Monday, October 24, 2011

हिन्दुसबहक पावनि शुकराती आइसँ शुरु


७ कातिक जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक पावनि शुकराती आइसँ शुरु भेल अछि ।

कातिक कृष्ण त्रयोदशीस कातिक शुक्ल द्धितियाधरि पाँच दिनधरि मनाओल जायबला शुकरातीके यमपन्चक सेहो कहल जाइत अछि ।

यमपन्चक पहिल दिन आइ तिथिअनुसार दियाबातीके पहिल दिन होइतो कुकर आ कौवाके पुजा करयके पावनि काल्हि एकेदिन परल नेपाल पञ्चाङ्ग निर्णायक समिति जनौलक अछि । काल्हि भिन्सर कौवाके पूजा कएल जाएत तऽ बेरियामे कुकुरके पूजा कएल जाएत । अहिना बुधके राति दोकान, सँस्था तथा घर घरमे धनक देबी माता लक्ष्मीके सेहो पुजा कायल जाएत । ओहि रातिभरि दिबौरी बारि फटाका फोरैत हर्षोउल्लासके सँग लक्ष्मी माताके पुजन क दियाबाती मनाओल जाएत । बृहस्पतिदिन गाइके पुजा कएल जाएत तऽ शुक्रदिन भाइ बहिनक पावनि भरदुतिया मनाओल जाएत ।

अहि वर्षक भरदुतियाके टिका लगाबयके शुभ समय कात्तिक ११ गते भिन्सर ११ बाजि कऽ ४५ मिनेटमे रहल समिति जनौलक अछि । दिदी बहिनसब अपन भाइ भैयाके सुस्वास्थ्य, दीर्घायु तथा अटल सौभाग्यके कामना करैत माथमे टिका लगाबयके चलन अछि ।

एम्हर दियाबातिके लऽ लोकसब किछदिन पहिनेहिसँ अपन अपन दोकान घर तथा कलकारखाना सब धो पखारि कऽ साफ सुथरा केने अछि ।

अहिबिच आई धनतेरस सेहो अछि । आजुक दिन धातुके समान किनलासँ घरमे लक्ष्मी माताक बास होयबाक जनबिश्वास सेहो रहल अछि ।  आजुक दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न ठामक बजारसबमे धातुके समान तथा सोनचाँदी किनबाक लेल बिशेष भिड दखल जाऽ रहल अछि । धनतेरशके लऽ स्थानिय ब्यापारीसब सेहो ओतबे उत्साहित देखलगेल अछि । आजुक दिन आन दिनक अपेक्षा बेसी आम्दानी होयबाक ब्यापारीसब बतौलक अछि । 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन