Tuesday, October 04, 2011

महाष्टमी पूजा में राशिनुसार आसन राखु


मेष राशि : लाल ऊनके आसन पर बैस कऽ लक्ष्मी पूजन करु ।

वृषभ राशि : सफेद चमकीला रंगके आसनके प्रयोग लक्ष्मी पूजन में करु ।

मिथुन राशि : हरियर रंगके आसन के प्रयोग करु ।

कर्क राशि : उजर ऊनके आसनके प्रयोग करु ।

सिंह राशि : हल्का गुलाबी रंगके आसनके प्रयोग करु ।

कन्या राशि : हल्का हरियर रंगके आसनके प्रयोग करु ।

तुला राशि : चमकीला सफेद रंगके आसनके प्रयोग करु ।

वृश्चिक राशि : हल्का लाल रंगके आसनके प्रयोग करु ।

धनु राशि : सुन्तला रंगके आसनके प्रयोग करु ।

मकर राशि : आसमानी रंगके आसनके प्रयोग करु ।

कुंभ राशि : फिरोजी रंगके आसनके प्रयोग करु ।

मीन राशि : पीयर रंगके आसनके प्रयोग करु ।

तालिबान पाकिस्तान सँ बातचीत नहि करत


१७ आसिन एजेन्सी । चरमपंथी गुट तहरीके तालिबान पाकिस्तान सँ बातचीत नहि करब बतबैत बातचीत करयके कोनो फ़ैसला नहि केने बतौलक अछि ।

तालिबानक वरिष्ठ नेता मौलवी फ़क़ीर मोहम्मद  बीबीसी सँ बातचीत करैत कहलनि जे क़बायली इलाक़ामे शांति स्थापित करय लेल ओ पाकिस्तानसँ बातचीत नहीं करत किया तऽ पाकिस्तान एक स्वतंत्र देश नहि अछि ।

ज्ञातब्य जे किछ दिन पहिने प्रधानमंत्री यूसुफ़ रज़ा गिलानी  एक उच्च स्तरीय बैसारमे घोषणा केने रहथि जे कि ओ क़बायली इलाक़ामे रहल चरमपंथीसँ बातचीत करताह ।

सोमालियामें बिष्फोट, ५० गोटेके मृत्यु


१७ आसिन सोमालिया । सोमालियाके राजधानी मोगादिशू में सरकारी भवनके बाहर भेल एक आत्मघाती बम बिष्फोटमे कम सँ कम ५० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ५० गोटे घाइल भेल अछि ।

श्रोतक अनुसार ज़मीन पर शव के पथार लागल अछि । घटनास्थल सँ घायल लोगसब मदतके लेल भागल छल । जखन कि सेनासब बिना कोनो  निशाना लगेनेही हवामें गोली चलौलक अछि ।

एकटा इस्लामी चरमपंथी संगठन अल-शबाबके एकटा प्रवक्ता अहि हमलाके ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।

सोमालियाके एंबुलेंस सर्विसके संयोजक अली मूसे समाचार एजेंसीके बतौलनि जे, "हमसब बहुत शव निकाल्ने छलौ तयियो घटनास्थल पऽ बहुत घाइल अखनो अछि । घायल भेलसबहक देह झरिक गेल अछि ।

मृत्यु होबयबलासबमे छात्र, सैनिक आ आम नागरिक रहल अछि ।

जनविश्वास जितय माओवादीसँ कोइरालाके सुझाव


नेपालगन्ज, आश्विन १७ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला माओवादीके शान्ति आ संविधानक पक्षमे जनबिश्वास होबय जका काज करय सुझाव देलनि अछि । ओ माओवादी शान्ति आ संविधानक पक्षमे छी कहि प्रतिवद्धता जनैबतो ‌ओ ब्यवहारमे नहि देखलगेल टिप्पणी कएलनि ।

नेपालगन्जमे आइ दशमी, शुकराती, छठि आ इदुल फित्रके अवसरमे आयोजित  चायपान समारोहमे बजैत कोइराला विश्वासके मत जितयके  काम नहि करयधरि माओवादीके बिश्वास कएल नहि जा सकैय बतौलनि  । 

माओवादी कब्जा केने  जमिन फिर्ता, वाइसियलके अर्धसैनिक बल विघटन, पिपुल्स भोलेन्टिएर आ क्रान्तिकारी परिषद विघटन केलाबादे विश्वासके मत जितय सकत हुनक कहब छलनि ।

ओ नेपाली कांग्रेसक लेल शान्ति आ संविधान पहिल प्राथमिकता भेलासँ ओइके लेल  हदैधरिके लचकता अपनौने दावी केलनि । चायपान कार्यक्रममे बांकेके प्रमुख जिल्ला अधिकारी, प्रहरी प्रमुख, विभिन्न राजनीतिक दलक नेता एवं संचारकर्मीके उपस्थिति छल । केन्द्रीय सदस्य शेरबहादुर देउवा राजीनामा देलाबाद उत्पन्न  बिवादके सम्बन्धमे कोईराला कोनो प्रतिकृया नहि देलथि । 

बिल पारित नहि भेल तऽ फेउरसँ अनशन करयके अन्नाके धम्की


१७ आसिन भारत । जनलोकपाल विधेयकके समर्थन में आंदोलन कऽ रहल अन्ना हज़ारे संसदके शीतकालीन सत्रमें प्रभावी लोकपाल विधेयक पारित नहि भेल तऽ फेउर सँ अनशन करयके चेतावनी देलनि अछि ।

ओ कहलनि जे जँ कांग्रेसके नेतृत्त्व बला केंद्र सरकार अहि बिषयमे कारबाही नहि केलक तऽ सब चुनावमें कांग्रेस उम्मेदवारके विरोध करयके अपील कएल जाएत ।

अन्ना हज़ारे बतौलनि जे ओ उत्तर प्रदेश चुनाव सँ तीन दिन पहिने ओतय अनशन पर बैसताह ।

क्वेटामें शिया मुसलमान पऽ हमला, १२ गोटेके मृत्यु


१७ आसिन पाकिस्तान । पाकिस्तानके दक्षिण पश्चिमी शहर क्वेटाके बाहरी इलाक़ामे आइ भेल एक हमलामें कम सँ कम १२ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

एक अज्ञात हतियारधारी समुह एकटा बसक यात्रु पर चलौने अन्धाधुन्ध गोली लागि १२ गोटेके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलमे बेसी गोटे शिया मुसलमानके लोग रहल बताओल जा रहल अछि । ओ समुह पहिने एकटा बसके रोकि कऽ सब यात्रुके निचा उतारने छल आ बादमे अन्धाधुन्ध गोली चलौने छल । अहि घटनाके सामुदायिक हिँसास जोडि कऽ देखल जा रहल अछि ।

आबयबला फिल्म : रास्कल्स


दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु, ८ घाइल


१७ आसिन, काठमाडौँ । नेपालगञ्ज-कोहलपुर सडकखण्ड अन्तर्गत बाँकेके कारकाँदोमे आइ भिन्सर  सशस्त्र प्रहरीके गाडी आ निजी जिप एक आपसमे ठोकरएलासँ एक गोटेके मत्यु भेल अछि तऽ अन्य सात गोटे घाईल भेल अछि ।

दुर्घटनामे बाँके बनकटुवा-९ सम्झनाचोकके २५ वर्षक रेशम खत्रीके मृत्यु भेल अछि । नेपालगन्जसँ कोहलपुर जाऽ रहल सशस्त्र प्रहरीके बा १ झ ६९३१ नम्बरक गाडी आ कोहलपुरसँ बागेश्वरी मन्दिरके दर्शनके लेल जाऽ रह लु १ ज १५७ नम्बरक निजी जिप एक आपसमे ठोकरा कऽ दुर्घटना भेल अछि । घाईल मेसँ किछके भेरी अञ्चल अस्पताल आ किछके शिक्षण अस्पताल नेपालगञ्जमे इलाज भऽ रहल अछि ।

ओम्हर सर्लाहीके नवलपुरमे यात्रु बस टायरगाडीके ठक्कर देलासँ शासापुर-४ के सबनमलाल रायके मृत्यु भेल  पुलिस जनौलक अछि । काठमाडौँसँ कटारीदिस जाऽ रहल ना ३ ख ७०६ नम्बरक बस रायके पुर्वपश्चिम राजमार्गके नवलपुरमे ठक्कर देने छल ।

ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल रायके इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल अछि । ठक्कर देनिहार बस आ चालकके नियन्त्रणमे लेल गेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अछि ।

अहिना चितवनके कविलास-२ चौधकिलोमे बितल राति गाडीके ठक्करसँ एक गोटे घाईल भेल अछि । नम्बर खुजय नहि सकल गाडीके ठक्करसँ अन्दाजी २५ वर्षक सीता तामाङ घाइल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि । घाइल तामाङके भरतपुर मेडिकल कलेजमे इलाज भऽ रहल अछि ।

मधेशके भड्काबयके प्रयास भऽ रहलः गच्छदार


विराटनगर, आश्विन १७ । माओवादी आ मधेसी मोर्चाके गठबन्धन राष्ट्रहीत विपरीत भेल अभिब्यक्ती देबयबला एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल आ माओवादी नेता मोहन वैद्य किरण मधेसके भड्काबय चाहने आरोप उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार लगौलनि अछि ।

गठबन्धके राष्ट्रहीत विपरीत कहयबलासब अराजक आ अराजनीतिक रहल बतबैत गच्छदार ओइ सँ मधेसक भावनामे चोट पहुँचल बतौलनि ।

मन्त्रीपरिषदक बैसारसँ राष्ट्रिय सहमतिके आधारमे आगु बढ्यके निर्णय समेत केने ओ बतौलनि । ओइके लेल नेपाली काँग्रेस आ एमालेसँ आग्रह केने ओ बतौलनि । ओ दुनु पार्टीसंग शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल सरकारमे सहभागि होबयके विकल्प नहि रहल सेहो बतौलनि ।

शान्ति स्थापनाके लेल दशैं भितरे ठोस गृहकार्य कऽ दशैं पाछुए शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके योजना रहल सेहो गच्छदार प्रष्ट केलनि । ओ कहलनि जे सेना समायोजनके मोडालिटीमे सहमति भेलाबाद समायोजनके शुरुवात हाएत । नेपाली सेनाके समावेशी बनाबय मधेसक १० हजार युवाके सेनामे भर्ति करयके सहमति भेल जानकारी दैत गच्छदार एके बेर नहि भऽ बेर बेर कऽ ओ पूर्ति कएल जाएत बतौलनि । ओ कहलनि अहिठाम १० हजारके बात नहि अछि । सरकार प्रक्रिया सुरु करत तऽ ओ प्रक्रिया ५ हजार या ३ हजारसँ सेहो होबय सकत।

पूर्वके विभिन्न शक्तीपीठसबमे भ्रमण, पूजाअर्चना आ कार्यकर्ता विच भेटघाट कार्यक्रम समाप्त कऽ गच्छदार काल्हि राजधानी घुरताह ।


दशमीक आइ अष्टमीक दिन बलि प्रदान कएल जाएत


१७ आसिन जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ अष्टमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ महागौरीके पुजा पाठ भऽ रहल अछि ।

पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे पुजा करय तथा प्रसाद चढाबय लेल आधा रातिएसँ श्रद्धालुसब लाइनमे लागल देखल गेल अछि । आन सालक अपेक्षा अहिबेर जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे श्रद्धालुसबहक बेसी भिड देखल गेल अछि । एम्हर महिलासबके खोँचि भरय लेल सेहो पँघ भिड देखल गेल अछि ।

शक्ति स्वरुपा माता महागौरीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता महागौरीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।

अहिना आइ साँझमे निशा पुजा कएल जाएत । तत्पश्चात निशा पुजाके बाद दुर्गा मन्दिरसबमे खसीके बली देल जाएत । जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे आइ साँझ पौने ७ बजे स बलि देल जाएत स्थानिय महाबिर युवा कमिटी जनौलक अछि ।  बली प्रदान करय लेल आन साल २ टा ठेहाके बब्यबस्था रहितो खसी चढाबयबलासबके बेसी भिडके ध्यानमे रखैत अहिबेर ४ टा ठेहाके ब्यबस्था कएल गेल अछि । एक मिनेटमे ५० टा सँ बेसी खसी चढाओल जाएत बताओल गेल अछि । खसी चढाबय लेल पडोसी देश भारतसँ सेहो पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब प्रत्येक साल आबिरहल पुजा कमिटी जानकारी देलक अछि । बितल साल करिब साढे १२ हजार बलि प्रदान भेलासँ अहिबेर करिब १५ हजारधरि बली राजदेवी मन्दिरमे चढय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर बौधी माताक मन्दिर  सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । भिडभाडके ध्यानमे रखैत बिभिन्न स्थानमे सुरक्षा ब्यबबस्था सेहो कडा बनाओल गेल अछि ।

राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन