Friday, November 25, 2011

भारत एक सय मेगावाट बिजुली देबय तयार


नयाँदिल्ली-, अगहन ९ । भारत नेपालके थप सय मेगावाट बिजुली देबय तयार भेल अछि । जलस्रोतसम्बन्धी द्विपक्षीय सचिवस्तरीय दु दिना वार्ताके पहिल दिन काल्हि नयाँदिल्लीमे भारतीय अधिकारी नेपाली पक्षक आग्रह स्वीकारैत थप बिजुली देत जनौलक अछि ।

नेपाली टोलीक प्रमुख एवं ऊर्जा सचिव बालानन्द पौडेलक अनुसार बिजुली देबयके मितिबारे  आइ मात्रे निर्णय कएल जाएत । हाल रहल प्रसारण लाइन सामान्य मर्मत मात्रै कयियो कऽ दुई/तीन महिनाभितर थप सय मेगावाट बिजुली भारतसँ लाओल जाऽ सकयके निष्कर्षमे हाल दुनु देशक प्राविधिक अधिकारी पहुँचल छलथि ।

काठमाडौंमे हालेमे भारतीय पावर ट्रेडिङ करर्पोरेशन आ पावर ग्रिड भारतक अधिकारीसब तथा नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके अधिकारीबीच भेल बिमर्शक बाद प्रसारण लाइन मर्मतबाद ३ सय ६९ मेगावाट बिजुली भारतसँ नेपाल लाबय सकयके निर्णय भेल छल । हाल नेपाल भारतसँ १२० सँ १३४ मेगावाटधरि बिजुली लऽ रहल अछि ।

सँयुक्त जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा क वार्ता आ बिवरण सम्बन्धमे






अज्ञात रोगसँ विद्यार्थी बेमार होबय लगलाबाद विद्यालय बन्द


एसवी गौतम

९ अगहन सिन्धुली । विद्यार्थीसब अज्ञात रोगसँ विद्यालयमे वेहोस होबय लगलाबाद रानीवास गाविस२ मे रहल प्रभात उच्च मावि अनिश्चित कालके लेल बिद्यालय  बन्द कएलक अछि ।

विद्यालयके अनुसार ४ दिन आगुसँ देखलगेल अज्ञात रोगसँ अखनधरिमे १२ सँ बेसी छात्रा बेमार भऽ चुकल अछि । अधिकांस लोक अहि रोगके मासहिस्टेरिया रहल  आशंका कऽ रहल अछि । इ रोग लागलसबमे अपने आप हाँसयके, बर्बरायके, कानयके लक्षण देखलगेल अछि । कक्षा ६, , ८ आ ९ के विद्यार्थी प्रभावित भेल बताओलगेल अछि ।

विद्यार्थी बेमार भेल खबर सुनलाक बाद जिल्ला शिक्षा अधिकारी चन्द्रप्रसाद लुईटेलक नेतृत्वमे निरीक्षण करय सदरमुकामसँ चिकित्सक सहितक टोली विद्यालयमे पहुँचल छल । शिक्षा कार्यालय सेहो किछ समयके लेल विद्यालय बन्द करय लेल कहने अछि ।

३३ किलो अवैध लागु औषध सहित सल्यानसँ दु गोटे गिरफ्तार


मिना बुढाथोकी

९ अगहन सल्यान । ३३ किलो अवैध लागु औषध चरेस सहित पुलिस सल्यानके सल्ली बजारसँ दु गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे सल्यान बामेके ३९ वर्षक लीलाबहादुर बस्नेत आ जाजरकोट कोर्ताङके ३३ वर्षक धनबहादुर शाही रहल अछि । ओकरासबके क्षेत्रिय प्रहरी कार्यालय सुर्खेतके विशेष प्रहरी अनुसञ्धान टोली गिरफ्तार केलक अछि । गिरफ्तार भेल दुनु गोटेके अवैध लागु औषध कारोवार ऐन अनुसार कारवाही कएल जाएत पुलिस जनौलक अछि ।

परिचय पत्र नहि भेटलाबाद सिन्धुलीके लडाकु आक्रोसित


ध्रुवचन्द्र खड्का

९ अगहन सिन्धुली । विभिन्न चरण पार करितो इच्छा अनुसारक परिचयपत्र नहि पौअलाबाद सिन्धुलीके दुधौलीमे रहल माओवादी लडाकुके २ नं. डिभिजनके लडाकुसब आक्रोसित भेल अछि ।

इच्छा अनुसारक परिचयपत्र नहि देलासँ लडाकुसब आक्रोसित भेल दोसर डिभिजनके कमान्डर सुक बहादुर रोकाया शरद जानकारी देलनि । परिचय पत्र वितरण नहि भेलासँ लडाकुसबमे आशंका पैदा भेल समेत हुनक कहब अछि । सिन्धुलीमे रहल दोसर डिभिजन मुख्यालय आ ओइ अन्तर्गतके तीन टा सहायक शिविरके कऽ काल्हि धरिमे १ हजार १ सय ५९ लडाकुके पुनर्वर्गीकरण सम्पन्न भेल अछि । दोसर डिभिजनमे स्वेच्छिक अवकाससँ बेसी समायोजनमे जाएबलासबहक सँख्या बेसी रहल बताओलगेल अछि ।

लैंगिक हिंसा विरुद्धक १६ दिवसिय अभियान सुरु


९ अगहन जनकपुरधाम । आइ नोभेम्बर २५ तारिख अर्थात लैंगिक हिंसा विरुद्धक १६ दिवसिय अभियानक पहिल दिन , घर शान्ति  विश्व शान्तिके आधार नाराक सँग १६ दिवसिय लैंगिक हिंसा विरुद्धक अभियान सुरु भेल अछि ।

अभियानक सुरुवात भेल अवसरमे महिला समानता तथा लैङ्गिक हकअधिकारक बारेमे काम कएनिहार सरकारी एवम् गैरसरकारी संघसंस्थासब बिभिन्न कार्यक्रमक आयोजना कऽ रहल अछि । याह अवसरमे ओरेक नेपाल धनुषा आइ जनकपुरक जानकी मन्दिरक प्राङ्णमे भिडियो प्रदर्शन आ स्टलसब रखने अछि ।

सन् १९६० के नोभेम्बर २५ के दिन डोमिनिकन रिपब्लिकके तानाशाह राफेल लिओनिदास त्रुजिलो मोलिना अपना विरुद्ध आन्दोलन केने कहैत मिराबल दिदी बहिन प्याट्रिया मर्सिडिस, मारिया अजेन्टिना मिनेरभा आ एन्टोनिया मारिया टेरेसा मिराबलके हत्या केने छल । याह ३ दिदीबहिनके हत्या भेल दिनके महिला हिंसा विरुद्धक दिनके स्मरण करैत अधिकारकर्मीसब विश्वव्यापी दिवस मनौने आ सन् १९९१ सँ संयुक्त राष्ट्र संघ सेहो मान्यता देलाबाद इ अभियान आरो विश्वव्यापी बनल अछि । नेपालमे सेहो  १० वर्ष आगुएसँ महिला हिंसा विरुद्वक १६ दिवसिय अभियान सञ्चालन होइत आएल अछि ।

अहि अवसरमे जनकपुर राजधानी काठमाडौं सहित गाउँ, जिल्ला, क्षेत्र तहमे सेहो लैङ्गिक समानता सम्बन्धि जनचेतना मुलक कार्यक्रमक आयोजना भऽ रहल अछि ।

अहिबीच आर्थिक वर्ष २०६८ / ६९ के कात्तिक महिना धरिमे १ सय १३ टा महिला हिंसाक घटनाबारे जानकारी भेल राष्ट्रिय महिला आयोग जनौलक अछि ।

प्रमुख तीन दलक बैसार आइयो बैसत


९ अगहन काठमाण्डौ । संविधानसभाक म्याद थपय आ राज्यपुनर्संरचना आयोगमे सदस्य थपयके बारेमे बिमर्श करय प्रमुख तीन दलक बैसार आइ सेहो बजाओलगेल अछि ।

संविधानसभाक म्याद तीन या ६  महिना कतेक थपल जाए बिषयमे दलसबबीच फरक फरक धारणा रहल समय प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई तीन दलक बैसार बजौने छथि । बेरियामे ४ बजेबाद सिंहदरवारस्थित शान्ति मन्त्रालयमे सुरु होबयबला बैसारमे संविधानसभाक चरिम बेर थपल जाएबला म्याद आ अहिसँ आगु दलसबबीच भेल ७ बुँदे सहमति कार्यान्वयन प्रक्रियाके समीक्षा हाएत । प्रधानमन्त्री भट्टराई संविधानसभाके म्याद ६ महिना थपयके प्रस्ताव प्रमुख तीन दलक बैसारमे अहिसँ आगु प्रस्ताव कएने छलथि ।

अहिना राज्यपुनर्संरचना आयोगमे एक गोटे दलित सदस्य सहभागी कराबयके बारेमे सेहो तीन दलक बैसारमे सहमतिके प्रयास हाएत प्रधानमन्त्रीक नीजि सचिवालय जनौलक अछि । संसदमे आयोगमे दलित समुदायके प्रतिनीधित्व नहि भेल कहैत बिभिन्न पार्टीक सभासद विरोध जनौलाबाद तीन दलक कौल्हका बैसारमे आयोगमे १ गोटे दलित सदस्य राखयके सहमति भेल छल ।

द्वन्द्वके समयमे माओवादी कब्जा केने घरजमिन फिर्ताके ब्यबहारिक कार्यान्वयके बिषयमे सेहो बैसारमे बिमर्श हाएत । घरजमिन फिर्ता सुरु करय लेल किछ दिन आगु माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड , नेपाली काङ्ग्रेसक नेता कृष्णप्रसाद सिटौला आ एमाले उपाध्यक्ष बामदेव गौतम बर्दियामे पहुँचल छलथि । एम्हर माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष  कब्जा घरजमिन फिर्ता करयमे अबरोध कऽ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन