Wednesday, December 08, 2010

२०६७, अगहन २२ गते, २०१० डिसेम्बर ८

नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थके मोल वृद्बिसंगे खाना बनाबयबला ग्याँसमे कएने मोल वृद्बिके बिरोध करैत जनकपुर अंचल ग्याँस व्यवसायी संध काँल्हि बिक्रि बितरण बन्द कऽ बिरोध प्रर्दशन कएलक अछि।
काँल्हि भोरे जनकपुरस्थित जानकी मंदिरक प्रांग्रणसँ निकलल विरोध रैली नगरक विभिन्न भागक परिक्रमा करैत जिला प्रशासन कार्यालय धनुषा मार्फत प्रधानमन्त्रीके ज्ञापन पत्र सेहो बुझओने अछि।ग्याँसमे लगैत आबि रहल भ्याट,मोल अभिवृद्बि कर फिर्ता कऽ मोल समायोजन कएल जएबाक एक मात्र माँग कएलगेल संधक केन्द्रिय उपाध्यक्ष गणेश झा जानकारी देलन्हि अछि।
मोल अभिवृद्बि कर फिर्ता लेल गेल तऽ ग्यासक मोलमे १ सय ५० रूपैया कमी आओत व्यवसायीसभके कहब अछि।व्यवसायीसभक आन्दोलनके कारण उपभोक्तासभ समस्यामे परल अछि।मोल वृद्बि फिर्ता नइ लेलगेल तऽ सशक्त आन्दोलनमे उतरबाक चेतावनी सेहो ग्याँस व्यवसायीसभ देने अछि।
जनकपुर अंचल ग्याँस व्यवसायी संधक अध्यक्ष मनोज साहक नेतृत्वमे भेल विरोध प्रर्दशनमे केन्द्रिय उपाध्यक्ष गणेश झा,केन्द्रिय सदस्य हरि राउत,अंचल कमिटीक पदाधिकारी सहित स्थानीय व्यवसायीसभक सहभागीता छल। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
सप्ताहव्यापी विवाहपंचमी महोत्सव अन्तरगत जनकपुरक प्रसिद्ब जानकी मन्दिरके प्राङणमे धनुष यज्ञ कार्यक्रक काँल्हि सम्पन्न भेल अछि।ओहि क्रममे धनुषक पूजा कऽ झाँकीमे भगवान राम बनल युवक धनुष तोडने छल।
ओहि अवसरपर मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णव सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानक साधुसन्तके आ स्थानीयबासीके सहभागिता रहल छल।एहिबीच आइ राम मन्दिरक प्राङणमे तिलक महोत्सव कार्यक्रम हाएत बुझबामे आएल अछि।
तिलकोत्सव कार्यक्रममे मिथिला दरवारके प्रतिनिधित्व करएबला जानकी मंदिर अयोध्या दरवारक प्रतिनिधित्व करयबला राममन्दिरमे १ सय १ भार पठाओल जाएत बताओलगेल अछि।
राममन्दिरमे समधी मिलानके कार्यक्रम सेहो राखलगेल अछि।विवाहसँ २ दिन पूर्व होवयबला तिलकोत्सव कर्यक्रम विवाहपंचमीक मूख्य आकर्षण रहत।
एम्हर विवाहपंचमी सहभागी होवाकलेल आन्तरिक तथा बाह्र पर्यटकसभके जनकपुर अएबाक क्रम शुरू भऽगेल अछि।काँल्हि मात्र २ हजारसँ बेसि यात्रीसभ जनकपुर आएल देखलगेल अछि।।।।।।।।।।।।।।।
कार्यवाहक प्रधानमन्त्री एवं मधेशी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक अध्यक्ष विजय कुमार गच्छेदार देशमे सभ सँ पैघ दल अपन पार्टी हएत दावा कएलन्हि अछि । सिरहाक गोलबजारमे काँल्हि कार्यकर्ता प्रशिक्षण कार्यक्रमकेँ उदघाटन करैत फोरम लोकतान्त्रिकक अध्यक्ष गच्छेदार काँग्रेस , एमाले आ माओवादी असफल भऽ गेला सँ आब अपन पार्टी १० वर्ष भितर सभ सँ नम्हर बनबाक बतौलन्हि ।फोरम लोकतान्त्रिक मधेशक मात्र नहि भऽ पुरे देशक पार्टी रहल हुनक कहब छलन्हि । पार्टीकेँ शुदृढ करय लेल हिमाल, पहाड आ मधेशमे संगठन विस्तार करयपर ओ जोड देने छलथि ।तहिना ओहि कार्यक्रममे पर्यटन तथा उड्डयन मन्त्री शरद सिंह भण्डारी माओवादीकेँ कुकुरक नाङ्गरिकेँ संज्ञा देलन्हि अछि । ओ नाङ्गरि सिधा करय अपने सभ आब तैयार रहल बतौलन्हि ।।।।।।।।।।।।।
मेची राजमार्गअन्तर्गत इलामके किटेनी ढाटसँ पुलिस हतियारसहित ३ गोटेके आइ भोरे गिरफ्तार कएलक अछि।गिरफ्तार होवयबलामे झापा सुरुङ्गा-९ के २३ वर्षीय विनोद कार्की आ १९ वर्षीय लवकुमार श्रेष्ठ तथा सीमावर्ति भारत पानीटङ्कीक २० वर्षीय बब्लु राजवंशी रहल अछि।
ईलाका प्रहरी कार्यालय पशुपतिनगरसँ खटल गस्ती टोली ओकरासभके गिरफ्तार कएलक अछि। गिरफ्तार भेल तीनु गोटे सँगसँ पेस्तोल आ गोलीसमेत बरामद भेल पुलिस जनओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पर्सा बन्यजन्तु आरक्षसँ ग्रामिण क्षेत्रमे प्रबेश कएने जङ्गली हात्तीक आक्रमणसँ पर्साक निर्मलबस्ति गाबिसमे आइ फेर १ गोटेके मृत्यु भेल अछि। हात्ती दर्जनौं घरमे क्षति सेहो पहुँचओने अछि।
वितल राति १२ बजेक समयमे शौंचालय जाएके समयमे निर्मलबस्ती गाबिस-१ रामनगर निवासी ६८ बर्षीय लाहुरे कहएबला ईन्द्रबहादुर बिकके हात्तीक आक्रमणसँ मृत्यु भेल पुलिस जनओलक अछि। मृतक बिकके शव पोष्टमार्टमकलेल वीरगन्ज लऽजएबाक तैयारी भऽरहल पुलिस जनओलक अछि। ।
गत रविदिन सेहो ओहि गाविसक शान्तिटोला ठाममे जङ्गली हात्तीक आक्रमणसँ स्थानीय ४२ बर्षीय कान्छा पाख्रिनके मृत्यु भेल छल।
जङ्गली हात्तीक कारण लाखौं मूल्य बराबरके क्षति भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय ठोरीक प्रहरी निरीक्षक सुजन राजभण्डारी जानकारी देलन्हि अछि। पीडितक परीवार आ आक्रोशित स्थानीयबासी क्षतिपूर्तिक माग करैत अखन ओइ क्षेत्रमे प्रदर्शन कऽरहल अछि।एहिबीच नवलपरासीक परासीमे ट्याक्टरके ठक्करसँ १ गोटेके मृत्यु भेल अछि।सुनवलसँ परासी आबि रहल लु २ त ११५९ नम्बरक ट्याक्टर आ परासीसँ सुनवलतर्फ जाऽ रहल लु ५ प ११५७ नम्बरक मोटरसाइकल परासीक निलोगेट नजदीक वितल राति एकआपसमे ठोकेलासँ मोटरसाइकल चालकके मृत्यु भेल अछि।
दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक नवलपरासीक सुनवल गाम विकास समिति किर्तिपुर रहनियार २५ बर्षीय युवराज गुरुङक मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासी जनओलक अछि। ट्याक्टरक ठक्करसँ गम्भीर घायल भेल गुरुङके थप इलाजकलेल भैरहवा मेडिकल कलेज लऽजाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि।
दुर्घटनाक बाद गुरुङके ठक्कर देवयबला ट्याक्टरक चालक फरार रहल आ खोजीकार्य भऽरहल नवलपरासी पुलिस जनओलक अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नया संविधानक प्रस्तावनाक अनुच्छेदमे उल्लेख करकलेल किछ विषयसभमे थप सहमति जुटाबलेल आइ सेहो उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार बसि रहल अछि। किछकालके बाद िसंहदरबारमे बैसएबला बैसारमे संवैधानिक समिति अन्तएगतके विषबस्तुक विवादमे विमर्श हएत।कोल्हुका बैसारमे विभिन्न आन्दोलन नाम समग्रमे उल्लेख करक आत्मनिर्णय स्वायत्तता सहितक विषयसभके स्पष्ट परिभाषा हैवाक चाहीसहितक विषयमे दलसभबीच सहमति बनल छल।
बैसारमे प्रस्तावना उल्लेख करक कहलगेल विवादित ३सँ७ धरिक अनुच्छेदमे विमर्श भेल छल।बहुलवाद आत्मनिर्णयक अधिकार जनयुद्ध शब्दक प्रयोग सहितक विषयमे दलसभबीच अखनो मतभेद कायमे अछि। आजुक बैसारमे सेहो विवादीत विषयसबके निस्कर्षमे पहुँचील जाएत कार्यदलक सदस्य रमशे लेखब जानकारी देलन्हि अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।
व्यवस्थापिका संसदक विशेष अधिवेशन बजाबक पहल करक एकीकृत नेकपा माओवादी आइ छोट दलसभसँग विमर्श कऽरहल अछि। काँल्हि विमर्श कएने दलसभसँग थप विमर्शकलेल भोरे ११ बजे संसदीय दलक कार्यालयमे बैसार बजओने अछि।छोट दलसँगक विमर्श पश्चात माओवादी कांग्रेस आ एमालेसँग विमर्श करक आ तेकरबाद विशेष अधिवेसनकलेल समावेदन करक तैयारी कएलक अछि।
माओवादी सचिव सीपी गजुरेल प्रधानमन्त्री निर्वाचन आ थप एजेण्डा बढा कऽ समावेदन करक विमर्श चलि रहल बतओलन्हि अछि। सरकार संसदक अधिवेशन बजाबयसँ पहिने दलसभबीच सहमति हैवा चाही अडान राखि रहल समय माओवादी विशेष अधिवेशनकलेल पहल शुरू कएने अछि। व्यवस्थापिका संसदमे रहल एक चौथाई सभासद् लिखित आह्वान कएलक तऽ विशेष अधिवेशन बजाब पडत संवैधानिक व्यवस्था रहल अछि। सरकारमे रहल दलसभ नियमित अधिवेसन बजाब परल बतबैत आबि रहल अछि।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पेट्रोलियम पदार्थक मूल्यबृद्धिक विरोधमे संभावित प्रदर्शन रोकक काठमाडौंक प्रमुख क्याम्पस आसपास सुरक्षाकर्मीक उपस्थिति बढाओलगेल अछि।काँल्हि तनावपूर्ण भेल चाबहिलस्थित पशुपति क्याम्पस आसपास आइ भोरेसँ उल्लेख्य संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालन कएलगेल अछि।तहिना मुख्य सडकके चोक चोकमे सेहो सुरक्षाकर्मी खटाओलगेल बुझबामे आएल अछि।
एहिबीच मूल्यबृद्धिक विरोधम राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपाल आइ बबरमहलस्थित नेपाल आयल निगमक कार्यालय घेराउ करक कार्यक्रम तय कएलक अछि।
विनाकारण खाना बनाबयबला ग्याँसक मूल्य बृद्धि भेल विरोधमे ग्याँस बिक्रेता महासंघ सेहो चरणबद्ध आन्दोलनक तैयारी कएलक अछि। खाना बनाबयबला ग्याँसमे लगैत आएल भ्याट हटाबक संगही कम्पनिक नाफा कम कऽकऽ आअरो कम मूल्य कायम करक अभ्यास नइ कऽ मूल्य बढओलाक कारण आन्दोलन करक महासंघक अध्यक्ष ज्ञानेश्वर अर्याल बतओलन्हि अछि।
नेपाल आयल निगम गत सोमदिन खाना बनाबयबला ग्याँसमे प्रतिसिलिण्डर ७५ रुपैयाँ आ पेट्रोल, डिजेल आ मट्टितेलमे प्रतिलिटर ३/३ रुपैयाँ मूल्यबृद्धि कएने छल।तहिना पेट्रोलियम पदार्थमे कएने मूल्य वृद्धिक विरोधमे आइ सेहो विद्यार्थी आ उपभोक्तासभ प्रदर्शनम उत्रल अछि। विद्यार्थीसभ राजधानीक चाबहिल बानेश्वर रत्नपार्क सहितक विभिन्न क्यम्पस आगु विरोध प्रदर्शन सुरु कएलक अछि। मूल्यवृद्धिसँ सर्वसाधारण जनताके समस्या भेल कहैततत्काल फिर्ता लेबाक ओसभ माग कएलक अछि। त्रिचन्द्र क्याम्पस घण्टाघर सरस्वती क्याम्पस लौनचौर पशुपति क्याम्पस चावहिल सहितक क्याम्पस आगु अखन सेहो विद्यार्थीसभ प्रदर्शन कऽ रहल अछि।
ओइ क्षेत्रसभमे यातयात सेवा प्रभावित भेल अछि।विद्यार्थीक प्रदर्शनके ध्यानमे रखैत राजधानीक विभिन्न क्याम्पससभ आगु अखन सुरक्षाकर्मी व्यापकरुपमे परिचालन कएलगेल अछि।तहिना राजधानी बाहरके जिल्लासभमे सेहो आइ भोरेसँ विरोध प्रदर्शन सुरु भेल अछि।।।।।।।।।।।।।।।।।
मिथिलाक प्राचीन राजधानी जनकपुरधाममे नगर दर्शनसँ सुरु भेल विवाहपञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत आइ दुपहर राममन्दिरक प्राङगणमे तिल्कोत्सव समारोह कार्यक्रम होवय लागल अछि।
आई तिल्कोत्सव समारोह सम्पन्न भेलाक बाद अगहन २३ गते मटकोर, २४ गते शुभविवाह तथा २५ गते रामकलेवा हएत जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास वैष्णव बतओलन्हि अछि।
एहि वर्ष घोडा, ऊँट एवं हात्तीसँ विवाह महोत्सवके शोभा बढाओल जाएत बताओलगेल अछि। भारतक अयोध्या सहितक विभिन्न स्थानसँ विभिन्न मठक महन्थ तथा साधुसन्तसभ बरातीक रुपे जनकपुर आबि रहल अछि।विबाहपंचमीके ध्याने रखैत जनकपुरक सुरक्षा व्यवस्था कडा बनाओलगेल सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक कविराज श्रेष्ठ बतओलन्हि अछि।
राम तथा जगत जननी माता सीताक वैवाहिक कार्यक्रमके तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचगेल अछि। वैवाहिक कार्यक्रम अन्तर्गत स्वयंवरक आयोजना होवयबला स्थल बाह्रविगाह रणभूमि मैदानके सरसफाई तीब्र गतिमे भऽरहल अछि।
विवाह महोत्सवक तैयारीमे स्थानिय क्लबसभ सेहो सक्रिय देखलगेल अछि। जनकपुरक जानकी मन्दिर, विवाह मण्डपल सहितक स्थान दुलहन जेकाँ सजाओलगेल अछि।श्रद्धालुकलेल पियबला पानी, शौचालय आवास सहितक तैयारी सेहो तीब्र रूपमे भऽरहल अछि।
तिल्कोत्सवसँ रामकलेवाक दिनधरि जनकपुरक जानकी मन्दिर तथा राम मन्दिरबीच विभिन्न प्रकारक मिठाई तथा फलफूलसहितक सामग्री आदान प्रदान भऽरहल अछि। जनकपुरमे मनाबयबला ई महोत्सवसँ नेपाल भारतबीचक सम्बन्धके सेहो प्रगाढ बनबैत आएल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव आइ धुलिखेल जएबाक कार्यक्रम रहल अछि। काठमाडौँ विश्वविद्यालयक १६हम दीक्षान्त समारोहमे सहभागी होवएलेल राष्ट्रपति धुलिखेल जाए लागल छथि।
तहिना काठमाडौं विश्वविद्यालयक दीक्षान्त समारोहमे सहभागी होवय अर्थ विज्ञानमे नोबेल पुरस्कार विजेता इलिनोर ओस्ट्रोम सेहो जाए लागल छथि। नेपालमे प्राकृतिक सम्पदाक अध्ययनसँ ओ सन् २००९ के नोबेल पुरस्कार विजेता भेल छलथि।ओस्ट्रोम दीक्षान्त समारोहमे प्रचवन देर्थिन विश्वविद्यालय जनओलक अछि।
आइ स्कुल अफ साइन्स, स्कुल अफ इन्जिनियरिङ, स्कुल अफ आर्टस्, स्कुल अफ म्यानेजमेन्ट आ स्कुल अफ एजुकेशसनसहितक सात सय ७९ गोटे नेपाली आ ३६ गोटे विदेशी विद्यार्थी कऽ जम्मा सात सय ९२ गोटे विद्यार्थीसभ दीक्षित हएत काठमाडौं विश्वविद्यालयक उपकुलपति डा. सुरेशराज शर्माल जानकारी देलन्हि अछि।
चान्सल आ स्वर्णपदक दैत आएल केयू एहि वर्षसँ स्कुल अफ मेडिकल साइन्सेजसँ एमबीबीएमे बेसि अङ्क लाबयबाल विद्यार्थीके सेहो भाइस चान्सलर स्वर्णपदक देबय लागल अछि।
एहिबीच दीक्षिन्त समारोहके मध्यनजर रखैत स्थानीय प्रशासन काभ्रेक बनेपा आ धुलिखेल क्षेत्रमे सुरक्षा व्यवस्था कडा बनओने अछि।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नयाँ संविधानमे देखलगेल विवाद समाधान करकलेल गठित उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार आइ सेहो निस्कर्षविहीन सम्पन्न भेल अछि।
सिंहदरबारमे आइ भोरे बैसल बैसारमे नयाँ संविधानक प्रस्तावनामे विमर्श भेल आ जनयुद्ध, आत्मनिर्णयक अधिकार आ बहुलवादमे सहमति होवय नइ सकल नेतासभ बतओलक अछि। प्रस्तावनाक ४७टा विवादित विषयमेसँ अन्य बिषयमे सहमति भऽचुकल अछि।
कोल्हुका बैसारमे सेहो जनयुद्ध, बहुलवाद, आत्मनिर्णयक अधिकार जेहन आधारभूत विषयमे दलसभबीच बात नइ मिल सकल छल।
एकीकृत नेकपा माओवादी बहुलवाद एकटा सिद्धान्त भेलाक कारण अइके नयाँ संविधानमे उल्लेख करक अस्वीकार कएने अछि। काङ्ग्रेस, एमालेल सहितक दलसभ बहुलवादके अस्वीकार करक समाजमे विविध राजनीतिक बिचारस , सँस्कृति आ धर्मसभ अछि बातके अस्वीकार कएलक तऽ नयाँ संविधानमे ‘बहुलवाद’ उल्लेख हैवाक चाही अडानमे अछि।
तहिना माओवादी नागरिकके मात्र नइ भऽकऽ राज्य आ समुदायके सेहो आत्मनिर्णयक अधिकार हैवाक चाही अडान रखैत आएल अछि। ।।।।।।।।।।।।।।।।।
मध्यमस्यर्याङदी टवाईन जलविधुत परियोजनाक टवाईनके मर्मतकार्य समपन्न भेल अछि।
टवाईन मर्मतके संगही ६०मेगावाट बिजुली उत्पादन सेहो होवय लागल अछि।मुद्बा जलशायमे पानीक सतह घटकक्रम जरी रहलाक कारण लोडसेटिङ घटक सम्भावना नइ रहल परियोजनाक एकटा कर्मचारी बतओलन्हि अछि।
मर्मतसम्भार कएलगेल २टा टवाईनके उतपादन क्षमता ३५-३५ मेगावाट रहल अछि। ।।।।।।।।।।।।।
संसदके विशेष अधिवेशन बजाबयके पहल केने एकीकृत नेकपा माओवादी आइ सेहो छोट दलसबसँग परामर्श करहल अछि ।
माओवादी संविधानसभा दलके कार्यालय सिंहदरबारमे जारी परामर्शमे मधेसी जनअधिकार फोरम, नेपाल सदभावना पार्टी, नेपाली जनता दल, नेकपा एकीकृत सहितक सात दल सहभागी अछि ।
अहिस आगु काल्हि सेहो माओवादी याह छोट दलसबसँग परामर्श केने छल । काल्हिके परामर्शमे विशेष अधिवेशन बजाबयके माओवादीके तयारीमे छोट दल सहमति नजदिक पहुँचलास आइ पुनः परामर्श भरहल प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा जानकारी देलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।
उपराष्ट्रपति परमानन्द झा देश चलाबय नै सकल लिखित जानकारी राष्ट्रपतिके कराबय दलसबके चूनौती देलनि अछि ।
आइ विराटनगरके सञ्रचारकर्मीसबसँग बातचित करैत उपराष्ट्रपति झा दलसब देश चलाबय नै सकल लिखित जानकारी कराओत त राष्ट्रपतिके कार्यकारी अधिकार ल क आगु बढयके बाट खुजत बतओलनि ।
संविधानमे राष्ट्रपतिके कार्यकारी अधिकार अपन हातमे लेबयके बाट नै रहल ओ स्पष्ट केलनि ।
राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री चयन करय देने जिम्मेवारी पाँच महिना पुगितो दलसब पूरा करय नै सकल बतबैत ओ अहिस राष्ट्रपतिके अपमान भेल टिप्पणी केलनि ।संविधान निर्माण आ शान्तिप्रक्रियाके नाममे दलसब नाटक करहल उपराष्ट्रपति झाके कहब अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
राष्ट्रपति समक्ष समावेदन द क संसदके विशेष अधिवेशन बजाबय एकीकृत नेकपा माओवादी सहितक ९ दल सहमत भेल अछि ।
माओवादी संसदीय दलक कार्यालय सिँहदरवारमे बैसल बैसारमे समावेदन दक संसदके विशेष अधिवेशन बजाबय सहमति भेल अछि ।
संसदमे रहल कुल ५ सय ९९ सभासदके एक चौथाई अर्थात १ सय २५ गोटे समावेदन केने १५ दिनभितर अधिवेशन बजाबयके व्यवस्था अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेपाल आयाल निगमक महाप्रवन्धक दिगम्बर झा सरकार ४० करोड रुपैया अनुदान देत त निगम पेट्रोलियम पदार्थके बढल मुल्य तत्काल फिर्ता लेत बतओलनि अछि ।
राजधानीमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत महाप्रवन्धक झा निगम मुल्य बृद्धिके पुनरावलोकन करय तयार रहल आ अहिके लेल प्रस्ताव सेहो सरकारके पठाचुकल जानकारी देलनि । ओ कहलनि जे अर्थमन्त्री आ आपूर्ति मन्त्रीसँग मुल्य फिर्ता लेबयके विषयमे बातचित भरहल अछि । जँ सरकार आइए हमरा रकम अनुदान देबयके निर्णय करत त अखने मुल्य फिर्ताके घोषणा क देब ।
ओ आगु कहलनि जे अखन मुल्य समायोजन नै करब त बजारमे पेट्रोलियम पदार्थके अभाव हाएत आ ओहिस कालाबजारी बढत । सहज आपूर्तिके लेल हमसब मुल्य बढओने छी ।
नेपाल सरकार अनुदान नै देब कहलास बाध्य भ क मुल्य बढाबय परल जानकारी दैत झा मुल्य घटाबयके लेल सरकारी अनुदान या पेट्रोलियम पदार्थमे लगैत आएल भ्याट छुट देबय परत बतओलनि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेकपा(एमाले)क नेता केपी शर्मा ओली कम्बोडियामे सम्पन्न एसियाली राजनीतिक दलसबहक सङ्गठन आइक्यापके बैसारमे भाग ल स्वदेश घुरलनि अछि ।

स्वदेश घुरिते त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत नेता ओली राजनीतिक सहमतिके आधारमे देशके अनिर्णयके बन्दी बनाबय नै चाही तर्फ आब जिम्मेवार राजनीतिक दलक ध्यान जायके समय आएल बतओलनि।
ओ सहमतीय आधारमे गठन होबय नै सकत त बहुमतीय आधारमे सरकार निर्माण क राष्ट्रिय सहमति जुटाबयके दिस पहल करयके धारणा व्यक्त केलनि।
नेता ओली आइक्यापके नोम्पेन्ह बैसारमे भाग लेबय याह अगहन १३ गते ओहिदिस प्रस्थान केने छलथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
पूर्वयुवराजा पारस शाह अपन राजनीति करबाक कोनो सोच नै रहल बतओलनि अछि ।
धादिङके प्रमुख धार्मिकस्थल त्रिपुरासुन्दरी भगवतीके दर्शनके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत पारस इ बात बतओलनि अछि ।
ओ धार्मिक आस्थाके कारण भगवतीमाईके दर्शन करय मात्रे आएल आ हिमानी ट्रष्टमे अपन कोनो संलग्नता नै रहल बतओलनि ।
देशके राजनीतिक अवस्थाबारे पुछलगेल प्रश्नमे पूर्वयुवराज पारस कोनो प्रतिक्रिया देबय नै चाहलथि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन