Friday, March 18, 2011

कुकुर बिलाईरके झगडा आब छोडय पडत


काठमाडौ, ४ चैत । भैतिक योजना तथा निर्माणमन्त्री टोपबहादुर रायमाझी नेपाली कांग्रेसके सरकारमे लाबयके प्रयास भऽ रहलाक कारण सरकारके तत्काल पूर्णता देबय नहि सकल बतओलन्हि अछि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्याक्रममे माओवादी नेता समेत रहल मन्त्री रायमाझी ई बात बतओलन्हि अछि।
कांग्रेस सरकारमे सहभागी नइ भेल तऽ सरकार राष्ट्रिय स्वरुप प्राप्त करय नइ सकत आ शान्ति संविधानक कार्यभार सेहो पुरा होवय नइ सकत कहैत ओ कांग्रेसके जेना तेना सरकारमे लाबिक रहब बतओलन्हि अछि।ओ कहलन्हि जे माओवादी सरकारमे जायत तऽ कांग्रेस प्रतिपक्षमे बैसत, कांग्रेस सरकारमे जायत तऽ माओवादी प्रतिपक्षमे बैसके बात कुकुर बिलाईरके झगडा आब छोडय पडत कहैत शान्ति आ संविधानक सुनिश्चितताकलेल कांग्रेसके सरकारमे आबय पडत हुनक कहब छलन्हि ।
दलसभबीच सहमति बनल तऽ एक महिनामे शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्य निस्कर्षमे पहुँच जाएत दावा करैत मन्त्री रायमाझी ऐखनुक अवस्थामे सुधार नइ आएल तऽ १० वर्षधरि सेहो संविधान बनय नइ सकत ठोकुवा कएलन्हि अछि।

इन्जनियरिङ परिषद्क अध्यक्ष नियुक्ति रद्द

काठमाडौं, चैत ४ । अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रालय केने इन्जनियरिङ परिषद्क अध्यक्ष नियुक्ति रद्द करय निर्देशन देलक अछि ।
तोकल मापदण्ड नै पहुँचलके परिषद्क अध्यक्ष नियुक्ति केने ठहर करैत अख्तियार नियुक्ति रद्द करय निर्देशन देलक अछि । मन्त्रालय अइस आगु इन्जिनियर शालिग्राम तिवारीके परिषद्क अध्यक्ष पदमे नियुक्त केने छल । नेपाल इन्जिनियरिङ परिषद् ऐनमे परिषद्क अध्यक्ष होबय स्नातकोपाधि प्राप्त क १५ वर्ष इन्जिनियरिङ व्यवसायमे अनुभव प्राप्त व्यक्ति होबय परबाक उल्लेख अछि ।

पत्रकारिता आग्रह-पूर्वाग्रहस मुक्त नै अछि: प्रधानमन्त्री


काठमाडौं, चैत ४ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल नेपाली पत्रकारिता अखनो मनोगत आग्रह-पूर्वाग्रहस मुक्त होबय नै सकल बतौलनि अछि ।
आइ प्रेस काउन्सिलक ३५ हम् वाषिर्क प्रतिवेदन लोकार्पण तथा पुरस्कार वितरण कार्यक्रमके सम्वोधन करैत प्रधानमन्त्री खनाल कहलनि जे ‘अखन देशके पत्रकारिताके आरो बेसी जनउत्तरदायी, तथ्यपरक आ स्तरीय भेनाई आवश्यक अछि । मनोगत आग्रह-पूर्वाग्रह, तथ्यसबहक तोरमरोड, विभिन्न व्यक्ति आ समूहक अनुचित आ दाउपेचयुक्त चलखेलमे मिडियाके दुरुपयोग जेहन समस्या नेपाली प्रेसमे विद्यमान रहल स्थिति अछि ।’
राष्ट्रिय स्वार्थके रक्षा, सामाजिक उत्तरदायित्वके बहन आ आम नागरिकके बलिदानीपूर्ण संघर्षस प्राप्त उपलब्धिसबहक संस्थागत बिकास करयके राष्ट्रिय लक्ष्य पूरा करय समेत नेपाली प्रेसके आरो बेसी जिम्मेवार होबय परत हुनक कहब छलनि ।
मिडियाके विकासक लेल सरकार ठोस नयाँ कार्यक्रम लाओत कहैत प्रधानमन्त्री खनाल व्यवसायिक पत्रकारिताके विकाससँगै सम्पादकसबहक योग्यता तथा मापदण्ड तोकयके समय आएल बतौलनि ।

चीनीयाँ नेतासबस भेट नै केने छी: प्रचण्ड


काठमाडौं, चैत ४ । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड ५ दिनभितरे सेना समायोजनके विस्तृत खाका बनि जाएत दावी कएलनि अछि ।
तीन दिना सिंगापुर भ्रमण पूरा क स्वदेश घुरलाबाद भित्रुवन अन्तराष्ट्रिय विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसबसँग बातचीत करैत प्रचण्ड याह सरकार शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाओत दावी कएलनि । ओ भावी संविधानक मूख्य विवादित विषयसब राज्य पुनःसंरचना, शासकीय स्वरुप, न्याय प्रणाली सहितकसबमे जल्दिए सहमति हाएत बतौलनि । विवाद समाधानक लेल संवैधानिक समिति गठन केने उपसमितिक संयोजक समेत रहल प्रचण्ड सब दल सक्रियता देखाओत त आगामी जेठ १४ भितरे नयाँ संविधान जारी हाएत विश्वास व्यक्त कएलनि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सिंगापुर रहयके क्रममे अपने चीनीयाँ नेतासबस भेट नै केने बतौलनि । एसिया प्यासिफिक फाउन्डेसनक कार्यक्रममे सहभागी होबय ओ बितल बुधदिन सिंगापुर गेल छलथि । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड फाउन्डेसनक सह अध्यक्ष समेत छथि ।

भरुवा बन्दुकके गोली लागि एक गोटे युवककेँ मृत्यु

सिरहा, चैत ४ । सिरहाकेँ उत्तरवर्ती गाविस विष्णुपुरकटी ४ मे वितल राति भरुवा बन्दुकके गोली लागि एक गोटे युवककेँ मृत्यु भेल अछि ।
विष्णष्पुरकटी ४ सरेअम्वासक ३९ बर्षक बिचारी कार्कीकेँ अपने भरुवा बन्दुकके गोली छुटलासँ वितल राति मृत्यु भेल अछि । कार्की नशालु पदार्थ सेवन कऽ बन्दुक चलओला सँ हुनक मृत्यु भेल परिवारजन बतौलक अछि । मृतक कार्कीकेँ शव पोष्टमार्टमकलेल लहान अस्पतालमे राखल गेल वडा प्रहरी कार्यालय लहान जनौलक अछि ।

राप्रपा नेपाल शान्तिके लेल आन्दोलन करत

काठमाडौं, चैत ४ । राप्रपा नेपाल आगामी जेठ १४ भितर नयाँ संविधान जारी करय आ ओइस आगु शान्तिप्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबय देशभरि दवावमूलक कार्यक्रम तय केलक अछि । काठमाडौंमे दु दिनधरि चलल केन्द्रीय कार्यसमिति आ जिल्ला सभापतिसबहक संयुक्त बैसारस जनसंघर्षक कार्यक्रम तय केलक अछि ।
राप्रपा नेपालक संसदीय दलक नेता चन्द्रबहादुर गुरुङके अनुसार चैत १५ स कार्यक्रमके प्रचार प्रसार आ चैत महिनाके अन्त्यस पचहत्तरो जिल्लासबमे जनसभा कएल जाएत राप्रपा नेपाल जनौलक अछि ।
राप्रपा नेपाल जेठ ५ स राजधानी केन्द्रीत आन्दोलन करयके आ जेठ १४ मे संविधानसभा आगु धर्ना देत नेता गुरुङ जानकारी देलनि ।

सुरक्षा परिषद देलक 'कार्रवाहीके मंज़ूरी, बेनग़ाज़ीमें जश्न


लिबिया, चैत ४ । लिबियामे रहल नागरिक आ नागरिक क्षेत्रके कर्नल गद्दाफ़ीके फ़ौजके हमलास बचाबय लेल सदस्य देशसबके आबश्यक सम्पुर्ण क़दम उठाबय लेल संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद लीबिया प एक प्रस्ताव पारित करैत अनुमति द देलक अछि ।
अईके बाद अमरीकाक राष्ट्रपति बराक ओबामा ब्रिटेन आ फ़्रांसके नेताके फ़ोनस बातचीत केलनि अछि । प्राप्त जानकारी अनुसार सुरक्षा परिषदके प्रस्तावके लागू करयके बिषयमे ओबामा अइ देशके नेतासबस चर्चा कएलनि अछि ।
अइ प्रस्तावके अनुसार लीबिया 'नो फ़्लाई ज़ोन' हाएत आ ओतय राहत सामग्री ल जाए बला विमानके छोड़ि क अन्य कोनो विमानके उडा़न भरयके इजाज़त नहि देल जाएत मुदा प्रस्तावमें विदेशी थल सेनाके खटाबय सकयके बात अछि ।
इ प्रस्ताव ब्रिटेन, फ़्रांस आ लेबनान रखने छल आ अइके पक्षमें दस देश भोट देने छल जकर विरोध कोनो देश नहि केलक । संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदके पाँच स्थायी सदस्य मेंस रूस आ चीन २ टा देश मतदानमें हिस्सा नहि लेलक आ भोट सेहो नहि देलक ।
भारत, जर्मनी आ ब्राज़ील सेहो मतदानमें भाग नहि लेलक । अइ देशसबहक कहब अछि जे एहन सैन्य कार्रवाहीस अंतत: लीबियाके आम नागरिकके मदद करयके बदला नोक्सान पहुँचाओत ।
प्रस्ताव पारित भेलाबाद बेनग़ाज़ीमें लोगसब जश्न मना रहल अछि ।

मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ जनकपुर आएल

जनकपुर, चैत ४ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिक परिक्रमा आइ जनकपुर आएल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिक परिक्रमा जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारत नेपालक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत आइ जनकपुरक बारह बिग्हा स्थित झुला घरमे आएल अछि ।
आइ रातिमे ओइठाम बिश्राम केलाबाद परिक्रमा काँल्हि भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा करैत परिक्रमाके समापन कएल जाएत ।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरसँ साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे आएल अछि । ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क चुरा मिठाके ब्यबस्था सेहो कएने अछि ।

खेल समाचार


एजेन्सी, चैत ४ - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत आइ भारतक कलकतामे भ रहल नेदरल्याण्ड आ आयरलैण्ड बिचक खेलमे नेदरल्याण्ड आयरलैण्ड समक्ष जितयके लेल ३०७ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
नेदरल्याण्ड टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत पुरा ओभर खेलैत सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे ३०६ रन बनौलक अछि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल आयरलैण्ड टिम समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर भारतक मुम्बईमे भ रहल श्रीलँका आ न्युजिलैण्ड बिचक खेलमे श्रीलँका टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत ,,,,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

युवाके आक्रमणस एक पुलिस घाइल, ७ राउन्ड गोली गायव

ताप्लेजुङ, चैत ४ । ताप्लेजुङके ढुंगेसाँघु गाविसमे युवासबहक आक्रमणस पुलिस जवान सन्जय नेम्वाङ घाइल भेल अछि त पुलिसक सात राउन्ड गोली हेराएल अछि ।
आक्रमणके बाद हेरारहल तीन गोटे पुलिस रातीए ११ बजे सम्पर्कमे आबिगेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी देवराज ढकाल जानकारी देलनि अछि । आक्रमण केने आरोपमे पुलिस एक दर्जन युवासबके गिरफ्तार केलक अछि ।
एकसप्ताह आगु भेल फुटबल प्रतियोगिताके विषयमे फाकुम्बा आ ढुंगेसाँघु गाविसके युवासब बिचक विवाद मिलाबय ढुंगेसाँघु पहुँचल पुलिस सबके फाकुम्बा बासी आक्रमण केने बताओलगेल अछि ।

प्रधानमन्त्रीक कुटनीतिक भेटवार्ता जारी


काठमाडौं, चैत ४ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ सेहो कुटनीतिक भेटवार्ता जारी रखलनि अछि । प्रधानमन्त्री निबास बालुवाटारमे रसिया, बेल्जियम आ अरमानियाके राजदुतसब प्रधानमन्त्री खनालसँग भेटवार्ता केलनि अछि ।
भेटमे नेपालक समसामयीक राजनीतिक अवस्था, शान्तिप्रक्रिया आ संविधान लेखनके विषयमे बातचित भेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि ।
नेकपा एमालेक अध्यक्ष समेत रहल खनाल प्रधानमन्त्री भेलाबाद किछ दिन एहर विभिन्न देशके राजदुतसब भेटैत आएल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन