Saturday, August 13, 2011

नैतिकताके आधारमे प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबय परतः पोखरेल


२८ साउन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक महासचिव इश्वर पोखरेल नैतिकताके आधारमे प्रधानमन्त्रीके तत्काल राजीनामा देबय परत बतौलनि अछि ।

एमाले मुख्यालय बल्खुमे आइ आयोजित कार्यक्रममे महासचिव पोखरेल राष्ट्रिय सहमति, शान्ति आ संविधान निर्माण करय सरकार असफल रहल बतौलनि ।

महासचिव पोखरेल अहिसँ आगु कहल जका शान्ति प्रक्रियामे तत्काल  ‘ब्रेक थ्रु’के कोनो सम्भावना नहि रहल बतौलनि ।

पाकिस्तानमें एक अमरीकी नागरिकके अपहरण


साउन २८ बिबिसि एजेन्सी । पाकिस्तानमें हतियारधारी अज्ञात समुह एकटा अमरीकी नागरिकके अपहरण केलक अछि ।

पाकिस्तानक अमरीकी दूतावास अपहरण भेल स्वीकार केलक अछि मुदा ओ अपहरण होबयबलाके पहचान बताबऽ नहि चाहलक अछि ।

अपह्तरित व्यक्ति कबायली इलाक़ामें जेई ऑस्टिन नामक कम्पनीमे बितल पांच सालसँ काज कऽरहल आ आब ओ अपहरणमे परल पाकिस्तानी सँचार माध्यमसँ बात करैत एकटा पुलिस अधिकारी बतौलक अछि ।

क़रीब आठ गोटेके समुहमे रहल हतियारधारी समुह आइ भिन्सर करिब साढ़े तीन बजे दिस अपहरण कऽक लऽगेल पुलिस जनौलक अछि ।

भादवके पहिल सप्ताह शान्ति प्रक्रिया आगु बढतः दाहाल


काठमाडौं, श्रावण २८ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल भादवके पहिल सप्ताहसँ शान्ति प्रक्रिया आगु बढत दाबी कएलनि अछि ।

 धनकुटा-काठमाडौं गणतान्त्रिक मञ्च आइ राजधानीमे आयोजना केने एक कार्यक्रममे दाहाल सहमतिएसँ शान्ति आ संविधान निष्कर्षमे पहुँचत बतौलनि । 'देश आब पाँच बुँदे सहमतिके रास्तासँ आगु बढत' ओ कहलनि जे, 'सहमतिमे भादवके पहिल सप्ताह शान्ति प्रक्रिया आगु सेहो बढत आ संविधानक पहिल मस्यौदा तयार हाएत ।'

 दाहाल भादवके पहिल सप्ताहधरिमे माओवादी लडाकुसबहक बर्गीकरण प्रक्रिया सुरु करयके जानकारी देलनि ।

सत्तारुढ पाँच दलक बैसार जारी


२८ साउन, काठमाडौं । सत्तारुढ पाँच दलक शीर्ष नेतासबहक बैसार अखन बैसल अछि ।

प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे जारी बैसारमे पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे बिमर्श भऽरहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।

बैसारमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके तथा राजीनामा देबयके प्रधानमन्त्रीके घोषणाबारे सेहो बिमर्श हाएत ।

विकल्प तयार नहि होबयधरि राजीनामा नहि देब खनालक संकेत


२८ साउन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प तयार नहि होबयधरि राजीनामा नहि देबयके संकेत केएलनि अछि ।

प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेतासबहक आइ भिन्सर बैसल बैसारमे खनाल दलसबबीच राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा नहि देब मनसाय रखने बताओलगेल अछि ।
एखुनक अवस्थामे अपने राजीनामा देब तऽ आगामी भादव १४ गतेधरिमे सहमतिके सरकार नहि बनत आ ओहन अवस्थामे कामचलाउ सरकार संविधानसभाके म्याद थपाएत तऽ बैधानिकताके प्रश्न उठ्त हुनक तर्क छलनि ।

अहिसँ आगु प्रधानमन्त्री खनाल आइधरिमे शान्ति प्रक्रियाके मूलभूत काम सम्पन्न करय जका विश्वासके वातावरण नहि होबयधरि राजीनामा देबयके घोषणा कएने छलथि ।

बैसारमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति प्रक्रियाबारे केन्द्रीय समिति केने निर्णय जानकारी करबैत नयाँ कोनो प्रस्ताव नहि आबयके जानकारी करौने छलथि ।

तीन दलक बैसारमे कांग्रेस प्रधानमन्त्री पाँचबुँदे कार्यान्वयन करय आलटाल केने आ अपन घोषणाके बाद हटल कहैत आपत्ति जनौलक अछि । अहिना कांग्रेस बैसारमे संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा आ छोट दलसबहक गठवन्धनके समेत सहभागी कराबयके अडान रखलाबाद कोनो सहमति होबय नहि सकल ।

सरकार आ मुक्ति मोर्चाबीच वार्ता जारी


२८ साउन, हेटौंडा । सरकार आ तराईमे सशस्त्र गतिविधि करैत आएल संयुक्त जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा पवन गिरी समूहबीच वार्ता भऽरहल अछि ।

हेटौंडास्थित क्षेत्रिय स्वास्थ्य निर्देशनालयमे जारी वार्तामे शान्तिमन्त्री पम्फा भुषाल मोर्चाके संयोजक गिरी सहितक नेतासबहक सहभागिता अछि । वार्तामे मोर्चा रखैत आएल माँगबारे सहमतिके प्रयास हाएत ।

ओ पुलिस हिरासतमे रहल अपन नेता कार्यकर्ताके रिहा करयके, तराईके अन्य समूहसबसँग सेहो वार्ता करयके सहितक माँग रखने अछि ।

पत्रकारके जान मारयके धम्की देलासँ आपत्ति


२८ साउन, विराटनगर । एमाले निकट युवासंघ मोरङ अध्यक्ष रविन थापा अपनासबके विरुद्ध लागयबला सब पत्रकारके खिलानाथ ढकालके जेहन आक्रमण ककऽ घाइल बना देबयके धम्की देने कहैत पत्रकार सम्वद्ध विभिन्न संघसंस्था आपत्ति जनौलक अछि ।

एमाले निकट युवासंघ मोरङके अध्यक्ष रविन थापा अपनासब विरुद्ध लागयबला सब पत्रकारके खिलानाथ ढकालके जेहन आक्रमण ककऽ घाइल बनादेबयके धम्की देने कहैत पत्रकार सम्वद्ध विभिन्न संघसंस्था आपत्ति जनौलक अछि । ढकाल आक्रमणके दोषीके कानुनी कारबाहीके माँग करैत आन्दोलन जारी रखने कहैत थापा २६ साउनमे सार्वजनिक स्थलेमे धम्की देने ओ सब बतौलनि अछि ।

धम्कीप्रति नेपाल पत्रकार महासङ्घ पूर्वाञ्चल संयोजक मोहनकाजी न्यौपाने, मोरङ अध्यक्ष विक्रम निरौला, क्रान्तिकारी पत्रकार सङ्घक जिल्ला संयोजक गणेश लम्साल, प्रेस युनियन सभापति कुमुद अधिकारी आ प्रेस चौतारीके माधव अधिकारी संयुक्त विज्ञप्ति निकालि कऽ आपत्ति जनौने छथि । अध्यक्ष थापा पत्रकारके जान मारयके धम्की देने सन्दर्भमे मोरङमे कार्यरत पत्रकार उपर कोनो खतरा आएत त ओकर जिम्मेवारी युवासङ्घके लेबय परत विज्ञप्तिमे स्पष्ट कएलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन