१५ अगहन, काठमाडौँ । आइ डिसेम्बर १ तारिख अर्थात २४ हम् विश्व एड्स दिवस नेपालमे सेहो विविध कार्यक्रम कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि ।
एड्स दिवसक अवसरमे स्वास्थ्य मन्त्रालय तथा एड्सके रोकथाम तथा जनचेतना अभिवृद्धिके क्षेत्रमे कार्यरत संघसंस्था राजधानी सहितक देशभरि विविध कार्यक्रमक आयोजना केने अछि । अहि वर्षक एड्स दिवसक नारा ‘एचआइभीके नयाँ संक्रमण, भेदभाव तथा एड्सके कारणसँ होबयबला मृत्युके शून्यमे पहुँचाउ’, तय कएलगेल अछि । असुरक्षित यौन सम्पर्कके माध्यमसँ लागयबला इ रोगसँ विश्वभरि लाखौं गोटे प्रभावित भेल अछि तऽ हजारौँ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।
विश्व स्वास्थ्य संगठनके अनुसार विश्वभरि ३ करोड ४० लाख आदमी अहि रोगसँ प्रभावित भेल अछि । नेपालमे मात्रे हरेक वर्ष ४ सँ पाँच हजारक सँख्यामे एड्स संक्रमतिसबहक मृत्य होइत अछि । सरकारी पछिला तथ्याङ्क अनुसार नेपालमे हरेक दिन करिब ६ गोटेमे एचआइभी एड्सके संक्रमण होइत अछि । सन् २०१० के तथ्याङ्क अनुसार हाल देशभरि ५५ हजार ६ सय २५ गोटे एचआइभी/एड्स सँ प्रभावित अछि । मुदा, बितल वर्ष ६७ हजार एड्स प्रभावित रहल तथ्याङ्क सार्वजनिक कएल गेल छल ।
No comments:
Post a Comment