Saturday, November 05, 2011

पर्यटकके उद्धारमे सैनिक विमान प्रयोग कएल जाएत


काठमाडौ, कार्तिक १९ । खराब मौसमके कारण हवाई सेवा अवरुद्व भऽ क लुक्लामे रहय बाध्य विदेशी पर्यटकके उद्धार करय नेपाली सेनाके एम आई १७ हेलिकप्टर प्रयोग कएल जाएत ।

पर्यटन बोर्ड आ पर्यटन व्यवसायी सैनिक मुख्यालयमे अनुरोध कएलाबाद ओ हेलिकप्टर पर्यटकके उद्धारक लेल प्रयोग कएल जाएत बताओलगेल अछि ।

ट्रेकिङ एसोसिएसन अफ नेपालक कोषाध्यक्ष अञ्जान कुमार थापा आइ मौसममे सुधार अबिते ओ हेलिकप्टर लुक्ला जाऽ क रोगी तथा अन्तर्राष्ट्रिय उडानमे जाएबला पर्यटकके प्राथमिकता देख कऽ ओकरासबके काठमाडौँ लाओल जाएत बतौलनि ।

कोषाध्यक्ष थापा ओ हेलिकप्टर भाडामे लेने वापत आइ २० लाखके चेक सेनाके खातामे जम्मा केने जानकारी देलनि । 


प्रधानमन्त्री मुग्लिङके होटलके केलनि अनुगमन


गोरखा, कार्तिक १९ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ भिन्सर धादिङके राजमार्गके होटलको निरीक्षण कएलनि अछि ।

 गृहजिल्ला गोरखा जाएके क्रममे ओ मुग्लिनके होटल तथा रेष्टुरेण्टसबके आकस्मिक निरीक्षण कएलनि अछि । ओ मुग्लिनमे रहल रुप्सी रेष्टुरेण्ट एण्ड लज आ थकाली भान्साघरक निरीक्षण कएलनि ।

प्रधानमन्त्री होटलके भानस घर आ शौचालयके समेत निरीक्षण कएलनि तऽ होटलके ग्राहकसबसँग खाना आ सरसफाईबारे जानकारी लेलनि । निरीक्षणके बाद ओ होटल सञ्चालकसबके मूल्यसूची अनिवार्य राखय तथा होटलके सरसफाईमे ध्यान देबय निर्देशन देलनि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आइ भिन्सरे चितवनके फिस्लिङमे किछदिन आगु टुटल झोलुङ्गे पुलक निरीक्षण कएलनि । वायह क्रममे हुनका स्थानीयवासीसब तीन बुँदे ज्ञापन पत्र सेहो बुझौने छल ।

पुल टुटलाबाद घाइल भेल दु गोटेके इलाज सरकार करत घोषणा करैत ओ पुल टुटि कऽ वेपत्ता भेलसबके खोजि सरकार कऽ रहल जानकारी देलनि ।

अहिबिच संविधानसभाक निर्वाचनमे बिजयी भेलाबाद मासिक गोरखा पहुँचयके बचन देने प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ ४६ हम् बेर गोरखा पहुँचल छथि ।

आइए काठमाडौं घुरबाक कार्यक्रम रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके जिल्लामे आधा दर्जन छोट छोट कार्यक्रममे सहभागी होबयके कार्यक्रम तय रहल स्वकीय सचिव फडिन्द्र देवकोटा बतौलनि । देवकोटाके अनुसार प्रधानमन्त्री कर्मचारी भेटघाट तथा निर्देशन, कार्यकर्ता भेटघाट, शहिद स्मृति सभामे सम्वोधन, विकास निर्माणके लेल डेलिकेशनके टोलीसँग भेटघाट सहितक कार्यक्रममे व्यस्त रहताह ।

माओवादी कब्जा केने सम्पत्ति फिर्ता करयके निर्देशन देत


१९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी सशस्त्र द्वन्द्व कालमे कब्जा केने घरजमिन सम्बन्धित व्यक्ति तथा संस्थाके फिर्ता करय आन्तरिक सर्कुलर जारी करय लागल अछि ।

सिंहदरबारमे आइ भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक बैसारमे माओवादीके आइए ओइबारे आन्तरिक पार्टी पंक्तिमे सर्कुलर करयके सहमति भेल अछि । बितल मंगलके राति भेल सातबँदे सहमतिके छठम् नम्बर बुँदामे आगामी ७ अगहनधरिमे कब्जा घरजमिन सम्बन्धित पक्षके हस्तान्तरण भऽ जाएके उल्लेख अछि । अहिना माओवादी पूर्वसहमति अनुसार सामूहिक रुपमे रहिरहल वाइसिएलके सदस्यसबके तत्काल क्याम्प खाली करयके सेहो निर्देशन देबयके निर्णय भेल एमाले नेता भीम रावल जानकारी देलनि । सहमतिमे उल्लेख भेल अनुसार उच्चस्तरीय राजनीतिक संयन्त्र तत्काल गठन नहि होबयबला अछि । बैसारसँ राजनीतिक सहमति नहि जुटाबयके काममे अहिसँ आगु बितल २ आसिनमे गठित तीन दलीय कार्यदलके सक्रिय बनाबयके निर्णय केने अछि । कार्यदलमे माओवादीसँ वर्षमान पुन, कांग्रेससँ रामशरण महत आ एमालेसँ भीम रावल अछि । बैसारमे सातबुँदे सहमति बाद विकसित पछिला राजनीतिक अवस्था, सहमति कार्यान्वनमे भेल प्रगति तथा माओवादीक मोहन बैद्य समूह केने विरोध सहितक विषयमे बिमर्श भऽ रहल एक नेता जानकारी देलनि ।

माओवादीभितर ‘पूर्वएमाले’के अलग भेला


१९ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीभितरके अन्तरसंर्घष बढैत गेलाबाद शान्तिप्रक्रियाके बाद माओवादीमे प्रवेश केने नेता-कार्यकर्तासब सेहो अलग भेला करय लागल अछि ।

याह सिलसिलामे एमाले, माले होइत माओवादीमे प्रवेश केनेसब राजधानीमे अलगे भेला केलक अछि । स्रोतक अनुसार एमालेसँ माओवादीमे प्रवेश केने भीमबहादुर कडायत, डिल्लीराज खनाल, शिवराज गौतम सहितकसब एहन अलगे भेला केलनि अछि । अपनासबके जनयुद्धसँ आएलसब ‘चैते’ कहैत अपमानित केने आ पाछु पारयके प्रयत्न केने कहैत पूर्वएमाले कार्यकर्तासब माओवादीमे अलगे समूह बनाबयके आवश्यकतामे जोड देने स्रोतक कहब अछि । विशेष कऽ वैद्य पक्षक नेतासब अपनासबके बेसी इज्जत नहि केने हुनकासबहक उपराग छन्हि ।

सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन करयके तीन दलक प्रतिबद्धता


काठमाडौं, कार्तिक १९ । प्रमुख तीन दल मंगलके राति केने शान्ति प्रक्रिया पुरा करयके सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन करयके प्रतिबद्धता दोहरौलक अछि ।

कांग्रेस संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे आइ भिन्सर भेल बिमर्शमे माओवादी, कांग्रेस आ एमाले सहमति कार्यान्वयनमे बाधा आबय नहि देबयके निर्णय केलक अछि ।

तीन दलबीच माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल अमेरिकासँ घुरलाबाद मात्रे उच्चस्तरीय राजनीतिक संयन्त्र गठन करयके सहमति भेल अछि ।

नायिका अनुश्का








सरिना मास्के









सरिना मास्के चाइनाके चेङदुमे आयोजना होबय लागल ५१ हम् मिस इन्टरनेशनल प्रतियोगितामे भाग लऽ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन