Sunday, October 02, 2011

हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई पाँचम दिन


१५ आसिन , जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई पाँचम दिन जनकपुर सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे माता कात्यानीके पुजा कएल जा रहल अछि ।
पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता कात्यानीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । अहिसँ आगु काल्हि चौथी आ पञ्चमी एके दिन परलासँ माता कुशमाण्डा आ दोसर माता स्कन्धाके एके दिन पुजा कएल गेल छल त आइ माता कात्यानीके पुजा कएल जा रहल अछि ।
आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता कात्यानीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।
अहिबिच, आई जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसँ पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब बाजागाजाके साथ बेलनौती कार्यक्रममे सहभागी भेलनि अछि । आइ बेलके नौतल गेल अछि । आइ नौतल बेलके काल्हि तोरि क लाओल जाएत जकरा बेलतोडी सेहो कहल जाति अछि । एनाक बिधिपुर्वक बेल तोरि क अनलाक बाद काल्हि माताक श्र्रगाँर सेहो कएल जाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन