Wednesday, September 28, 2011

हिन्दुसबहक महान पावनि दशमी आईसँ शुरु


११ आसिन , जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आईसँ बिधिबत रुपमे शुरुवात भेल अछि ।
दशमीक आइ पहिल दिन कलस्थापना अर्थात कलशके स्थापना कएल गेल अछि । कलश स्थापनाके लेल आई भिन्सर १० बाजि क सताईस मिनेट शुभ रहल नेपाल पञ्चाड निर्णायक समिति जनौलक अछि । दशमीक आइ पहिल दिन माता शैलपुत्रीके पुजा कएल गेल अछि । पर्वतके राजा हिमालयके पुत्रीक रुपमे उत्पन्न भेलासँ शैलपुत्रीक नामसँ चिन्हल जाति अछि । राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

आजुक दिन उच्चपिठ, शक्तिपिठ तथा दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो बालु पर जौ छिट क कलश स्थापना केलनि अछि । आइ छिटल जौ सँ जन्मल जयन्तीके बिजया दशमी दिन आशिर्बाद स्वरुप माथ पर लगाओल जाति अछि ।

अहि अवसरमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कउल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 

अहि अबसरके प्रत्येक साल जका अहुबेर जनकपुरक गोपाल धर्मशालामे सस्ता बजार लागल अछि । कुल ७३ टा स्टल राखलगेल सस्ता बजारमे दैनिक उपभोग्यके समानसब सस्ता दर रेटमे उपलब्ध हाएत आयोजक जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन