Sunday, November 20, 2011

प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार निष्कर्षहीन


४ अगहन, काठमाडौँ । राज्य पुनर्संरचना आयोग गठनक विषयमे बिमर्श करय आइ भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार आयोग नेतृत्वमे सबके दाबी रहलाबाद बिना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरबार स्थित शान्ति मन्त्रालयमे बैसल बैसारमे माओवादी, कांग्रेस आ एमाले आयोगक नेतृत्व अपना अपना पाबयके दाबी केलक अछि । बैसारमे राज्यपुनर्सरचना आयोगमे रहयबला सदस्य आ क्षेत्राधिकारबारे बिमर्श भेल नेतासब बतौलक अछि । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल दलसब बिच आयोग गठनक विषयमे गम्भीर बिमर्श भेल सञ्चारकर्मीके जानकारी देलनि ।

अध्यक्ष खनाल ७ सदस्यीय आयोग गठन करयके वियषयमे सहमति नजदिक पुगितो नेतृत्व के लेत बिषयमे बिवाद उत्पन्न भेल बतौलनि । खनाल काल्हि भिन्सर मधेसी मोर्चा समेतके सहभागितामे बिमर्श कऽ सहमति कएल जाएत जानकारी देलनि । दलसबबीच बितल शुक्रके राति भेल दु बुँदे सहमतिमे तीन दिन भितर राज्यपुर्नसंरचना आयोग गठन करयके उल्लेख अछि ।

१७ वर्षक कर्टनी स्टोडेनके 'जानलेवा जलवा'








अल्ट्रा म्याराथुन दौड सुरु


गोकुल बानियाँ, सुनौलो एफएम,पोखरा

४ अगहन पोखरा । नेपालेमे पहिल बेर २ सय ५० किलोमिटर दुरीके अल्ट्रा म्याराथुन दौड पोखरामे सुरु भेल अछि ।

कास्कीके मर्दीसँ आइ भिन्सर ७ बजे सुरु भेल दौड कास्की, पर्बत आ म्याग्दीके बिभिन्न पर्यटकीय क्षेत्र होइत अगहन १० गते पोखरामे आबि कऽ सम्पन्न हाएत । दौडमे ४२ राष्ट्रके ६० महिला सहित २ सय २० धाबक सहभागी अछि ।

प्रतियोगिसबके आइ पहिल दिन कास्कीके मर्दीसँ धम्पुस, पोतना , चन्द्रकोट होइत पर्बतके नयापुल धरिके दुरी देलगेल अछि । प्रतियोगिताके दोसर दिन नयापुलसँ जैसीथोक, दुर्लुङ होइत पर्बतके कालिगण्डकी कातके खनियाघाट धरि, तेसर दिन तातोपानी होइत म्याग्दीके घाराधरि, चारिम दिन घोरेपानीसँ बिरेठाटी ,पाँचम दिन कास्कीके भदौरे होइत, पुम्दीसँ बेगनास ताल आ छठम दिन पोखराके फलवारी होटलमे आबि कऽ पुरा हाएत आयोजक बतौलक अछि ।

नेपालके साहसिक खेलकुद पर्यटनके रुपमे स्थापित करयके उद्देश्यसँ रेसिङ द प्लानेट ईन्टरनेशनल नामक संस्था प्रतियोगिताके आयोजना केने अछि । दौडमे १० गोटे अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके चिकित्सकसंगै उद्धारक लेल हेल्पलाईन आ फिस्टेल एयरके हेलिकप्टर स्ट्याण्डवाई रखने रेसिङ द प्लानेट ईन्टरनेशनलके प्रमुख सुमन पाण्डे जानकारी देलनि । प्रतियोगिता सहभागिसबके सहयोगीके रुपमे ४५ गोटे स्वयंसेवक सेहो खटाओलगेल अछि ।

अगिलगिके क्षति १० करोडसँ बेसी


इन्द्र बजगांई, रेडियो ताप्लेजुङ

४ अगहन पाँचथर । पाँचथरके उत्तरी गाविस थर्पुके दाहाल गाउँ बजारमे भेल अगिलगिके क्षति १० करोडसँ बेसी भेल होबय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

बितल अगहन ३० गते मध्यरातिमे विक्रम योङहाङके घरसँ पसरल आगिसँ दाहाल गाउँके बजारके १५ घर आ  २४ टा दोकान जरल छल । अगिलगिके कारण अखनधरि खुलय नहि सकितो विक्रम योङहाङके होटलसँ आगि पसरल पुलिसक प्रारम्भिक अनुमान अछि । योङहाङके होटलसँ आगि पसरय लागलाबाद होटलमे रहल ग्याँस बिष्फोट भऽ आगि अनियन्त्रित रुपमे फैलल छल ।

अगिलगिसँ भेल क्षतिके विवरण आबय नहि सकितो करिब ६ करोडके क्षति भेल पुलिसक प्रारम्भिक अनुमान रहितो स्थानियवासीसब १० करोडसँ बेसीके क्षति भेल जनौलक अछि । ताप्लेजुङ जिल्ला आ अन्य आसपासमे उत्पादन भेल अलैचीसब संकलन कऽ गोदाममे रहलासँ बेसी मात्रामे क्षति भेल स्थानियके कहब अछि । स्थानीय नारायण कोइराला अगिलगिसँ हजारौ मन अलैची जरिकऽ छाउर भऽ गेल बतौलनि ।


आइ अन्तराष्ट्रिय बाल अधिकार दिवस


४ अगहन जनकपुरधाम । आइ नोभेम्बर २० तारिक अर्थात अन्तर्राष्ट्रिय बाल दिवस ।

बाल अधिकार दिवसक अवसरमे आइ बिश्वधरि बिभिन्न कार्यक्रम कऽ इ दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रसंघ बालबालिकाके अधिकार सम्बन्धी घोषणापत्र १९५९ मे जारी केने आ बाल अधिकार सम्बन्धी महासन्धी १९८९ मे पारित केने स्मरणमे इ दिवस मनाओल जाइत अछि । नेपाल सेहो द दशक आगुए महासन्धि अनुमोदन केने अछि ।

नेपालमे ५ सँ १४ वर्षधरिके ३१ प्रतिशत बालबालिका श्रम शोषणमे परि रहल अनौपचारिक क्षेत्र सेवा केन्द्र इन्सेकके तथ्याङमे उल्लेख अछि ।

अज्ञात समूहद्धारा यात्रु बसमे आगजनी


४ अगहन, पर्सा । गण्डक जगरनाथपुर सडकखण्ड अन्तर्गत पर्साके लिपनीविर्ता-७ मे बितलराति अज्ञात समूह यात्रु बसमे आगि लगौलक अछि ।

लिपनीविर्ताके पटेल नगरमे यात्रुके पहुँचा कऽ वीरगञ्ज दिस घुरयके क्रममे ना १ ख १४४२ नम्बरक मिनी बसमे अपरचित आदमीसबहक समूह आगि लगौने पुलिस जनौलक अछि । अगिलगिसँ बस पुर्ण रुपमे जरि कऽ  नष्ट भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साक नायव उपरीक्षक दिवेश लोहनी जानकारी देलनि ।

अगिलगिके समयमे बसमे केउ नहि रहलासँ मानवीय क्षति नहि भेल लोहनी बतौलनि । एकाएक बसमे खराबी उत्पन्न भेलाबाद चालकके बस रोकिते ओ समूह बसमे आजगनी केने बस धनी रामस्वरुप साह बतौलनि । घटनाबारे अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

गौवाके प्रतिकारमे लुटेराके मृत्यु


४ अगहन, बारा । बारामे बितलराति गौवाके प्रतिकारमे एक लुटेराके मृत्यु भेल अछि ।

विसुनपुर्वा गाविस-८ के शिवशंकर सहनीके घरमे लुटपाट करय पहुँचल सात आठ गोटेके समुहमे सँ एक गोटेके गौवाके पिटाइसँ मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । लुटपाट करय गेल अज्ञात समूह सहनी आ हुनकर कनियाके पिटपाट कऽ घाइल बनौलाक बाद आक्रोशित गौवासब प्रतिकारमे उतरल छल ।

पिटपाटसँ मृत्यु भेल लुटेराके सनाखत होबय नहि सकल पुलिस जनौलक अछि । घटनाबारे थप अनुसन्धान भऽ रहल बारा प्रहरी प्रमुख प्रहरी नायव उपरीक्षक अनुराग द्विवेदी जानकारी देलनि ।

तालबन्दमे सेहो आइसँ वर्गीकरण सुरु


४ अगहन, जनकपुरधाम । सात मेसँ ६ टा मुख्य शिविरसँ काल्हिएसँ सुरु भेल माओवादी सेनाक लडाकुसबहक पुनवर्गीकरण कार्य कैलालीके तालबन्दस्थित सातम डिभिजनमे  आइसँ मात्रे वर्गीकरणके काम सुरु भेल अछि ।

उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षधर लडाकुके विरोधक कारण काल्हि वर्गीकरणके काम सुरु होबय नहि सकल छल । वैद्य पक्ष पुनवर्गीकरणके प्यकेजमे असन्तुष्टि जनौलाबाद वर्गीकरणके काम निर्धारित समयमे होबय नहि सकल छल । शिविर भित्रेसँ वैद्य पक्षक अवरोध अएलाबाद लडाकु प्रमुख नन्दकिशोर पुन आ जनार्दन शर्मा असन्तुष्टके मनाबय राजधानीसँ तालबन्द पहुँचल छलथि । अन्ततः पुन, शर्मा आ लडाकुबीच तुरुन्त बच्चा भेल आ घाइल तथा असक्त लडाकुके लेल विशेष प्याकेज लाबयके सहमित भेलाबाद वैद्य पक्ष वर्गीकरणमे जाए मञ्जुर केने अछि ।

अहिबीच काल्हिसँ सुरु भेल अन्य सातो मुख्य शिविरमे आइ सेहो वर्गीकरणके काम भऽ रहल अछि । आइ सेहो २८ सहायक शिविरमे रहल लडाकुके वर्गीकरणके लेल फेराफेरी कऽ कऽ मुख्य शिविर लाबयके आ साँझमे सम्बन्धित शिविरमे घुराबयके कार्यक्रम रहल अछि ।

हाल इलाममे १ हजार ९ सय ३०, सिन्धुलीमे १ हजार ६ सय ५८, चितवनस्थित शिविरमे ३ हजार ९ सय १९, नवलपरासीमे ३ हजार ३९, रोल्पामे दु हजार ४ सय २८ अनमनिसँ प्रमाणीकरणमे परल लडाकु अछि । अहिना सुर्खेतमे ३ हजार ८८, कैलालीमे ३ हजार ३ सय १० आ काठमाडौँस्थित जनसैनिक मुख्यालयमे १ सय ५३ गोटे लडाकु रहल अछि ।

प्रणव मुखर्जी अगिला सप्ताह नेपाल औताह


४ अगहन, काठमाण्डौ । नेपाल आ भारतवीच दोहोरा कर अन्त्य करयके सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी अगहन ११ गते नेपाल आबय लागल छथि ।

सरकारी स्रोतक अनुसार भिन्सर काठमाण्डौं आबि कऽ वायह साँझमे दिल्ली घुरय आगु अपन समकक्षी बर्षमान पुनसँग सम्झौतामे हस्ताक्षर करताह । एक महिना आगु प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमणके समय  हस्ताक्षर करयके तालिका रहितो भारतीय पक्षक आग्रहके कारण ओ सम्झौता होबय नहि सकल छल ।

पशुपतिनाथके दर्शन करय अपने काठमाण्डौं आबय चाहने आ ओहिके लेल दोहोरा कर अन्त्य करयके बहाना चाहि कहैत मुखर्जीके आग्रहमे ओ समय हस्ताक्षर रोकलगेल सरकारी स्रोतक दावी अछि ।

नेपाल भ्रमणके समय हुनका राष्ट्रपति रामबरण यादव, प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सहितक नेतासबसँग सेहो भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । किछूए घण्टा काठमाण्डौ रहल समय ओ पशुपतिनाथके दर्शन सेहो करताह बताओलगेल अछि ।

कब्जा घरजमिन फिर्ता कराबय प्रचण्ड आ सिटौला बर्दिया जाए लागल


४ अगहन, काठमाडौं । दलसबबीच भेल सहमति अनुसार द्वन्द्वकालमे कब्जा घरजमिन फिर्ता आइसँ सुरु होबय जाऽ रहल अछि ।

घरजमिन फिर्ताके सुरुवात करय माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ कांग्रेस महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला आइ बर्दिया जाऽ रहल छथि । १० वर्षे सशस्त्र द्वन्द्वकालमे बर्दियामे सबसँ बेसी घरजमिन कब्जा भेल छल ।

माओवादी कार्यालय सचिव शक्ति बस्नेतक अनुसार माओवादी पार्टीके नियन्त्रणमे रहल घरजमिन फिर्ता कएल जाएत तऽ किसानसबहक नियन्त्रणमे रहल विषयमे दलसबसँग परामर्श कऽ आवश्यक निर्णय लेल जाएत । प्रमुख दलसबबीच बितल कार्तिक १५ गते भेल सातबुँदे सहमतिमे अगहन ७ गतेभितर द्वन्द्वकालमे कब्जा घरजमिन फिर्ता करयके उल्लेख अछि ।

सहमति कार्यान्वयन करय माओवादी आन्तरिक शर्कुलर जारी कऽ चुकल अछि तऽ गृह प्रशासन समेत कब्जा घरजमिन फिर्ता कराबय आवश्यक तयारी कऽ रहल अछि । मुदा, माओवादीक मोहन बैद्य पक्ष  बैकल्विक व्यवस्था नहि होबयधरि कोनो  हालतमे कब्जा घरजमिन फिर्ता नहि करयके अडान लेने अछि ।

एमाले स्थायी समितिक बैसार आइ


४ अगहन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक स्थायी समितिक बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि । अगहन ७ गते सँ सुरु होबयबला केन्द्रीय कमिटीक बैसारक तयारीके लेल स्थायी समितिक बैसार बजाओलगेल अछि ।

केन्द्रीय कमिटीक बैसारमे प्रथम राष्ट्रिय प्रतिनिधि परिषद्क बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएबला प्रतिवेदन, पार्टीके आन्तरिक समीक्षा, कार्यविभाजन, समसामयिक राजनीति सहितक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत । बितल आसिन २६ गतेके लेल बजाओलगेल केन्द्रीय कमिटीक बैसार अगहन ७ सँ ९ गतेधरिके लेल तय भेल अछि ।

एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल केन्द्रीय कमिटी आ राष्ट्रिय प्रतिनिधि परिषद्क बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएबला प्रतिवेदन तयार कऽ चुकल छथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन