Thursday, January 05, 2012

सहमतिएमे शान्ति प्रक्रिया पुरा हाएतः प्रधानमन्त्री


काठमाडौं, पुस २१ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई प्रमुख दलसबहक सहमतिएमे शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण पुरा हाएत बतौलनि अछि ।

आइ अमेरिकी राजदूत स्कट एच डेलिसी सँगके भेटमे प्रधानमन्त्री भट्टराई शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे पूर्ण प्रतिवद्ध रहल कहैत सब दलके सहमतिमे शान्ति प्रक्रियाके पुरा कएल जाएत बतौलनि । राष्ट्रिय सहमतिएसँ सब समस्याके समाधान हाएत कहैत ओ शान्ति प्रक्रियाके जल्दिए निश्कर्षमे पहुँचाएब जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री देश आब आर्थिक सम्मृद्धिके बाटमे आगु बढिरहल कहैत ओइमे अन्तराष्ट्रिय समुदायके सहयोगके अपेक्षा कएलनि ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालय सिंहदरबारमे भेल भेटमे राजदुत डेलिसी शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे भेल प्रगतिके विषयमे चाँखि लेने छलथि । सुशासनके क्षेत्रमे प्रधानमन्त्री लेने पहल आ शान्ति प्रक्रियामे भेल प्रगति प्रति सेहो राजदूत खुशी प्रकट केने प्रेस नोटमे उल्लेख अछि ।

महँग लागु औषध कोकिन सहित थाई नागरिक गिरफ्तार


काठमाडौं, पुस २१ । विश्वके महँग लागु औषध कोकिन सहित पुलिस थाई नागरिकके आइ गिरफ्तार केलक अछि ।

त्रिभूवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे कोकिन सहित थाई नागरिकके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । नेपालमे कोकिन सहित अपराधी गिरफ्तार भेल इ पहिल ब्यक्ति अछि ।

घटनाबारे पुलिस विस्तृत जानकारी नहि करौलक अछि ।

ठण्डासँ कठुवा कऽ एक गोटेके मृत्यु


२१ पुष सर्लाही । सर्लाहीके गम्हरीयामे आइ ठण्डीसँ कठुवा कऽ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

आइ भिन्सर गम्हरीया पाँचके ५७ बर्षक ठेकुर रायके ठण्डीसँ मृत्यु भेल अछि । नेपाली काङ्गेसक कार्यकर्ता समेत रहल रायके श्रद्धान्जली अर्र्पण करैत पार्टीके झण्डा ओढाओलगेल काङ्ग्रेस जिल्ला सभापति लक्ष्मण राय जानकारी देलनि । श्रद्धान्जलीके बाद रायके आइए दाहसंस्कार कएलगेल अछि । अहिसँ आगु सर्लाहीमे ठण्डीके कारण ४ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

शान्ति प्रक्रिया आगु बढावय माओवादी-कांग्रेसके सर्त


काठमाडौं, पुस २१ । माओवादी आ कांग्रेसक नेतासब यथास्थितिमे अबरुद्ध शान्ति प्रक्रियासँ गति नहि लेत चेतावनी देलक अछि ।

माओवादी नेता राष्ट्रपतीय शासन प्रणालीमे कांग्रेसके सहमत होवयके अडान रखने अछि कांग्रेस नेता माओवादी सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि करयधरि शान्ति प्रक्रिया गति नहि लेत बतौलनि ।

माओवादी पोलिट्ब्युरो सदस्य जनार्दन शर्मा सहमति भेल राष्ट्रपतीय शासन प्रणालीके कांग्रेस नहि स्वीकारय धरि शान्ति प्रक्रिया कोनो हालतमे आगु बढय नहि सकत  चेतावनी देलनि ।

रिपोर्टर्स क्लबके साक्षात्कारमे शर्मा कार्यदलमे सहमति जनौने राष्ट्रपति आ प्रधानमन्त्रीमे कार्यकारी अधिकार रहयके मिश्रति शासन प्रणालीसँ कांग्रेस एकाएक पाछु हटलाबाद अपनासबके कांग्रेस संविधान निर्माणके पक्षमे नहि रहल आशंका लागल बतौलनि ।

कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य मिनेन्द्र रिजाल माओवादी सात बुँदे सहमति अनुसार नहि चलत तऽ ओकरासँगके सहकार्य नहि हाएत आ शान्ति प्रक्रिया सेहो आगु बढय नहि सकत चेतावनी दैत माओवादीके शान्ति आ संविधान या जनविद्रोह  विषयमे आब स्पष्ट निर्णय लेवय परत बतौलनि ।

सर्लाहीमे हात्तीपाईले रोग प्रभावित १४ सय १३ गोटे


२१ पुष सर्लाही । सर्लाहीमे हात्तीपाईले रोगसँ १४ सय १३ गोटे प्रभावित रहल जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय जनौलक अछि ।

जाहि मे सँ पैर फुलयके २ सय २५ गोटे, हाइड्रोसिल भेल ९ सय ८२ गोटे तथा स्तन सहितक बाँकी अन्य भागमे प्रभावित रहल अछि । सर्लाहीमे हात्तीपाइले रोग निवारण कार्यक्रम अन्तर्गत करिब ७ लाख सर्वसाधारणके दबाइ खुवाबयके लक्ष्य राखलगेल जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय सर्लाहीके हात्तीपाइले रोग निवारण कार्यक्रमक अधिकृत पल्टु यादव जानकारी देलनि । ओइके लेल स्वास्थ्य कार्यालय अन्र्तर्गतके ४ सय ५० कर्मचारी तथा २ हजार ६ सय स्वयंसेवक तथा स्वयं सेविका परिचालन कएल जाएत जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय जनौलक अछि ।

हात्तीपाइले प्रभावित सर्लाही सहित ४६ जिल्लामे याह पुस २२, २३ आ २४ गते एके साथ दबाइ खुवावयके कार्यक्रम रहल अछि ।

हात्तीके आक्रमणसँ झापामे तीन गोटेके मृत्यु


२१ पुस, झापा । झापाके पृथ्वी नगरमे जंगली हात्तीके आक्रमणसँ तीन सर्वसाधारणके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होवयबलामे पृथ्वीनगर-८ के दुर्गादेवी पाण्डे आ वायह ठामके आइती लामा तामाङ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय झापा जनौलक अछि । मृतक एक गोटेके सनातखत होवय नहि सकल अछि ।  स्थानीय बनियानी जंगलसँ भिन्सर वस्तीमे पैसल तीन टा हात्ती आक्रमण कऽ किछ घरमे सेहो क्षति पहुँचौने पुलिस बतौलक अछि ।

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित


२१ पुस, काठमाडौँ । अनमिनके प्रमाणीकरणमे अयोग्य ठहर भऽ बहिर्गमनमे परल पूर्वलडाकु आहृवान केने बन्दक कारण आजुक  एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित भेल अछि ।

केन्द्रीय सदस्य एवं प्रधानमन्त्रीक राजनीतिक सल्लाहकार रामरिझन यादव बन्दक कारण सदस्यसब उपस्थित होवय नहि सकल कहैत बैसार काल्हि भिन्सर ११ बजेधरिके लेल स्थगित भेल जानकारी देलनि । एक सप्ताहसँ बेसी समयसँ जारी बैसारमे आइ सेहो सदस्यसबके अध्यक्ष प्रचण्डक राजनीतिक प्रस्ताव आ उपाध्यक्ष मोहन वैद्यके अलग मतके विषयमे अपन अपन धारणा राखयके कार्यसूची छल । १ सय ४८ सदस्यीय केन्द्रीय समिति सदस्य मे सँ आब दु  दर्जनके  बाजय  मात्रे बाँकी अछि ।

समझदारी कार्यन्वयन नहि हाएत तऽ आन्दोलन : कांग्रेस सभापति कोइराला


स्याङ्जा, पुस २१ । कांग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला माओवादी पछिला समयमे देखौने व्यवहारसँ शान्ति स्थापना आ समयमे संविधान निर्माणमे शंका उत्पन्न भेल बतौलनि अछि ।

नेपाल प्रेस युनियन स्याङ्जा शाखा आइ  स्याङ्जाके वालिङमे आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत सभापति कोईराला माओवादीसँग पछिला बेर भेल सातबुँदे समझदारी कार्यान्वयन नहि भेलासँ माओवादी प्रतिके विश्वासमे शंका उत्पन्न भेल बतौलनि ।

अपने नेतृत्वमे रहल सरकारके हतियार बुझावय माओवादी आलटाल कऽ रहल कहैत कोइराला कहलनि जे  हतियार बुझावयके सबालसँ ओसब शान्ति आ संविधानप्रति कतेक वफादार छथि से प्रष्ट भेल अछि ।  

सातबुँदे सहमतिके अक्षरशः पालना, जमिन फिर्ता, वाईसिएलके अर्धसैनिक संरचना भंग आ पिपल्स भोलेन्टियर फोर्स सबके विघटन कऽ क माओवादी विश्वासके वातावरण सिर्जना करय सकत कोइरालाक कहब छलनि । अन्यथा हमसब सरकार विरुद्ध आन्दोलन करय बाध्य हाएबसभापति कोइराला कहलनि ।

पूर्व लडाकुद्वारा गाडी तोडफोड आ आगजनी, जनजीवन प्रभावित


मकवानपुर, पुस २१ बन्दक अवज्ञा केने कहैत बहीर्गमनम पर पूर्व लडाकुसब आइ भिन्सरेसँ किछ गाडीम तोडफोड करयके ँगहि आगजनी सेहो केलक अि

मकवानपुरस्थित युनिलिभर कम्पनीक मजदूर कर्मचारी लेवय निकलल गाडीके रा कऽ क्षति पहुँचौलक अछि । ना ख ४३४२ नम्बरक बसके भिन्सरे पौने ५ बजे जरौने छल

बसक चालकके पिटपाट केने आ सहचालकसंग रह दु टा मोवाइल सेहो छिनने पुलिस जनौलक अि

अहिना पूर्व पश्चिम राजमार्गमे सेहो किछ गाडीसब तोडफोड कएलगेल आ टा ट्याक्टरम आगजनी कएलगेल पुलिस जनौलक अि अपनासबके सेहो प्रमाणिकरणम पर लडाकु जका सुविधा देवयके माकरैत राष्ट्रसंघीय मिसन (अनमिन)  लडाकु होवय आयोग्य ठहरौलाबाद बहिर्गमनम पर पूर्व लडाकुसब आन्दोलन कऽ रहल अछि

बर्हिगमनम पर पूर्व लडाकुसब आब्हान केने बन्दक कारण बागलुङक जनजीवन प्रभावित भेल ि । बन्दक क्रमम जवरजस्ती करय चाहबला दु गोटे पूर्व लडाकुके पुलिस गिरफ्तार सेहो केलक अि गिरफ्तार होवयबलामे अमलाचौर६ क सुरेश गायक निसी५ क नरबहादुर घर्ती रहल अि

facebook Page Like

  • मनोरँजन