Wednesday, March 02, 2011

माओवादी प्रधानमन्त्री बनय नै देलक : गच्छदार

इनरुवा, फागुन १८ । मधेशी जन अधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष बिजयकुमार गच्छदार अपनाके माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रधानमन्त्री बनय नै देने बतौलनि अछि ।
सुनसरीके अमडुवामे आइ धमनेश्वरनाथ महादेब मन्दिरके उदघाटन करैत गच्छदार अपना प्रधानमन्त्री बनयके अबस्था आएलाक कारण बनय नै देबय प्रचण्ड धरफरीमे एमाले अध्यक्ष खनालके समर्थन केने बतौलनि । 'दाहाल खनालके समर्थन नै केने रहैत त हम निश्चित प्रधानमन्त्री होइती ओ कहलनि । देशमे एखनधरि भेल प्रधानमन्त्रीसब करय नै सकल काम अपने प्रधानमन्त्री भेलाबाद कक देखाबयके दाबा कएलनि ।

एसएसबीके दुर्व्यवहारस सीमा क्षेत्रमे तनाव

रौतहट, फागुन १८ । भारतीय सिमा सुरक्षा बलके जवान नेपाल प्रबेश क रौतहटके बन्जाराहा गाबिसके एक स्थानिय बासीके आइ भिन्सर पिटपाट केलक अछि ।

घट्नाक बाद स्थानियबासी भारतीय सीमा सुरक्षाबलके जवान बिरुद्ध प्रतिकारमे उतरल अछि । स्थिति तनाबपुर्ण भेलाबाद नेपाल प्रबेश केने दु एसएसबीके जवानके नेपाल पुलिस नियन्त्रणमे ल चौकीमे रखलाबाद भारतीय सुरक्षाकर्मी सेहो रौतहटके औरैया बेशके तिन सशस्त्र पुलिस जवानके पकैर कऽ सिमा ओइपार ल गेल अछि ।

भारतसँ चाउर किन कऽ आनिरहल रौतहटके बन्जारा गाबिसके मोहम्मद आफताबके बन्जाराहा नाकामे तैनाथ भारतीय सीमा सुरक्षाबलक जवान मन्जुर आलम आ शैलेन्द्र दुबे नेपाल प्रबेश कक पिटपाट करऽ लगलाबाद स्थानिबासी प्रतिकारमे उतरल अछि । सिमा बलक जवान नेपाल प्रबेश कक बन्जाराहामे स्थानिबासीके पिटपाट केने ई दोसर घट्ना अछि । बन्जराहा गाविस-७ के मदनप्रसाद चन्द्रवंशीके एक महिना आगु भारतिय सिमा सुरक्षाबलके जवानसभ पिटपाट क घाईल बनौने छल । स्थिति तनाबग्रस्त भेलाबाद नेपाल पुलिस बन्जाराहा सिमा चौकिके सुरक्षाकर्मि भारतीय एसएसबिके जवानके नियन्त्रणमे ल क रखने छल ।

भारतीय सीमा बलक जवानके बचावय लेल रखने कहैत स्थानियबासी चौकी घेरय लगलाबाद थप मद्धतके लेल औरैया बेश क्याम्पस गेल शसस्त्र प्रहरीके जवान अमृत श्रेष्ठ, नबराज खड्का आ देवी थापाके जिपस जबरजस्ती उतारि कऽ भारतीय सुरक्षाकर्मि सीमा ओइपार ल गेल छल । भारतीय एसएसबीके जवानके छोडलाबाद अपन तिन जवानके भारतिय सुरक्षाकर्मी छोडने बताओलगेल अछि । एखन बन्जाराहाके स्थिति समान्य अछि ।

महाशिवरात्री पावनि आइ घुमघामके सँग मनाओल जाऽरहल


जनकपुर, फागुन १८ । महाशिवरात्री पावनि आइ घुमघामके सँग मनाओल जाऽरहल अछि ।

जनकपुर, काठमाण्डौ सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न शिबालय तथा महादेब मन्दिरसबमे दर्शन करबाकलेल आइ भोरेसँ श्रद्बालु भक्तजनसभहक भीड लागल अछि । जनकपुरक शिव चौकके शिब मन्दिर, कपिलेश्वरके कपिलेश्वरनाथ महादेबमे भोरेसँ दर्शन करबाकलेल श्रद्बालु भक्तजनसभहक भिड लागल अछि । तहिना जलेश्वरके जलेश्वर नाथ महादेव मंदिर आ भारतक कल्यानेश्वर शिवालयसभमे भक्तजनसभहक भिन्सरेसँ भिड देखलगेल अछि । एम्हर, अहि अबसरमे ब्रम्हाकुमारी राजयोग सेवा केन्द्र जनकपुरमे शोभा यात्रा निकाललक अछि ।

अहिना, राजधानीके पशुपति नाथमे भोरेसँ दर्शन करबाकलेल नेपाल तथा भारतक श्रद्बालु भक्तजनसभहक भीड लागल अछि ।

महाशिवरात्रीमे श्रद्बालु भक्तजनसभ दिनभरि उपबास रहि कऽ साँझमे फलफुलके फलहार कऽ शिवरात्री मनबैत अछि। शिवरात्री पावनि कएलासँ अपन मनोकाँक्षा पुरा होएबाक बिश्वास रहल अछि।

एहिबीच, राष्ट्रपति डा रामबरण यादव आ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल पशुपतिनाथक दर्शन कएलनि अछि ।
ओम्हर , भारतक राज नगर थानाके भक्तसिमरमे निलमणि नाथ महादेब मन्दिरमे दरभँगा रेडियोके कलाकारद्बारा प्रेम सागरक भजन कार्यक्रम भ रहल अछि ।

अहिबिच, आइए नेपाली सेना दिवस देशभरि घुमघामके सँग मनाओल जाऽरहल अछि । सेना दिवसक अवसरमे राजधानीक टुडिखेलमे सेना विशेष कार्यक्रमक आयोजना कएने अछि । ओ समारोहमे राष्ट्रपति आ प्रधानमन्त्रीके सहभागी होएवाक कार्यक्रम रहल अछि । प्रत्येक बर्ष शिवरात्रीक दिन नेपाली सेना दिवस मनबैत आबि रहल अछि।

पाकिस्तानी मन्त्रीके गोली मारि कऽ हत्या


काठमाडौ, फागुन १८ । अल्पसंख्यक सम्बन्धी पाकिस्तानी मन्त्री शाहवज् भाट्टीके पाकिस्तानक राजधानी इस्लामावादमे आइ गोली मारि कऽ हत्या कएलगेल अछि ।

बीबीसीके अनुसार ओ चढल कारमे अन्धधुन्ध रुपसँ चलाओलगेल गोलीसँ हुनक मृत्यु भेल अछि ।

ओ कामके सिलसिलामे जाँ रहल समय गोली मारल गेल पुलिस जनौलक अछि ।

क्रिश्चियन भट्टीके अहिस आगु सेहो मुस्लिम अतिवादीसबहक दिसस जान मारयके धम्की आएल बताओलगेल छल ।

अमरीकी रक्षा मंत्री लीबिया पऽ कार्रवाई करय लेल असहमत


अमरीका , फागुन १८ । अमरीकाके रक्षा मंत्री रोबर्ट गेट्स लीबियाके बिरोधमे ‘उड़ान निषेधित क्षेत्र’ जेहन सैन्य कार्रवाही करबाक चेतावनी देलनि अछि ।

लीबियाके नेता कर्नल गद्दाफ़ी प आरोप छन्हि जे ओ प्रदर्शनकारी उपर वायु सेनाके प्रयोग केने छलथि जाहीलेल लीबियाके उड़ान निषेधित क्षेत्र घोषित करयके बात भरहल अछि ।

अमरीकी रक्षा मंत्रीके कहब छन्हि जे हालके संयुक्त राष्ट्रक प्रस्तावमें लीबियाके बिरुधमे सैन्य कार्रवाहीके अनुमति नहि देल गेल अछि ।

अहिस पहिने अमरीकी विदेश मंत्री हिलेरी क्लिंटन लीबियाके आसपासके क्षेत्रके ‘उड़ान निषेधित क्षेत्र’ घोषणा करयके बात कहने छलथि ।

मुदा अमरीकाके केंद्रीय कमानक मुखिया जनरल जेम्स मैटिस साफ़ शब्दमे कहलनि जे निषेधित क्षेत्र स्थापित करय लेल लीबियाके वायु सेनाके क्याम्पसबके ध्वस्त करय परत ।

ओम्हर फ्रांस आ इटली बतौलक अछि जे कोनो किसिमक सैन्य कार्रवाही संयुक्त राष्ट्रके प्रस्तावके बिना नहि करबाक चाही ।

चीन आ रूस सेहो एहन काजक विरोध केलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन