Saturday, December 03, 2011

आइ अन्तर्राष्ट्रिय अपांग दिवस


१७ अगहन, जनकपुरधाम । आइ डिसेम्बर ३ तारिख अर्थात अपाङ्गता सम्बन्धी अन्तर्राष्ट्रिय दिवस । नेपालमे सेहो विविध कार्यक्रम कऽ इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

नेपालमे सन् १९९१ सँ हरेक वर्ष इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि । अहि वर्षक दिवसके नारा अपाङ्गता भेल व्यक्तिसब सहितक विकास, एकटा समुन्नत विश्वके लेल सब साथ साथरहल अछि । दिवसक अवसरमे महिला बालबालिका तथा समाजकल्याण मन्त्रालय, राष्टिय्र अपांग कोष आ अपांगसम्बन्धी क्षेत्रमे क्रियाशिल विभिन्न संघसंस्था जनकपुर सहित देशभरि विविध कार्यक्रमक आयोजना केने अछि ।

अपांगसबके माया आ अवसर दऽ समाजके अन्य आदमी जका बाँचय पाबयके वातावरण निर्माणक लेल जनचेतना फैलाबयके उद्देस्यसँ संयुक्त राष्ट्रसंघक आहृवानमे हरेक वर्ष डिसेम्बर तीन तारिखके दिन इ दिवस मनाओल जाइत अछि ।

विश्व स्वास्थ्य संगठनके अनुसार विश्वके कूल जनसंख्याके १० प्रतिशत आदमी अपाङ्गतासँ पीडित अछि । नेपालमे कूल जजनसंख्याके ५ दशमलब २ प्रतिशत आदमी अपाङ्गतासँ पीडित रहल तथ्याङ्क अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन