Thursday, November 03, 2011

सातबुँदे अक्षरशः पालना करय सहयोग करयके लडाकूसबहक प्रतिवद्धता


१७ कात्तिक, काठमाडौं । माओवादी सेनाक लडाकु कमाण्डरसब दलसबबीच भेल सातबुँदे सहमतिके अक्षरशः पालना करय अपनासब सहयोग करयके प्रतिवद्धता जनौलक अछि ।

माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डक निवास नयाँबजारमे बैसल बैसारसँ सहमति कार्यान्वयन करय सहयोग करयके निर्णय केने लडाकु कमाण्डर नन्द किशोर पुन बतौलनि । हुनका अनुसार दलसबबीच मङ्गलदिन भेल सहमतिके बारेमे बिमर्श भेल आ ओइके कार्यान्वयन कराबय अपन सब निकायके परिचालन करयके निर्णय केलक अछि ।

पासाङके अनुसार बैसारमे लडाकु शिविरके सातो डिभिजनके कमाण्डरसबहक उपस्थिति छल । बैसारसँ समायोजन, पुनःस्थापन आ लडाकुसबहक वर्गीकरणके लेल जाएबला प्राविधिक समितिक सदस्यसबके केना कऽ सहयोग कएल जाए सम्बन्धमे सेहो बिमर्श भेल लडाकुके प्रवक्ता चन्द्रप्रकाश खनाल बतौलनि ।

बैसारसँ सेना समायोजन आ पुनःस्थापनाके विषयमे कएलगेल सहमतिके पक्षमे सब लडाकुसब रहल आ ओइमे शङ्का नहि करय सम्बद्ध सब पक्षसँ अनुरोध समेत कएलगेल खनाल बतौलनि ।

४० लाख नक्कली भारतीय रुपैयाँ सहित पाक नागरिक पक्राउ


काठमाडौं, कार्तिक १७ । करिब ४० लाख नक्कली भारतीय रुपैयाँ सहित एक पाकिस्तानी नागरिक त्रिभूवन विमानस्थलसँ गिरफ्तार भेल अछि ।

पाकिस्तानसँ ओमान होइत बितलराति ८ बजे काठमाडौं आएल पाकिस्तानी नागरिक मोहम्मद ३९ लाख ९० हजार नक्कली भारतीय रुपैयाँ सहित गिरफ्तार भेल अछि। मुदा ओकर पूरा परिचय नहि खुलाओल गेल अछि ।

गिरफ्तार भेल ओ पाकिस्तानी नागरिक कपडाके कार्टुन भितर नक्कली नोट नुकौने विमानस्थल प्रहरी स्रोत जनौलक अछि ।

पछिला विवादसँ माओवादी नहि फुटतः प्रचण्ड


१७ कात्तिक, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड पछिला समय उत्पन्न भेल विवादसँ अपन पार्टी नहि फुटत दावी कएलनि अछि ।

दलसबबीच सातबुँदे सहमति भेलाबाद आइ बैसल व्प्यवस्थापिका संसदक बैसारके सम्वोधन करैत माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सातबुँदेबारे उत्पन्न विवादसँ माओपादी नहि फुटत दावी कएलनि ।

प्रचण्ड सल्लाह कऽ क संस्थापन पक्ष सहमति करैत आएल आ वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्षक विरोध करैत आएल कहि नेतासबहक आशंका सेहो गलत रहल बतौलनि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड ककरो दलभितर अन्तरद्धन्द्ध पैदा करयमे नहि लागय समेत सबसँ आग्रह कएलनि । दलसबबीच भेल सातबुँदे सहमति संक्रमणकालके एक चरण पार केने घोषणा भेल कहैत ओ अहिके अक्षरश कार्यान्वयन होबय परत बतौलनि । सातबुँदेके कायार्नन्वयनसँ निकालयबला परिणाम राष्ट्र आ जनताक लेल दुरगामी महत्व राखत हुनक कहब छलनि ।

सार्क टि-२० कप क्रिकेटमे नेपालक पहिल जित भारत ६ विकेटसँ पराजित


१७ कात्तिक, काठमाडौं । मालदिभ्समे जारी २५ वर्ष निचाके सार्क टि-२० कप क्रिकेटमे नेपाल पहिल जित हासिल केलक अछि । आइ भेल अपन दोशर खेलमे कप्तान पारस थापा आ ज्ञानेन्द्र मल्ल सम्हारने पारीके मदतसँ नेपाल भारतके ६ विकेटसँ हराबय सफल भेल अछि ।

भारतक प्रतिनिधित्व केने क्षेत्रिय टिम कर्नाटक ईन्स्टिच्यूट अफ क्रिकेटक टोली जितयके लेल देने २ सय १९ रनक लक्ष्य नेपाल अन्तिम बलमे ४ विकेट गुमा कऽ पुरा केने छल।

कप्तान पारस खड्का अन्तिम बलमे छक्का प्रहार करैत नेपालक जित सुनिश्चित केलनि । ओ ६३ रनमे अविजित रहलनि तऽ तीन विकेट सेहो लेने पारस म्यान अफ द म्याच घोषित भेलनि । अहिना ज्ञानेन्द्र मल्ल ५६ रनक योगदान देलनि ।

अहिसँ आगु पहिने ब्याटिङ केने कर्नाटक ईन्स्टिच्यूट अफ क्रिकेट टिम २० ओभरमे ४ विकेटक क्षतिमे २ सय १८ रन बनौने छल । कोनो समय तीन विकेटक क्षतिमे ३७ रन बनौने भारतके पारीके राहुल आ निसान्तके जोडी विस्फोटक व्याटिङ करैत उकसौने छल । राहुल सतक पुरा करयसँ मात्र एक रनसँ चुकल छलथि ।

ओ ९९ रनमे अविजित रहलथि तऽ निसान्त ४३ रनमे आउट भेलथि । नेपाल आब शनिदिन समूह चरणके अपन अन्तिम खेलमे पाकिस्तानसँग खेलत ।

मोटरसाइकल दुर्घटनामे दु पर्यटकके मृत्यु


१७ कात्तिक, हेटौँडा । मकवानपुरक पर्यटीय क्षेत्र दामन लग आइ भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे परि दु विदेशी पर्यटकके मृत्यु भेल अछि ।

बा ४१ प ८८४४ नम्बरक मोटरसाइकल दुर्घटना भेलासँ नेपाल घुमय आएल न्युजिल्याण्ड नागरिकद्वय प्यस्ट्रोफर आ क्यारोलके मृत्यु भेल दामन पुलिस जनौलक अछि । उच्च गतिके कारण ओसब सवार मोटरसाइकल सडकसँ उनिट कऽ दुर्घटना भेलासँ घटनास्थलेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । ओसब घुमय जाऽ रहल समय  दामन पहुँचल बताओलगेल अछि ।

दुनुके शवके राजधानी पठाओल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मकवानपुर जनौलक अछि ।

मैथिलि साहित्यकार बर्माक निधन


१७ कातिक जनकपुरधाम । मैथिलि साहित्यकार बद्री नारायण बर्माक निधन भेल छन्हि ।

साहित्यकार बर्माके ८० बर्षक उमेरमे काठमाण्डौँमे निधन भेल हुनक पारिवारिक श्रोत जनौलक अछि । महोतरीके धबौली गाम रहल बर्माके मैथिली साहित्यमे पैघ योगदान छलन्हि ।

ओ भानुभक्तद्धारा लिखित रामायणके मैथिलीमे अनुवाद कएने छलथि । अहिना  बिक्रम सम्बत २००७ सालमे पहिल हस्त लिखित मैथिली पत्रिका सेहो प्रकाशित कएने छलथि । अहि लगायत मैथिली साहित्यमे ओ आरो कृतिसब प्रकाशित कएने छलथि ।

हुनक निधनप्रति ब्रम्हान्युज परिवार हार्दिक सम्बेदना प्रकट करैत हुनक आत्माक चिरशान्तिक कामना करैत अछि ।

भारत में अछि दुनियाके सब सँ बेसी ग़रीब'


१७ कातिक भारत । संयुक्त राष्ट्र विकास कार्यक्रम (यूएनडीपी) द्वारा जारी कएल गेल मानव विकास रिपोर्ट के अनुसार दुनियाके सबस बड़का लोकतंत्र, भारतमें, दुनियाके सब सँ बेसी बहुआयामी ग़रीब रहैत अछि ।

भारतमें ६१ करोड़ लोग ग़रीब अछि जे देशके आधा जनसँख्यासँ बेसी अछि ।
रिपोर्टमें 'बहुआयामी ग़रीबी' मूल्यांकन करय लेल म्दानीके अलावा स्वास्थ्य, शिक्षा जीवन स्तरके सेहो देखल गेल छल ।

रिपोर्टके अनुसार बहुआयामी ग़रीबके संख्या निकालयबला इ तथ्याँक पुरा आ सटीक रुपसँ पेश होइत अछि । जाहिमे आयके मात्रे लेलासँ संभव नहि भऽ सकैत छल ।

अहि तथ्याँकके अनुसार दुनियाके दस सबस ग़रीब देश सब-सहारा अफ़्रीका में अछि मुदा जँ कोनो एक देशमें कुल संख्याके बात कएल जाए तऽ दुनियाके सबस बेसी ग़रीब दक्षिण एशियाई देश (भारत, पाकिस्तान और बँग्लादेश) में रहैत अछि ।

भारत सरकार  देशमें ग़रीबके संख्या पत्ता लगाबय लेल तेकौ तरीक अपनौने अछि आ  सरकारके कहब अछि जे देशक एक-तिहाई जनता ग़रीबी रेखाके नीचा अछि ।

स्कुल बस दुर्घटनामे ९ घाइल


१७ कात्तिक, भक्तपुर । भक्तपुरके बलोटमे आइ भिन्सर भेल स्कुल बस दुर्घटनामे ९ गोटे स्कुली विद्यार्थी घाइल भेल अछि।

घाइलसबहक अवस्था सामान्य रहल बता‌ओलगेल अछि । भक्तपुरक गठ्ठाघरमे रहल लिटिल बुम्स् स्कुलके बा १ ख २११० नम्बरक बस बालकोट गाविस-८ मे दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि । घाइलसबहक ठिमीस्थित मध्यपुर ठिमी अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

'जनमुक्ति सेना सहमति कार्यान्वयन करत'


काठमाडौं , कार्तिक १७ । माओवादी सेनाक लडाकु प्रमुख नन्दकिशोर पुन शान्ति प्रक्रियासम्बन्धी सहमति दृढतापूर्वक कार्यान्वयन करब बतौलनि अछि । ओ प्रमुख दलबीच भेल सहमतिसँ राष्ट्रिय आवश्यकताके सम्बोधन केने उल्लेख करैत लडाकुबीच बुझाइमे एकरूपता भेल बतौलनि ।

ओ सहमतिबारे विचारमे सामान्य अन्तर रहितो पार्टी निर्णय कार्यान्वयनमे विवाद नहि हाएत बतौलनि । 'शान्ति प्रक्रिया सम्बन्धमे जनमुक्ति सेना सब दिन जिम्मेवार भऽ कऽ आगु बढल आ आबो जिम्मेवारी पूरा करत,' ओ कहलनि ।

अहिबिच सातो डिभिजनके लडाकु कमान्डरके बैसार राजधानीमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके बिषयमे बिमर्श  भेल अछि । 'सहमतिके केना कऽ ठोस कएल जाए सम्बन्धमे बिमर्श भेल,' पुन कहलनि । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ लडाकु कमान्डरसबहक बैसार नयाँ बजारमे बैसल छल ।

प्रधानमन्त्रीक सार्क भ्रमण कार्यक्रम स्वीकृत, प्रहरी अधिकृतके बढुवा


काठमाडौं, कार्तिक १७ । सरकार प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके माल्दिभ्स भ्रमण कार्यक्रम स्वीकृत केलक अछि ।

 सार्क शीखर सम्मेलनमे भाग लेबय प्रधानमन्त्रीक नेतृत्वमे ११ सदस्यीय टोली जाए लागल सरकारक प्रवक्ता नारायणकाजी श्रेष्ठ जानकारी देलनि । सार्कके १७ हम् शीखर सम्मेलन माल्दिभ्सके राजधानी मालेमे कात्तिक २४ आ २५ गते होबय जाऽ रहल अछि ।

 मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ नेपाल प्रहरीके एआईजीमे नवराज ढकाल आ भीष्म प्रसाईंके बढुवा केलक अछि । अहिना सशस्त्र प्रहरीके एआईजीमे दुर्जकुमार राई, विषवदेव भट्टराई, जीवनकुमार थापाके बढुवा करयके निर्णय मन्त्रिपरिषद्क बैसार केलक अछि ।

 बैसारसँ महिला आयोगके अध्यक्षमे वीरगन्जके चाँदतारा कुमारीके नियुक्त केलक अछि । रेडियो नेपाल विकास समितिक कार्यकारी अध्यक्षमे तपनाथ शुक्लके म्याद दु वर्ष थप कएल गेल अछि ।

मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ गरिवी निवारण कोषके पाँच सदस्य सेहो नियुक्त केलक अछि । सदस्यसबके डा. कुलबहादुर रोकाय, अखिलेश्वर दास, कमला राई, वसन्त बहादुर टेलर आ दुर्गा न्यौपाने अछि ।

अगहन ७ एम्हर सहमतीय सरकारके बाते नहि करु: कांग्रेस/एमाले


काठमाडौं, कार्तिक १७ । सात बुँदे सम्झौतामे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनयके उल्लेख रहितो कहियाधरि आ ककर नेतृत्वमे बनत से स्पष्ट नहि भेल अवस्थामे कांग्रेस-एमाले अगहन  ७ धरि अहिबारे बाते नहि उठाएब बतौलक अछि ।

ओ दलक नेतासबहक अनुसार राष्ट्रिय सहमतिके सरकारक विषयसँ अगहन ७ के बाद आ अगहन १४ आगु संविधानसभाक म्याद थपयके सन्दर्भमे मात्रे प्रवेश पाओत । कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पौडेल सम्झौता कार्यन्वयनमे बाधा परय सकत कहैत अगहन ७ एम्हर सरकार निर्माण विषय प्राथमिकता नहि पाओत जनौलनि। 

सहमतिमे अगहन  ७ भितर शान्ति प्रक्रियामे महत्त्वपूर्ण काम सन्पन्न करयके उल्लेख अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन