Wednesday, August 06, 2014

अपडेटः सिन्धुपाल्चोकमे १२३गोटेके कएल गेल मृत घोषित, राहत वितरण कएल जा रहल

साउन २१ गते, सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे बेपत्ता रहल १२३ गोटेके स्थानिय प्रशासन मृत घोषित केलक अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे बेपत्ता रहल आ भेटल शव सहित कुल १२३ गोटेके मृत मानिकऽ स्थानिय प्रशासन राहत प्रक्रिया आगु बढौने स्थानिय प्रमुख जिल्ला अधिकारी गोपाल प्रसाद पराजुली जानकारी देलन्हि अछि ।
घटनामे मृत्यु भेलसभहक परिवारके ४० हजार रुपैया राहत स्वरुप देवाक निर्णय कएल गेल अछि तऽ घर दहागेलसभके प्रति घर ५ हजार आ घाईलसभके ईलाजक पुर्जीके हिसाबसँ राहत वितरण कएल जा रहल स्थानिय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सिन्धुपाल्चोक सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि । एम्हर उद्धोग बाणिज्य सँघ सिन्धुपाल्चोक राहत वितरणके लेल कुल ४८ लाख रुपैया स्थानिय बासी ब्यापारी आ कार्यालयसभसँ सँकलन कएने अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउके पानिऽक निकास अखनोधरि होबऽ नहि सकल अछि । सेना काल्हि २ टा बम बिष्फोट क निकास देबाक प्रयास केने छल । आइयो नेपाली सेनासभ ओईठाम बिष्फोट कऽ नदी खुलाबऽमे लागल बताओलगेल अछि । पहाड ढहिकऽ नदीमे बडका चटान खसलास बिष्फोटमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेनाक कहब अछि । बान्ह करिब ५०० मिटर उँच रहलाक कारण ओईठाम तलाउ जेहन अवस्था रहल अछि आ नदी खुलाबऽमे समय लागिरहल जनाओलगेल अछि । स्थानिय जनताके मुताबिक १५६ गोटे सम्पर्क बिहिन रहितो प्रशासन १२३ गोटेके मात्र बेपत्ता रहल सुचिमे राखि राहत बितरण कऽ रहल अछि । अखन ओतय स्थानिय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश के सँगहि नदी खुलाबऽमे लागल अछि । जल्दीए नदीके पानिकऽ निकास नहि भेल तऽ भारतकऽ दरभँगा धरि क्षति पहुँच सकबाक अधिकारीसभ जनौलन्हि अछि ।
अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके आ मृतकसभके खोजबाक काज कएल जारहल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि ।
तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहिके देखैत अरनिको राजमार्गके बैकल्पिक बाट बना कऽ तातोपानी नाकाके चिनसँ जोडबाक प्रयास कएल जएबाक निर्णय भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

सुनकोशी नदी घेराएलाबाद ७ टा जलबिद्धुत आयोजनासँ होइत आएल ६७ मेगावाट बिद्धुत उत्पादन ठप्प भेल अछि ।२.५ मेगावाटके सानिमा हाइड्रोपावर, ४५ मेगावाटके भोटेकोशी, १० मेगावाटके सुनकोशी, ३ मेगावाटके चाकुखोला, १.८ मेगावाटके मध्यचाकुखोला आ १.६ मेगावाटके निचला चाकुखोला सहित ३ मेगावाटके भैरवकुण्ड जलविद्यूत आयोजनासँ विद्यूत उत्पादन अवरुद्ध भेल नेपाल विद्युत प्राधिकरण जनौलक अछि  । जाहि कारणसँ थप डेढ घण्टा लोडसेडिङ बढ सकबाक प्राधिकरण जनौलक अछि । जिल्लाके ५५ गाविसमे विद्युत् आ टेलिफोन लाइन बन्द भेल अछि तऽ काठमाडौँसँ खासाधरि ओछयाओल अप्टिकल फाइभरके लाइन सेहो खराब भेल बताओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन