Sunday, November 06, 2011

भगौडा लडाकूके सैनिक ऐन लागत


२० कात्तिक, काठमाडौँ । नेपाली सेनाक महानिर्देशनालय अन्तर्गत समायोजन हाएत कहलगेल माओवादी लडाकूसब तालिमके क्रममे बीचेमे भागत तऽ ओकरासब उपर सैनिक ऐन लागत नेपाली सेनाक अधिकारी बतौलक अछि ।

नेपाली सेनाक एक उच्च अधिकारी कहलनि जे- ‘समायोजनके लेल तालिम आ ब्रिजिङ कोर्ष शुरु भऽ गेलाबाद तालिम छोडि कऽ भगला पर ओकरासब उपर भगौडा अन्तरगत सैनिक ऐन बमोजिम कारवाही हाएत ।’ मुदा, तालिम, कोर्ष पूरा कऽ क प्रक्रियामे आबिगेलाबाद लडाकूसब सेहो नेपालीके बेटाबेटी भेलासँ मोहन वैद्य पक्ष कहने जका वनपालेमे मात्रे सीमित नहि भऽ आरो सेनासरह वृत्ति विकास करय, प्रमोशन होबय आ सिंहदरबार या शान्ति सेनामे जाएके लेल ओकरासब उपर कोनो भेदभाव नहि हाएत ओ बतौलनि ।

तत्कालक लेल वन सुरक्षा, औद्योगिक सुरक्षा आ दैवीप्रकोपमे खटाओत कहलगेल होइतो भविश्यमे ओसब सिंहदरबार या हेडक्वाटरमे खटय नहि पाओत से अखने कहल नहि जा ऽ सकैय ओ बतौलनि ।

सेनामे १० हजार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ छोडबः गच्छदार


२० कात्तिक, राजविराज । उपप्रधानमन्त्री विजयकुमार गच्छदार नेपाली सेनामे १० हजार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ छोडब बतौलनि अछि ।

सप्तरीके बरमझियास्थित सशस्त्र प्रहरीके दन्तकाली गणके निरीक्षणके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत गच्छदार मधेसीके सामूहिक प्रवेश कराइए कऽ अलगे मधेसी रेजिमेन्ट कायम कएल जाएत बतौलनि ।

‘रक्षान्त्रीके हैसियतसँ नेपाली सेनामे १० हजार मधेसी युवाके समावेश हम कराएब’ रक्षामन्त्रीक समेत कार्यभार सम्हारैत आएल गच्छदार कहलनि-’अहि सम्वन्धमे कांग्रेस-एमालेसँग अपिल कऽ चुकल छी, माओवादीसँ तऽ हमरासबहक सम्झौते भऽ गेल ।’ओ सेनाके लोकतान्त्रीकीकरण करय लेल सब जातजातिके सेना बनेनाइ आवश्यक रहल सेहो बतौलनि ।

फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष समेत रहल उपप्रधानमन्त्री गच्छदार माओवादीसँग भेल ४ बुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती कहयबलाके ‘इटके जवाफ पत्थरसँ देबयके’ चेतावनी देलनि ।

दलसबसँग शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण बाहेक कोनो विकल्प नहि रहल कहैत ओ संविधानसभाक म्याद अन्तिम बेरक लेल छ महिना म्याद थपब सेहो बतौलनि । ओ सातबुँदे सहमति कडाइके साथ कार्यान्वयन करय गृह प्रशासन लागि परत बतौलनि ।

राजनीतिक उद्देश्य लेने सशस्त्र समूहसँग वार्ता कऽ राष्ट्रिय राजनीतिके मूलधारमे लाबय सरकार प्रयासरत रहल बतबैत उपप्रधानमन्त्री गच्छदार कहलनि-’राजनीतिक आवरणमे अपराध करयबला सशस्त्र समूहसँग कोनो वार्ता नहि हाएत, ओकरासब उपर कारबाही कएल जाएत।’

बिभिन्न राजनैतिक दलसब भर्तस्ना केलक


२० कातिक जनकपुर । जनकपुरमे आइ होबयबला एक बैसारमे कार्यकारी अधिकृतक उपस्थिति नहि भेलासँ बैसार स्थगित करय परल कहैत बिभिन्न राजनैतिक दलसब भर्तस्ना केलक अछि ।

राजनैतिक दलक प्रतिनिधिसबहक माँग बमोजिम  सर्बदलिय सँयन्त्रके २ बुन्दे माँग राखि बुझाओलगेल ज्ञापन पत्र अनुसार आइ बैसल बैसारमे जनकपुर नगरपालिकाक कार्यकारी निर्देशक सुर्य कान्त झा के उपस्थित होबयके छल । मुदा झा अनुपस्थित भेलाबाद जनकपुर नगर पालिकाक इन्जिनियर बिरेन्द्र यादवक  अध्यक्षतामे बैसल बैसार का्र्यकारी अधिकृत झा के अनुपस्थिति रहल कहैत बैसार स्थगित भेल छल ।

सँगहि ओ बैसारमे झा उपस्थित नहि भऽ तुक्ष ब्यबहार देखौने आ दलिय प्रतिनिधिके अवहेलना केने कहैत घोर भर्तस्ना करैत बिज्ञप्ति जारी कएल गेल अछि । करिब डेढ दर्जन दलक प्रतिनिधिद्धारा हस्ताक्षरित बिज्ञप्तिमे हाल कर्मचारीसबहक मिलीभगतमे जनकपुर नगर पालिकामे भऽ रहल ब्यापक अनियमितता बिरुद्ध राजनैतिक दलक प्रतिनिधिसब भण्डाफोर, सँघर्ष आ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगमे बिमर्श कऽ कार्य योजना आगु बढाबय जाऽ रहल उल्लेख अछि । 

सदस्यसब विदेश गेलाबाद विशेष समितिक बैसार स्थगित


२० कात्तिक, काठमाडौं । सेना समायोजन विशेष समितिके आजुक बैसयबला बैसार स्थगित भेल अछि । विशेष समितिक अधिकांश सदस्यसब विदेश भ्रमणमे रहलासँ बैसार स्थगित कएलगेल अछि ।

विशेष समितिक सदस्यसब इश्वर पोखरेल, डा. रामशरण महत, जेपी गुप्ता आ जितेन्द्र देव देश वाहर छथि । आजुक बैसारमे सचिवालय माओवादी लडाकूसबहक पुनःस्थापना प्याजेकके विस्तृत कार्ययोजना पेश करयके कार्यसूची छल ।

शुक्रदिन बैसल विशेष समितिक बैसारसँ दु दिन भितर पुनःस्थापना प्याकेजके विस्तृत कार्ययोजना पेश करय सचिवालयके निर्देशन देने छल । दलसबबीच भेल सातबुँदे सहमतिमे पुनःस्थापनामे जाएबलासबके शिक्षा, तालिम तथा व्यवसायिक अवसरसबहक प्याकेजके विकल्प देबयके उल्लेख अछि । एहन प्याकेज ६ सँ ९ लाखधरिके हाएत ।

सेना समायोजन विशेष समिति कार्तिक ३० गतेसँ लडाकूसबहक पुनःवर्गिकरण करयके निर्णय अहिसँ आगुए कऽ चुकल अछि ।

विद्या वालन







‘देशेमे रहि कऽ काम करुः प्रधानमन्त्री


काभ्रे , कार्तिक २० । प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई प्रत्येक साल पैघ संख्यामे दक्ष जनशक्ति बिदेश पलायन भऽ रहल प्रति चिन्ता व्यक्त करैत देशेमे रहि कऽ काम करय आग्रह कएलनि अछि ।

काठमाडौं विश्वविद्यालयके सत्रहम् दीक्षान्त समारोहमे दीक्षित बिद्यार्थीके सम्बोधन करैत आइ ओ इ आग्रह कएलनि अछि ।

शान्ति प्रक्रिया तार्किक निष्कर्षमे पहुँचय लागल बतबैत भट्टराई शान्तिके बाद दक्ष जनशक्तिके आबश्यक्ता परलासँ अवसर आ कामके खोजीमे बिदेश पलायन नहि भऽ देशेमे रहि कऽ काज करय बिद्यार्थी बिच आग्रह कएलनि ।

चालक औँघेलासँ बस दुर्घटना, दु गोटेके मृत्यु


दाङ, कार्तिक २० । दाङमे आइ भेल बस दुर्घटनामे परि २ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अन्य सात गोटे घाइल भेल अछि ।

मनकामना भ्रमणसँ दाङ घुरिरहल रा १ ख ५१८ नम्वरक वस पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत दाङके चैलाही-१ अर्नहवा पुलमे दुर्घटना भेलासँ दु यात्रुके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे बस चालक हलवार १ पर्सेनीके २८ वर्षक युवराज विक आ सहचालक मानपुर-१ के २४ वर्षक पर्वत रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय लमहीक प्रहरी निरीक्षक हरिदास श्रेष्ठ जानकारी देलनि ।

दुर्घटनामे नारायणपुरके सिता सिजवाल, सुवास खड्का, लक्षमण शाह, ढिकपुरके सुनिल विक, नारायणपुर-४ चाँगुके सिता केसी घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि ।

घाइलसबके प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र लमहीमे प्राथमिक इलाजक बाद थप इलाजक लेल नेपालगञ्ज रेफर कएल गेल अछि । बस चालक औघेलासँ दुर्घटना भेल यात्रुसब बतौलक अछि ।

बसमे २७ यात्रु सवार छल । बस सडकसँ ५० मिटर निचा  पुलके निचा खसल छल ।

छ महिनाभितर संविधान जारी हाएतः आचार्य


२० कात्तिक, काठमाडौं । संवैधानिक समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य ६ महिना भितरमे संविधान जारी हाएत दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सभापति आर्चाय कार्तिक १५ गतेके सम्झौताबाद दलसब सहमतिके बाटमे आगु बढलासँ ६ महिनाभित्रेमे संविधान जारी हाएत दावी कएलनि ।

संविधान जारी करय ६ महिना संविधानसभाके म्याद थपय परत कहैत ओ कहलनि जे बाँकी छ महिनामे चुनाव कऽ क लोकतान्त्रिक ब्यवस्था संस्थागत हाएत ।’ राज्य पुर्नसंरचनाक लेल विज्ञसबहक समिति गठन करयके सहमति भऽ चुकल कहैत सभापति आचार्य निर्वाचन प्रणाली आ शासकीय प्रणालीमे समेत मिश्रित प्रणाली होबयके विषयमे दलसब सहमति नजदिक पहुँचगेलासँ आगामी ६ महिनामे संविधान जारी कएल जा सकैय हुनक तर्क छलनि ।


जनजाति महासंघक दोसर राष्ट्रिय भेला २४ गते


२० कात्तिक, काठमाडौं । नेपाल आदिवासी जनजाति महासंघक दोसर राष्ट्रिय भेला कार्तिक २४ गते सिन्धुपाल्चोकके चौतरामे होबय लागल  अछि ।

दु दिनधरि चलयबला राष्ट्रिय भेलासँ आदिवासी जनजातिके अधिकार सुनिश्चित भेल संविधान अगहन १४ गते जारी कराबय दबाव तथा परिणाममुखी आन्दोलन कार्यक्रमसब तय कएल जाएत ।

भेलामे आई एल ओ १६९ के कार्यन्वयन कराबय रणनीति तयार करयके सँगहि जनगणना २०६८ के परिणाम, निर्वाचन आयोगसँ वितरित मतदाता परिचयपत्र बारे समिक्षा हाएत । वर्तमान राजनीतिक अवस्थाबारे साझा अवधारणा तयार करैत आदिवासी जनजातिके अधिकार सम्बन्धि घोषणापत्र तयार कऽ क जारी कएल जाएत ।

विश्व साइकलयात्री दाहाल बेलायतमे भेटघाटमे व्यस्त


२० कातिक लण्डन । शान्तिके अग्रदुत गौतम बुद्ध नेपालमे जन्म भेल, विश्व शान्ति, सबके लेल समान शिक्षा आ वातारण प्रदुषण रोकयके नाराके साथ बिश्व साइकल यात्रामे निकलल सौरभ दाहाल हाल बेलायतमे भेटघाटमे व्यस्त छथि ।

बेलायत फोक्सटन क्षेत्र आ ब्रीटिश क्याम्पमे रहल नेपालीसबसंग अपन यात्राके मुख्य उद्धेश्यके वारेमे वतारहल दाहाल बेलायतके बि्रटिश बोर्डकाष्ट रेडियोमे तिन घण्टा अन्तरबार्ता दऽ क गौतम बुद्ध ,सगरमाथा आ विश्व शान्तिबारे अपन धारणा रखने छलथि ।

अष्ट्रलियासँ बेलायत पहुँचल दहालके बेलायतके लन्डन ,स्कटलेण्ड आयरलेण्ड होइत पाँच महिनाबाद फ्रान्स जएबाक कार्यक्रम अछि ।

नव निर्मित भवनक उद्घाटन


२० कातिक जनकपुरधाम । धनुषाक लक्ष्मीपुर बगेवा ९ स्थित  श्री राष्ट्रिय प्राथमिक बिद्यालय निकालमे आइ नव निर्मित भवनक उद्घाटन कएल गेल अछि ।

जापानक दाता मुनरो मासुदा आ रोजी कोभीके आर्थिक सहयोग तथा स्थानिय जगदेव यादवक जमिनक सहयोग पर नव निर्मित भवनक आइ उद्धघाटन कएल गेल अछि ।

उद्धघाटन कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि डा चन्द्र मोहन यादव आ दाता मुनरो मासुदाक उपस्थितिमे सम्पन्न भेल छल ।

प्रधानसेनापति चीन भ्रमण पूरा कऽ स्वदेश फिर्ता


२० कात्तिक, काठमाडौं । प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ चीन भ्रमण पूरा कऽ आइ स्वदेश घुरल छथि । चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक प्रमुख चेन विङदेके निमन्त्रणमे १३ गते ओइदिस प्रस्थान कएने छलथि ।

भ्रमणक क्रममे नेपाली सेनाक छाउनीस्थित वीरेन्द्र अस्पतालके आधुनिक उपकरणसबसँ सुसज्जित करय ४ करोड ९० लाख चिनियाँ युआन अर्थात करिब ६० करोड २७ लाख बराबरके सैनिक सहयोग उपलव्ध कराबयके प्रोटोकलमे हस्ताक्षर भेल छल ।

प्रधानसेनापति गुरुङ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक उच्च अधिकारीसबसँ भेटवार्ता कएने छलथि तऽ विभिन्न गणक अवलोकन भ्रमण कएने छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन