Monday, September 12, 2011

भारतीय नेतासबहक टोली नेपाल आबि रहल


२६ भादव, काठमाडौँ । भारतीय नेतासबहक एक टोली नेपालक अनौपचारिक भ्रमणमे आबय लागल अछि ।

भारतीय दैनिक पत्रिका द हिन्दुस्तान टाइम्स के अनुसार कांग्रेस महासचिव दि्ग्विजय सिंह नेतृत्वक टोली याह महिनाके अन्त्यधरि नेपाल आबय लागल छथि । भ्रमण टोलीमे जनता दल युनाइटेडके अध्यक्ष शरद यादव, भारतीय कम्युनिष्ट पार्टी माक्र्सवादीक नेता सिताराम यचुरी आ भाजपाक पूर्वप्रमुख रामनाथ सिंह सहितक आधा दर्जन भारतीय नेता सहभागी होयबाक जनाओल गेल अछि । भ्रमणके क्रममे द्विपक्षीय सम्बन्ध सुधारके प्रयासमे टोली नेपालक सरकारसँग वार्ता करत उल्लेख अछि ।

संयुक्त जातीय मोर्चाके पूर्व बन्द फिर्ता


२६ भादव, झापा । संयुक्त जातीय मुक्ति मोर्चा आहृवान केने अरुण पूर्वके ९ जिल्ला बन्दक कार्यक्रम फिर्ता लेलक अछि ।

मोर्चा आ पूर्वाञ्चलका क्षेत्रीय प्रशासक धरणिधर खतिवडा आ सुरक्षा निकाय प्रमखसँग भेल अनौपचारिक वार्ता सहमतिमे पुगलाबाद बन्द फिर्ता लेबय मोर्चा सहमत भेल अछि । मोर्चाक वार्ता समिति संयोजक दलमान कामी अपन माग सम्बोधनके लेल राज्य पक्षसँ सकारात्मक प्रतिक्रिया एलाबाद बन्द फिर्ता लेल गेल  जानकारी देलनि । हुनका अनुसार औपचारिक वार्तामे बसि कऽ समस्या समाधान करयके सहमति दुनु पक्षबीच भेल अछि ।

बन्दक कारण पुर्वके झापा, मोरङ, सुनसरी, ताप्लेजुङ, पाँचथथर, संखुवासभा, तेह्रथुम सहितक जिल्लाके जनजीवन  प्रभावित भेल छल ।

मोर्चा विभिन्न समयमे गिरफ्तार भेल अपन कार्यकर्ताके निसर्त रिहाई आ समयमे संविधान जारी करयके माँग करैत बन्दक आहृवान केने छल ।

एक दर्जन माओवादी नेताके पटना उच्च न्यायालय ११ वर्ष कैदके सजाय सुनौलक


२६ भादव, काठमाण्डौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी अपन केन्द्रीय आ क्षेत्रीय स्तरके नेता तथा सभासद समेत कऽ ११ गोटे विरुद्ध भारतीय अदालत सुनौने फैसलाप्रति अपन पार्टीके ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अछि ।

माओवादी ओ मुद्धा फिर्ताके लेल पहल करय समेत माँग केलक अछि । आइ बैसल व्यवस्थापिका संसदके शून्य समयमे बजैत पार्टी स्थायी समिति सदस्य समेत रहल माओवादी सभासद गिरिराजमणि पोखरेल मुद्धा फिर्ताके लेल कुटनीतिक पहल करय सभामुख सुवास नेम्वाङके ध्यानाकर्षण करौलनि अछि ।

सशस्त्र द्वंद्वके समय भारतमें रहल नेपालके करीब एक दर्जन माओवादी नेताके पटना उच्च न्यायालय ११ वर्ष कैदके सजाय सुनौने छल । अइ सभ पर देशद्रोहीके मुद्धा चलाओल गेल छल । आठ साल पहिनेके अहि मुद्या पऽ सुनवाई करैत पटना उच्च न्यायालय  माओवादी नेतासभके कैद सहित जरिवानाके सजाय सेहो तोक्ने अछि ।
सजा पाबयबलामे  पूर्व मंत्री लोकेन्द्र बिष्ट तथा कुलप्रसाद केसी आ अनिल शर्मा बिरहीके ६ बर्ष कैद आ ७ लाख जरिवाना तोकल गेल अछि । अहिना पूर्व मंत्री हितबहादुर तामाङके ५ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवाना, चित्रबहादुर श्रेष्ठके ५ बर्ष कैद आ ७ लाख रूपैया जरिवाना, सभासद तारा घर्तीके ५ बर्ष कैद आ ३ लाख ७५ हजार रूपैया जरिवाना, कुमार दाहालके ५ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवाना, सुमन तामाङके ५ बर्ष कैद आ ६ लाख रूपैया जरिवाना, श्यामकिशोर यादव आ दिलिप महर्जनके ५ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवाना तथा मिनप्रसाद चापागाईके ४ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवानाके सजाय सुनाओल गेल अछि ।

सभासद् तारा के अनुसार सजाय पाबयबला इ  माओवादी नेता सभके आठ साल पहिने सशस्त्र द्वन्द्वके समय एक बैसारमे भाग लेबय लेल पटना पहुंचल समय  गिरफ्तार कएल गेल छल । २ वर्षधरि बिहारके अलग अलग जेलमें सजाय कटलाबाद अहि सभ गोटेके जमानत प रिहा कएल गेल छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन