Saturday, October 15, 2011

सरकारके कुर्सीमे बैसयके नैतिक आधार नहि अछिः खनाल


२८ आसिन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल वर्तमान सरकारके एको मिनेट कुर्सीमे बैसयके नैतिक आधार नहि रहल दावी कएलनि अछि ।

आइ जोरपाटीमे आयोजित कार्यक्रमके सम्बोधन करैत खनाल कहलनि जे-एखुनक सरकार अनेक प्रकारके अपराधकर्म केने व्यक्तिसब बैसल सरकार अछि ।सरकारेके अङ्ग नेपाल प्रहरी देने प्रतिवेदनके आधारमे सेहो भूमिसुधार मन्त्री प्रभू साहके पदसँ नहि हटा कऽ उल्टे महान्यायाधिवक्तामार्फत मुद्दा नहि चलाबय दबाब देनाइ सँ हत्याकाण्डमे प्रधानमन्त्रीएके संलग्नता सेहो अछि  कि आशङ्का जन्मल ओ बतौलनि ।

ओ विवादास्पद अभिव्यक्ति देबयबला मन्त्रीसबके राजीनामा नहि देबयधरि संसद चलय नहि देब दोहरौलनि  । एमाले अध्यक्ष खनाल कहलनि रक्षामन्त्री भ ऽ क फौजके नेतृत्व करयके शरत्सिंह भण्डारी राष्ट्रके अलग करयके धम्की देनाइ गैरजिम्मेवारपनाके पराकाष्ठा अछि  

मन्त्रीके राजीनामाबारे प्रधानमन्त्री डेग उठौताह सल्लाहकारके कहब


काठमाडौं, आश्विन २८ । प्रधानमन्त्रीक राजनीतिक सल्लाहकार देवेन्द्र पौडेल विवादित दु मन्त्रीके राजीनामाबारे प्रतिपक्षी उठौने माँगमे प्रधानमन्त्री सहमतिएमे आवश्यक डेग उठौताह जानकारी देलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे माओवादी पोलिट्ब्युरो सदस्यसमेत रहल पौडेल रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारी आ भूमिसुधार मन्त्री प्रभु साहके राजीनामाके माँगबारे बिमर्श भऽ रहल बतौलनि ।

दोसर एकटा प्रसंगमे पौडेल राजनीतिक दलसब अपन अपन पोजिसन छोडत तऽ सेना समायोजनके विवाद तत्काल मिल जाएत दावी कएलनि । ओ माओवादी शान्ति आ संविधानमे नरम रहल कहैत अन्य दलसबके सेहो ओतबे नरम होबय आग्रह कएलनि ।

कार्यक्रममे कांग्रेसक नेता अर्जुननरसिह केसी नेपाली सेनाके मापदण्ड पुरा कऽ क समायोजन करयमे सहमति हाएत कांग्रेस लडाकुके संख्यामे नरम होबय तयार रहल बतौलनि । नेता केसी लडाकुके सामूहिक समायोजन काग्रेसक लेल स्वीकार्य होबही नहि सकत कहैत लडाकु पुर्नस्थापनाके प्याकेजमे कांग्रेस कन्जुसी नहि करत स्पष्ट कएलनि ।

शान्ति आ संविधानक विषयमे जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णय लेल जाएत प्रधानमन्त्री


२८ आसिन, चितवन । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके आगु वढाबयके विषयमे जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णय लेल जाएत बतौलनि अछि ।

वर्तमान सरकारक मुख्य काम शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके पुरा केनाइ रहल बतबैत ओ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके आगु वढाबयके विषयमे दलसबसंग बिमर्श भऽ रहल बतौलनि अछि ।

कम्युनिस्ट नेता खम्बासिंह कुवरके सम्मान कार्यक्रममे सहभागी होबय आइ चितवन पहुँचल प्रधानमन्त्री भट्टराई भरतपुर विमानस्थलमे पत्रकारसबसँग बातचित करैत जल्दिए प्रमुख दलसबसंग सहमति कऽ शान्ति आ संविधानमे केन्द्रीत हाएब वतौलनि ।

एकटा दोसर प्रसङ्गमे प्रधानमन्त्री भट्टराई विपक्षीसब बहुदलीय प्रतिस्पर्धात्मक राजनीतिमे विरोध केनाइ स्वभाविक रहल वतबैत  ‌ओइके अपने स्वभाबिक रुपमे लेने बतौलनि । सस्ता लोकप्रियताके लेल सरकार काम कऽ रहल दलसबहक आरोपके खण्डन करैत प्रधानमन्त्री भट्टराई लोकप्रियता सब पाबय नहि सकत बतबैत जनताक पक्षमे काम केनाइ सस्ता लोकप्रियता नहि रहल जिकिर कएलनि ।

गर्दन काटि कऽ फेकल शवके भेल पहिचान


जलेश्वर, आसिन २८ । महोत्तरीके आगेपुर पुल निचा बिना गर्दनके अवस्थामे वरामद भेल शवके पहिचान आइ ३ दिन बाद भेल अछि ।
ओ शव भारतक बेनीपट्टी स्थित दुर्गास्थानके हरिकुमार साहके ३५ वर्षक बेटा प्रदीपकुमार साहके रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके प्रहरी नायव उपरिक्षक केदार खनालक अनुसार जनकपुरमे मिट्ठाके व्यापार करैत आबि रहल साहके कतौक दोसरे ठाम मारि कऽ ओतय फेकने अबस्थामे बरामद भेल छल । शवके माथके हिस्सा अखनो भेटय नहि सकल ओ बतौलनि ।
      जनकपुरजलेश्वर सडक खण्डके पर्सा गाउँसँ दक्षिण आ प्रकौली सँ उत्तरमे रहल आगेपुलके निचा बृहस्पतिदिन साँझमे गर्दन काटल अवस्थामे फेकल शव भेटल छल ।
ओ शवके पहिचान मृतकके पत्नी जनकपुर स्थित आसमान नेपालमे काम करैत आएल ममता साह केलिह अछि । मृतकके दहिना हातके आँगुरमे रहल चाँदीके औठी तथा जनकपुरक जानकी अस्पताल लग भेटल शर्टके आधारमे सनाखत कएल गेल पुलिस जनौलक अछि । मुदा हत्याक कारण आ हत्याराके पत्ता अखनधरि लागय नहि सकल  पुलिसक कहब अछि ।

पाकिस्तानमें ड्रोन हमला, तीन गोटेके मृत्यु


२८ आसिन पाकिस्तान । पाकिस्तानके उत्तर पश्चिमी इलाकामें भेल  एक अमरीकी ड्रोन हमलामें कम स कम तीन  चरमपंथीके मृत्यु  भेल अछि ।

पाकिस्तानी खुफ़िया अधिकारीके अनुसार अफ़ग़ानिस्तानसँ सटल दक्षिणी वज़ीरिस्तानके क़बायली इलाका अंगोर अड्डाके परिसरमें  ड्रोन मिसाइल सँ हमला कएल गेल छल ।

अहि हमलामे मृत्यु होबयबला पाकिस्तानी चरमपंथी मौलवी नज़ीरके लड़ाकु रहल बताओल जाऽ रहल अछि । मौलवी नज़ीर पऽ तालिबान आ अल क़ायदाके सँग मिल कऽ अफ़ग़ानिस्तानमें हमला  कराबयके आरोप लगैत आएल अछि ।

हात धोबयके दिवस


विश्व हात धोबयके दिवसक अवसरमे आइ राजधानीमे साबुन पानि सँ हात धोबय सिखबैत स्वास्थ्य तथा जनसंख्यामन्त्री राजेन्द्र महतो । अहिना सबगोटे हात धोउ कि ?

राज्यमन्त्रीके सपथ नहि भेलासँ मोर्चा भितर असन्तुष्टि


काठमाडौ, आश्विन २८ । राज्यमन्त्रीके लेल पार्टीसँ नाम सिफारिस भेल लम्बा समय बितलाक बादो सपथ ग्रहण नहि भेलासँ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके दलसब भितर असन्तुष्टि बढैत गेल अछि ।

भादव २९ गते तेसर बेर मन्त्रिपरिषद विस्तार भेल दिन राज्यमन्त्रीसब सेहो सपथ लेबयके तयारी होइतो अन्तिम समयमे रोकलगेल छल । नाम चर्चामे अबितो सपथ लेबय नहप पौअलासँ राज्यमन्त्रीके लेल सिफारिस कएलगेल सभासदसब निराश भेल अछि । नाम उल्लेख नहि करयके शर्तमे एक गोट राज्यमन्त्रीमे सिफारिस कएल गेल मोर्चाक सभासद कहलनि जे-'अइमे प्रधानमन्त्री या दोसरके दोष नहि अछि ।   मोर्चाक शीर्ष नेतासबहक कमजोरीसँ भेल अछि । बाहर निकलनाइ मुश्किल भेल अछि ,राज्यमन्त्रीके लेल नाम सार्वजनिक भेल मुदा सपथ नहि भेल, जतय जाइछी सब प्रश्न करैत अछि सपथ कहिया हाएत ?'

ओ समयमे कहलगेल छल जे प्रधानमन्त्री अमेरिका भ्रमणसँ एलाबाद सपथ हाएत मुदा अखन प्रधानमन्त्रीके घुरला बहुत समय बितलाक बादो ओकर चर्चा नहि अछि । समय ऐलाबाद हमसब कठोर निर्णय लेबय बाध्य हाएब दोसर एक गोटे असन्तुष्ट सभासद कहलनि ।'

फोरम लोकतान्त्रिक गृहमे भीमराज राजवंशी,रक्षामे रामबच्चन अहिर, वातवरणमे दुर्गादेवी महतो आ वनमे लक्ष्मण मेहताके राज्यमन्त्रीके रुपमे नाम सिफारिस केने छल । अहिना तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीसँ भौतिक योजना तथा निर्माणमे ईश्वरदयाल मिश्र आ कानुन,न्यायमे काशीदेवी झाके नाम राज्यमन्त्रीके लेल चर्चामे आएल छल ।

प्रतिबद्धता पूरा करय माओवादीसँ कोइरलाके आग्रह


२८ आसिन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला शान्तिप्रक्रिया बारेमे लिखित तथा मौखिक प्रतिबद्धता व्यवहारमे देखाबय माओवादी नेतृत्वसँ आग्रह कएलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत सभापति कोइराला पहिने सहमति करयके आ  बादमे कार्यान्वयन नहि करयके माओवादी चरित्रके कारण देशमे राजनीतिक संकट बढल आरोप लगौलनि ।

माओवादीसब अपने केने सहमति पालना नहि कऽ क राजनीतिक बेइमानी देखा रहल  बतौलनि ।सभापति कोइराला शान्तिप्रक्रियाके पुरा करयके कामके नेतृत्व लेबय माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डसँ आग्रह कएलनि । कार्यक्रममे विभिन्न तहके करिब डेढ सय माओवादी कार्यकर्ता पार्टी परित्याग कऽ नेपाली कांग्रेसमे प्रवश केने छल ।

पार्टी नहि फुटत, एकटा अँग सुखि कऽ जाएतः प्रचण्ड


२८ आसिन, चितवन । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड हालके  जारी विवादसँ पार्टीक टा हिस्सा सुखि कऽ जाएत खुलासा कएलनि अछि

चितवनक भरतपुरस्थित ग्लोबल होटलम इ भिन्सर कार्यकर्तासबसँग बातचित करैत प्रचण्ड विवादसँ पार्टी नहि फुट मुदा, टा हिस्सा सुखि कऽ जाएत बतौलनि । उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षदिस लक्षित करैत प्रचण्ड शान्ति संविधानक विरोध कऽ क जनविद्रोहके बात करयबलासब पार्टीभितर  क्रमश असगर होइत जाएत तर्क कएलनि

माओवादी २०५२ सालम जनयुद्ध सुरु करैतके समय आ हालके समयमे फेरबदल अएलासँ विद्यमान अवस्थाम नयाँ जनवादी क्रान्ति नहि हाएत स्पष्ट कएलनि । पार्टीके नयाँ ढंगसँ सञ्चालन करय चाहला पर आन्तरिक बिबाद बढल कहैत ओ परम्परागत ढंगसँ सञ्चालन करय खोजल गेल तऽ पार्टी क्रान्तिक भविष्य समाप्त होबय सकत बतौलनि

हिरोइन - विद्या बालन


प्रेमीके इंजिनियरिङ्ग पढाबय प्रेमिका देलिह अपने भाइके अपहरण करयके दवाव


२८ आसिन जनकपुरधाम । धनुषाक बिन्धि गाविस वाड नम्बर ८ के रुवी चौधरी महोत्तरी लोहारपटीके अपन प्रेमी नुर महम्मद नदाफके पढाई खर्चके लेल अपने पिषीके तीन वर्षक बेटा रितिक ठाकुरके अपहरण करय लगौलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषामे अपहरणकारी पत्रकार समक्ष देने बयान अनुसार बितल आसिन २१ गते शनिदिन दिनके एक बजेके समयमे रुवी अपन घरमे आएल पिषीके बेटा रितिकके घरसँ बाहर आनि कऽ अपन प्रेमी नुर मोहम्मद नदाफके जिम्मा लगौने छल । ओइके बाद नदाफ बच्चाके ४ दिन धरि अपने नियन्त्रणमे राखि पचास लाख रुपैया फिरौती माँग  केने छल । रुवीके निर्देशन अनुसार अपने बच्चाके अपहरण केने नदाफ स्विकारने अछि । ओ पत्रकार समक्ष बतौलक जे, ‘रुवीएके कहलाबाद हम ओकर पिषिके बेटाके अपहरण केली ।अपहरण केलाबाद प्रेमीका रुवी किछ नहि हाएत, सब ठिक भऽ जाएत कहलाबाद बच्चाके पहिल दिन जिल्लाके गोदारमे रहल अपन साथी रितेश जैसवालके घरमे रखने बतौलनि । अहिना दोसर दिन श्रीरामपुरमे रहल साथी सत्रुघन शर्माके घरमे रखने, तेसर दिन शत्रुघनके भौजीके घरमे रखने तथा मंगलदिन २४ गते जनकपुरक कवर्ड हल लग  रखने बतौलनि । रुवी बच्चाके घरसँ सब जानकारी दैत गेलाबाद ओ फोनसँ फिरौती माँग केने स्विकार केलक अछि ।

एम्हर अपहरित बच्चाके परिवार पुलिसक सहयोगमे जनकपुरक कवर्ड हलसँ बुधदिन २५ गते भिन्सर बच्चाके अपहरण मुक्त कराबय सफल भेल अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषामे बुधदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे बजैत प्रहरी उपरिक्षक हरिबहादुर पाल भिन्सर बच्चाके परिवारजन सँगे गेल पुलिस नदाफके गिरफ्तार केने बतौलनि । गिरफ्तार भेल नदाफसंग रहल एक थान पेस्तौल, ओइमे लागयबला दु टा गोली आ दु टा मोवाईल बरामद केने ओ बतौलनि । नदाफ देने बयानके आधारमे रुवीके गिरफ्तार केलाबाद अपहरण करयके रहस्य खुजल अछि ।

पत्रकार सम्मेलनमे अपहरणके योजनाकार रुवी चौधरी कहलिह जे, “हमर साथी नदाफके पढ्य लेल पैसा नहि भेलासँ अपने पिषीके बेटाके अपहरण कऽ क फिरौती असुलयके सल्लाह देलिह ।अपन भाईके किछ नहि करयके मात्र पैसा लऽ क छोडयके योजना रहल ओ बतौलिह अछि ।

जनकपुरक प्राईभेट कलेज एस एम क्याम्पसमे पढैत आएल दुनु गोटे बिच बितल एक वर्षसँ प्रेम चलैत आबिरहल रुवी चौधरी बतौलिह । अपन प्रेमी नदाफके इंजिनियरिङ्गके पढाई पढाबय अपहरण करय दवाव देने रुवी स्विकार केलिह अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन