Tuesday, November 29, 2011

बिवाहपँचमी अन्तर्गत आइ राम आ सिताक बिवाह


१३ अगहन जनकपुरधाम । राम जानकी बिवाहपँचमी अन्तर्गत आइ राम आ सिताक बिवाह सम्पन्न हाएत । बिवाह पँचमी महोत्सवमे सहभागी होयबाक लेल श्रद्धालु भक्तजनसब ५ दिन पहिनेहीसँ जनकपुर आबय लागल छलथि ।

राम सिताक बिवाह कार्यक्रममे सहभागी होबय लेल नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानसँ दुर दुरसँ श्रद्धालु तथा  सन्त महात्मासबहक जनकपुर आएल छथि । अहिमे खास कऽ भारतक अयोध्यासँ सेहो पैघ सँख्यामे साधु महात्मासब जनकपुर पहुँचल छथि ।

आजुक दिन साँझमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे भगवान राम आ सिताक बिवाह कार्यक्रम सम्पन्न हाएत । ओइसँ पहिने धनुषा तथा महोतरीक बिभिन्न गाम गाम तथा कुटीसबसँ बिभिन्न किसिमक नाच आ झाँकी प्रस्तुत करैत जानकी मन्दिरमे आबि जानकी माताक डोला पाछु पाछु स्थानिय बारह बिग्हा रँगभुमि मैदानमे पहुँचत । अहि क्रममे लाखौ श्रद्धालुसब सेहो डोलाके पाछु पाछु सहभागी हाएत ।

राम मन्दिरसँ श्री राम जीक डोला आ जानकी मन्दिरसँ माता जानकीक डोला निकैल कऽ स्थानिय बारह बिग्हा मैदान पहुँचत । ओइठाम श्रद्धालु आ श्रीरामचन्द्र तथा माता जानकीक डोला पहुँचलाबाद स्वँयबर कार्यक्रम सम्पन्न हाएत । ओकरबाद बारह बिग्हासँ पुनः डोला सहितक भीड रामानन्द चौक पिडारी चौक मिल्स एरिया जनक चौक होइत नगर परिक्रमा करैत शोभा यात्रा निकालैत जानकी मन्दिरमे आबि कऽ परिक्रमा सम्पन्न हाएत । 

जानकी मन्दिरक प्राङणमे सब जम्मा भेलाबाद करिब साँझ ६ बजेसँ राम आ सिताक बैबाहिक कार्यक्रम शुरु हाएत । जाहिमे दुल्हा पक्षके दिससँ राम मन्दिरक महन्थ दशरथ बनल रहैत छथि तऽ कनिया पक्षक दिससँ  जानकी मन्दिरक महन्थ राम तपेश्वर दास बैष्णब सिताक पिता जनकके रुपमे प्रतिनिधित्व करताह । बिबाह समारोहमे जानकी मन्दिरक प्राङणमे लाखौके सँख्यामे भक्तजनसबहक भिड लागल रहैत अछि ।

अहिबीच एम्हर भिडभाडके ध्यानमे रखैत स्थानिय प्रशासन करिब १५ सयसँ अधिक सुरक्षाकर्मी परिचालन कएने अछि तऽ पाकेटमारसबहक गिरफ्तारीके लेल पुलिससबके सादा पोशाकमे सेहो परिचालन कएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अछि ।

एम्हर बिवाह पँचमीक अवसरमे जनकपुरक बिभिन्न बिद्यालयसब जनकपुरमे आएल अतिथिसबहक लेल निःशुल्क आवास के ब्यब्स्था सेहो कएने अछि तऽ बिभिन्न क्लब तथा जिल्ला जनस्वास्थ्य आ रेडक्रस सोसाइटि निःशुल्क दबाइ बितरण तथा जाँचके ब्यब्स्था सेहो कएने अछि ।

अहिना जनकपुर युथ क्लब जिरोमाइलमे निःशुल्क शिविरक आयोजना कएने अछि । जाहिमे निःशुल्क जाँच, दवाइ बितरण फलफुल बितरण सहित निःशुल्क आवासके सँगही खोज तलाश शिविरक सेहो आयोजना कएने क्लबक अध्यक्ष मनिष कुमार झा जानकारी देलनि अछि । ओ शिविरक आइ बृहत्तर जनकपुर क्षेत्र बिकाष परिषदक अध्यक्ष एवँ नेपाली काँग्रेस धनुषाक बरिष्ठ नेता दिगम्बर राय उदघाटन कएने छलथि ।

क्लबक सल्लाहकार नन्द कुमार झाक प्रमुख आतिथ्यमे उदघाटन भेल ओ शिविरमे प्रमुख अतिथिक आसनसँ बजैत राय स्थानिय रामेश्वरी देवी सरोवरके घाट तथा ओइठाम मन्दिर निर्माण कराबयके प्रतिबद्धता जाहेर कएलनि ।   

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन