Friday, November 25, 2011

लैंगिक हिंसा विरुद्धक १६ दिवसिय अभियान सुरु


९ अगहन जनकपुरधाम । आइ नोभेम्बर २५ तारिख अर्थात लैंगिक हिंसा विरुद्धक १६ दिवसिय अभियानक पहिल दिन , घर शान्ति  विश्व शान्तिके आधार नाराक सँग १६ दिवसिय लैंगिक हिंसा विरुद्धक अभियान सुरु भेल अछि ।

अभियानक सुरुवात भेल अवसरमे महिला समानता तथा लैङ्गिक हकअधिकारक बारेमे काम कएनिहार सरकारी एवम् गैरसरकारी संघसंस्थासब बिभिन्न कार्यक्रमक आयोजना कऽ रहल अछि । याह अवसरमे ओरेक नेपाल धनुषा आइ जनकपुरक जानकी मन्दिरक प्राङ्णमे भिडियो प्रदर्शन आ स्टलसब रखने अछि ।

सन् १९६० के नोभेम्बर २५ के दिन डोमिनिकन रिपब्लिकके तानाशाह राफेल लिओनिदास त्रुजिलो मोलिना अपना विरुद्ध आन्दोलन केने कहैत मिराबल दिदी बहिन प्याट्रिया मर्सिडिस, मारिया अजेन्टिना मिनेरभा आ एन्टोनिया मारिया टेरेसा मिराबलके हत्या केने छल । याह ३ दिदीबहिनके हत्या भेल दिनके महिला हिंसा विरुद्धक दिनके स्मरण करैत अधिकारकर्मीसब विश्वव्यापी दिवस मनौने आ सन् १९९१ सँ संयुक्त राष्ट्र संघ सेहो मान्यता देलाबाद इ अभियान आरो विश्वव्यापी बनल अछि । नेपालमे सेहो  १० वर्ष आगुएसँ महिला हिंसा विरुद्वक १६ दिवसिय अभियान सञ्चालन होइत आएल अछि ।

अहि अवसरमे जनकपुर राजधानी काठमाडौं सहित गाउँ, जिल्ला, क्षेत्र तहमे सेहो लैङ्गिक समानता सम्बन्धि जनचेतना मुलक कार्यक्रमक आयोजना भऽ रहल अछि ।

अहिबीच आर्थिक वर्ष २०६८ / ६९ के कात्तिक महिना धरिमे १ सय १३ टा महिला हिंसाक घटनाबारे जानकारी भेल राष्ट्रिय महिला आयोग जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन