Thursday, May 12, 2011

राहदानी दुरुपयोगक बिषयमे सनुवाई आइ सँ


काठमाडौ, वैशाख २९ । राहदानी दुरुपयोगक विषयमे मुद्दा चलाओलगेल सभासदसभ आ कर्मचारी उपर आइ विशेष अदालतमे सुनुवाई भऽ रहल अछि ।
 विशेष अदालतमे प्रारम्भिक सुनुवाईके बाद थुनछेक बहस हाएत । राहदानी बेच्ने अभियोगमे मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक सभासद वीपी यादव आ नेपाली जनता दलक सभासद गायत्री साह विरुद्ध काल्हि विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल छल । अहिना अख्तियार अध्यागमन विभागक प्रमुख खडानन्द ढकाल शाखा अधिकृतसभ भूमिनन्द भण्डारी आ श्यामबाबु भण्डारी कम्युटर अधिकृत इन्द्रकुमार सुनुवार वरिष्ठ अधिकृत देवीदत्त खत्री सन्तोष उप्रेती आ हरिचरण साहविरुद्ध सेहो मुद्दा दायर केने अछि । अख्तियार भ्रष्टाचार निवारण ऐन २०५९ के दफा  बमोजिम मुद्दा दायर केने अछि । विशेष अदालतमे मुद्दा दायरसँगै अभियुक्त सभासदसभ साह आ यादव सभासद पद सँ निलम्बनमे परल छलथि ।

काङ्ग्रेस सभापति कोइराला आ भारतीय राजदूत सुदबीच बिमर्श


काठमाडौ, वैशाख २९ । नेपाली काङ्ग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ नेपालक लेल भारतीय राजदूत राकेश सुदबीच बिमर्श भेल अछि ।
कोइराला निवास महाराजगँजमे भेल भेटमे संविधान निर्माण आ राष्ट्रिय सरकारक विषयमे बिमर्श भेल अछि । संविधान आ शान्तिके लेल जागरण अभियान सन्चालन कऽ रहल काङ्ग्रेस आगामी कार्ययोजना सेहो बनाबयके तयारी कऽ रहल समय भारतीय राजदूत सुद भेटवार्ता कएलनि अछि । कोइरालासँगके भेटमे राजदूत सुद जेठ १४ गतेके अवस्था आ ओकरबादक सहमतिके विषयमे चाँखि रखने छलथि ।

दायित्व पूरा केने बिना राजीनामा नहि देब - प्रधानमन्त्री


काठमाडौ, वैशाख २९ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल अपन मिसन पूरा केने बिना राजीनामा नहि देब बतौलनि अछि ।
ओ शान्ति आ संविधानके निश्चित मिसन लऽ कऽ सरकारमे अएला सँ जिम्मेवारी पूरा केने बिना अपने नहि हटब सेहो बतौलनि अछि । टर्कीके अपन भ्रमण छोट कऽ आइए स्वदेश घुरल प्रधानमन्त्री खनाल त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे संचारकर्मीसँग बातचित करैत सरकार अपन दायित्व पूरा करय दृढ रहल बतौलनि । बाजयके अधिकार सबके रहल कहैत  प्रधानमन्त्री अपन राजीनामा माँगयबलासभ सेहो वायह अधिकार प्रयोग केने टिप्पणी केलनि ।
संविधानसभाके म्याद बढाबय सँ पूर्व प्रधानमन्त्री खनालके राजीनामा देबय लेल काङ्ग्रेस आ एमालेक किछ नेतासभ कहि रहल समय खनाल लोकतन्त्रमे अनेक खालके टिका टिप्पणी एनाइ लोकतन्त्रकै सुन्दरता रहल बतौलनि ।
राष्ट्रसङ्घ सम्वद्ध विश्वके बहुत कम विकसित ४८ देशसभहक सङ्गठन एलडीसी के टर्कीके स्तानबुलमे जारी चारिम विश्व शिखर सम्मेलनमे भाग लेबय प्रधानमन्त्री खनाल बितल शुक्रदिन ओइदिस प्रस्थान कएने छलथि ।

बन्द आह्वानक कारण ११ करोडक सहयोग रोक्का


काठमाडौ, वैशाख २९ । सर्वसाधारणके मौलिक हक हनन होबय जँका बन्द हडतालके आयोजना केने कहैत बेलायती सहयोग नियोग जनजाति महासंघके दैत आएल करिब ११ करोड रुपैयाँके सहयोग रोक्का केलक अछि ।
 नियोग बितल साँझ महासंघक अध्यक्ष राजकुमार लेखीके पठौने पत्रमे सहयोग रोकल गेल उल्लेख अछि ।
 महासंघ जेठ १४ भितरे संविधान बनाबय परत कहैत काल्हि शुक्रदिन नेपाल बन्दके घोषणा केलाबाद नियोग मानव अधिकार हनन होबयबला गतिविधिमे संलग्न रहल कहैत सहयोग रोकने अछि ।
 नियोग पत्रमे महासंघ करय लागल बन्दके कारण आब सँ कोनो सहयोग उपलब्ध नहि कराबयके  उल्लेख अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन