Saturday, September 24, 2011

पोखरिमे डुबि कऽ आइ एकटा बालकके मृत्यु


जनकपुरधाम, आसिन ७ । जनकपुरक एकटा पोखरिमे डुबि कऽ आइ एकटा बालकके मृत्यु भेल अछि ।

स्थानिय वाड नम्बर १३ पिडारी रत्न चौक रहनियार दिलिप शर्माक ६ बर्षक बेटा आनन्द शर्मा बरहीके डुबि कऽ मृत्यु भेल अछि ।

आइ भिन्सर करिब ११ बजेदिस खेलय गेल समय पिछुरि कऽ रत्न सागर पोखरिमे डुबल पुलिस जनौलक अछि । बच्चा डुबल करिब १ घण्टाबाद जानकरी भेटलाक बाद शवके पोखरि सँ निकालल गेल छल ।

शवके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अँचल अस्पतालमे राखल गेल अछि ।

'घरमे स्कारपियो बाहर मुस्ताङ'


भक्तपुर, आश्विन ७ । एमाले नेता केपी ओली मधेसवादी दल आ माओवादी बीच भेल सहमतिमे १० हजार मधेसीके प्रवेश कराबयके निर्णय गलत भेल टिप्पणी केलनि अछि ।

शिविरमे रहल लडाकु व्यवस्थापन करय छोडि कऽ १० हजार मधेसीके सेनामे प्रवेश कराबयके सहमति कऽक माआवादी कु रास्तामे लागल बतौलनि ।

डेढ महिनामे शान्ति प्रक्रियाके पुरा करयके माओवादीके योजना जनताके ठकयके मात्रे रहल उल्लेख केलनि ।

शान्ति प्रक्रिया पूरा करब कहैत माओवादी भितरके लर्डाई देखावटी मात्रे रहल ओ टिप्पणी केलनि । 'चाबी चाही तऽ कुन माओवादीके कतेक झुप्पा चाबी चाही ? हम देब ।' आली कहलनि ।

सरकारक मिसन शान्ति आ संविधान कहितो मुस्ताङ गाडीके प्रचार मात्रे  भेल बतौलनि । मुस्ताङ गाडीके ओ महिसक सिंहके संज्ञा देलनि ।   लडाकु व्यवस्थापन करयके काज ओहिना छोडि कऽ सिंहके प्रचार केने जका मुस्ताङ गाडीके  प्रचार कऽ रहल ओ आरोप लगौलनि ।' ओ कहलनि 'घरमे स्कारपियो गाडी राखि कऽ बाहर मुस्ताङ गाडी चढि कऽ नाटक देखारहल अछि ।' शान्ति प्रक्रियाके एमाले मात्रे पुरा करय सकत ओ दावी केलनि ।

राजनीति नहि करय कर्मचारीसँ गृहमन्त्रीक आग्रह


पोखरा , आश्विन ७ । उपप्रधान तथा गृहमन्त्री बिजयकुमार गच्छदार ककरो नखरा के भरमे सरकार नहि खसत कहैत हालेमे सार्वजनिक राहत कार्यक्रमके प्रभावकारी रुपमे कार्यान्वयन करय सरकारी अधिकारीके निर्देशन देलनि अछि ।

आइ पोखरामे सरकारी कार्यालयके प्रमुखसबके सम्बोधन करैत कार्यबाहक प्रधानमन्त्रीसमेत रहल गच्छदार कर्मचारीसबके राजनीति बुझय मुदा राजनिति नहि करय आग्रह केलनि ।

गच्छदार केउ कल्पने नहि केने एखुनक गठबन्धन सरकारके केउ चाहियो कऽ खसाब नहि सकत दावी केलनि । ओ  योग्य प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे शान्ति आ संविधानक काम सम्पन्न हाएत बतौलनि । कांग्रेस आ एमालेके सेहो शान्ति आ संविधानक लेल सकरात्मक रुपमे आबय परत हुनक कहब छलनि ।

अनसन तोडय पौडेल केने आग्रहके अस्वीकृत


७ आसिन, काठमाण्डौँ । कांग्रेस उपसभापति रामचन्द्र पौडेल आमरण अनसन तोडय केने आग्रहके देउवा पक्षीय कार्यकर्ता अस्वीकार केलक अछि ।

अनसनस्थल पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपा पहुँच कऽ पौडेल आइ भिन्सर अनसन तोडि कऽ सहमतिके वातावरण निर्माणक लेल आग्रह कएने छलथि । जवाफमे अनसनकारी भातृ संस्था विघटनके निर्णय फिर्ता नहि लेबयधरि अपन कदममे पुर्नर्विचार करय तयार नहि रहल बतौने छल ।

अपन प्रस्ताव अस्वीकृत भेलाबाद पौडेल विधानके अधिनमे रहि कऽ केन्द्रीय समिति केने निर्णय फिर्ता नहि हाएत बतौने छलथि । अपन पक्षक पकड रहल भातृ संस्था विघटनके विरोधमे देउवापक्षीय कार्यकर्ता बितल बुधसँ पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे आमरण अनसन करैत आएल अछि । हुनकासबसँ भेट्य जाएबला उपसभापति पौडेल संस्थापन पक्षक पहिल नेता छथि ।

माओवादी आ कांग्रेसक दबाबमे पद छोडलौः खनाल


७ आसिन, बेनी । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल माओवादी आ कांग्रेसक दबाबमे अपने प्रधानमन्त्री पदसँ राजीनामा देबय परल बतौलनि अछि ।

एमाले म्याग्दी जिल्ला परिषद्क आइ बेनीमे उद्घाटन करैत अध्यक्ष खनाल बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकार इतिहासेके सबसँ कमजोर सरकार भेल दाबी कएलनि । अपन नेतृत्वमे सरकार बनत तऽ चमत्कार कऽक देखा देबयके घोषणा केने माओवादीक उपाध्यक्ष भट्टराई प्रधानमन्त्री बनल एक महिना होबय लगला बादो माछी धरि नहि मारने आरोप लगौलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई मुस्ताङ गाडी चढि कऽ गोरखपुरदिस गेल कहैत अध्यक्ष खनाल व्यङ्ग्य कएलनि । माओवादी असगरे चाहितोमे शान्तिप्रक्रिया आगु नहि बढत कहैत खनाल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प नहि रहल दोहरौलनि । एमालेक साथबिना माओवादी राष्ट्रिय सहमति जुटाबय नहि सकत खनालक कहब छलनि ।

पार्टी भितरेसँ असहयोग भेलः कोइराला


७ आसिन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला महाधिवेशन समाप्त भेल एक वर्ष बितलाक बादो पार्टी भितरेसँ असहयोग भेलासँ अपने काज करय नहि सकल बतौलनि अछि ।

कांग्रेसक न्हैकाप गाउँ कमिटी आइ आयोजना केने शुभकामना तथा चायपान कार्यक्रममे बजैत कोइराला ककरो नाम उल्लेख बिना केनेही वरिष्ठ नेता देउवातर्फ लक्षित करैत काममे असहयोग भेल उपराग देलनि । पार्टीक विधि विधान अनुसार कएल गेल भातृ संस्था विघटन सम्बन्धी निर्णयमे पुर्नर्विचार होबय नहि सकत ओ दोहरौलनि ।

वायह कार्यक्रममे बजैत महामन्त्री प्रकाशमान सिंह ककरो खुसी करय पार्टी हितके लेल भेल भातृसंस्था विघटनके निर्णय सच्याबय नहि सकयके स्पष्ट कएलनि ।

चाबीके बखेडा केनाइके औचित्य नहि अछिः बोगटी


७ आसिन, काठमाण्डौँ । उर्जामन्त्री एवं एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव पोष्टबहादुर बोगटी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षके चाबी विवादके बखेडा करयके कोनो औचित्य नहि रहल बतौलनि अछि ।

नुवाकोट-काठमाडौँ गणतान्त्रिक मञ्च आइ राजधानीमे केने चायपान तथा शुभकामना आदान-प्रदान कार्यक्रममे बजैत बोगटी वैद्य पक्ष भावनामे आबि कऽ चाबी विवादके बढौने बतौलनि । मन्त्री बोगटी वैद्यसमेतके सहमतिमे अध्यक्ष प्रचण्ड आ महासचिव रामबहादुर थापा संयुक्त हस्ताक्षर कऽ मधेसी मोर्चासँग भेल ४ बुँदे सहमतिके आसय झल्कयबला तीन टा पत्र सरकार गठन आगुए मोर्चासमक्ष पठाओलगेल खुलासा समेत कएलनि ।

कार्यदिशामे कोनो असहमति नहि जनौने वैद्य पक्ष आत्मकेन्दि्रत भऽ क काममे पार्टी नेतृत्वके असहयोग कऽ रहल हुनक कहब छलनि ।

माओवादीक अगुवाइमे शान्ति आ संविधानके पुरा करय चाहने बात कांग्रेस एमाले बुझि कऽ विरोध केने कहैत वोगटी पार्टीभितरके वैक्ष पक्ष ओ बात बुझय नहि सकनाइ बिडम्बना भेल विचार व्यक्त कएलनि । बोगटी लम्बा समयसँ पार्टीमे बाहर रहलासँ मुख्य संघर्ष प्रचण्ड आ बाबुराम भट्टराई बीचमे भेल जेहन देखयमे अबितो  ओहन कहनाइ वैद्यसँगे संघर्ष केन्दि्रत रहल खुलासा कएलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन