनेशनल डेवलपमेंट के एक वरिष्ठ अधिकारी डोनाल्ड स्टीनबर्ग  कहलनि जे सहायता स अल शबाबके  लाभ नहि भेटबाक चाही ।

सुडान घोटालाके आरोपी खड्का विशेष अदालतमे


५ साउन, काठमाडौँ । सुडान घोटालाके आरोपी नेपाल पुलिसके पूर्वअतिरिक्त नावय महानिरीक्षक मदनबहादुर खड्का बयानक लेल आइ विशेष अदालतमे उपश्थित भेल छथि ।

खड्कासँग बयान लेलाबाद आइए थुनछेकसम्बन्धी बहस हाएत विशेष अदालत स्रोत जनौलक अछि । थुनछेक बहसके बाद विशेषके अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलाससँ घोटाला प्रकरणसँ अधिकारीके सफाई देबयके, थुनामे राखि क छानबिन आगु  बढाबयके या धरौटी ल क तारेखमे रिहा करयके विषयमे फैसला सुनाओल जाएत  बताओलगेल अछि । बयानके लेल खड्का भिन्सर साढे १० बजे विशेष अदालतमे उपश्थित भेल छथि । बितल  १३ अखारमे खड्काके नहि भेटलाबाद विशेष अदालतके कर्मचारी हुनकर घरमे म्याद तामेलीके पत्र साटि क आएल छल ।

संयुक्त राष्ट्र संघक आहृवानमे सुडानके डार्फरमे शान्ति स्थापना कार्यमे खटल नेपाल प्रहरीके युनिटके लेल आवस्यक बख्तरबन्द गाडी खरिद करयके क्रममे करिब २९ करोड रकम भ्रष्टाचार भेल ठहरसहित अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग बितल २४ जेठमे विशेष अदालतमे तीन पूर्वप्रहरी महानिरीक्षक सहित ३६ गोटे विरुद्ध मुद्धा दायर केने छल ।
अहिस आगु विशेष अदालत वायह प्रकरणमे फँसल पूर्वप्रहरी महानिरीक्षकद्वय रमेशचन्द ठकुरीके ७ आ हेमबहादुर गुरुङके ५ करोड, पूर्वअतिरिक्त महानिरीक्षक दीपेन्द्रबहादुर बिष्टके १ करोड, प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक श्यामबहादुर खड्काके ७० लाख आ नायव उपरीक्षकद्वय दिनेश केसीके ३५ लाख आ प्रकाश अधिकारीके सात लाख धरौटी बुझाक  तारेखमे रिहा करय निर्देशन द चुकल अछि ।

गृहमन्त्री थिम्पु नहि जेताह


काठमाडौ, श्रावण ५ । गृहमन्त्री कृष्णबहादुर महरा अपन थिम्पु जेबाक कार्यक्रम रद्द केलनि अछि ।
सार्क गृहमन्त्री स्तरीय बैसारमे सहभागी होबय शुक्रदिन महराके ओइदिस जेबाक कार्यक्रम तय भेल छल । भुटानक राजधानी थिम्पुमे सार्क राष्ट्रक गृहमन्त्रीसब भेला भ रहल अछि ।

महराक प्रेस संयोजक मनोज मगर माओवादी अपन मन्त्रीसब हेरफेर करयके तयारी केलासँ गृहमन्त्री अपन विदेश यात्रा रद्द केने बतौलनि । कोनो समय पार्टी सरकारसँ फिर्ता बजाबय सकयके सम्भावना रहलासँ एहन अवस्थामे विदेश भ्रमणमे जेनाइ उचित नहि भेलासँ महरा एहन निर्णय लेने बताओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन