Saturday, October 08, 2011

कांग्रेसके बिनासर्त सरकारमे सहभागी होबय परत: सुजाता


काठमाडौ, आश्विन २१ । कांग्रेस नेतृ सुजाता कोइराला शान्ति प्रक्रियाके बाधकके पाठ सिखाबय कांग्रेसके बिनासर्त वर्तमान सरकारमे सहभागी होबय परत बतौलिह अछि ।

 रिपोर्टर्स क्लव नेपाल आइ राजधानीमे केने साक्षत्कारमे नेतृ कोइराला बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकारके मजबुत बनाबऽ सरकारमे सहभागी होबय परत बतौलिह । ओ कहलिह जे, ‘माओवादी भितरके शान्ति बिरोधी मोहन बैद्य समूहके सेहो ठेकान लगाबय कांग्रेसके सरकारमे सहभागी होबय परत, माओवादी, कांग्रेस आ एमालेमे शान्ति बिरोधी तत्व अछि, ओकरासबके तह लगाबय सेहो बाबुराम भट्टराई सरकारक स्थायीत्व आवश्यक छैक ।’

 ‘कांग्रेस याह समय सरकारमे सहभागी भेल तऽ देशमे स्थायी शान्ति आओत’,कांग्रेस नेतृ कोइराला कहलिह, ‘दलिय आ व्यक्तिगत स्वार्थ त्यागि कऽ बाबुराम नेतृत्वक सरकारमे जाए परत, एमालेके सेहो आबय परत ।’

 कांग्रेस सभापति गिरिजाप्रसाद कोइरला शान्तिके लेल वार्ता करय नर्कमे सेहो जाए तयार छी कहैत आएल स्मरण करबैत ओ कहलिह, ‘देशमे स्थायी शान्ति आओत त कांग्रेस माओवादी नेतृत्वक सरकारमे कैला नहि जाएत ?, सरकारमे जाएसँ  डेराए नहि चाही । ’

ओ कांग्रेस अखनो सरकारमे सहभागीता जनाओत तऽ शान्ति बिरोधीतत्व सहयोग करय बाध्य हाएत दावी कएलिह ।

जापानी वायुसेना हटौलक २ सय सँ बेसी लड़ाकू जहाज़


२१ आसिन जापान । जापानके वायुसेना २ सयसँ बेसी एफ़-15 लड़ाकू जहाज़के हटौलक अछि ।

एक प्रशिक्षण सत्रके समय एफ़-15 लड़ाकू जहाज़के तेलके टंकी खसलाबाद जापान जहाज हटाब बाध्य भेल अछि ।

जहाज़के एकटा पंखके नीचा आगि लागल छल आ पश्चिमी जापानके एकटा शहर कोमात्सुमें बिमानके टुटल भागसब भेटल छल ।

तीन महीनामे इ दोसर बेर एफ़-15 के उड़ान रोकल गेल अछि ।

चीनमे सड़क दुर्घटनामें ५६ गोटेके मृत्यु


२१ आसिन चिन । चीनमें एक के बाद एक भेल सड़क दुर्घटनामे कम स कम ५६ गोटेके मृत्यु भेल अछि जाहि मेसँ ३५ गोटे एकटा बसमें यात्रा कऽ रहल छात्र छल ।

चीनीया अधिकारीके अनुसार चीनके उत्तरी इलाकामें तेज़ गतिस आएल एक बस एकटा कारके ठक्कर देलाबाद बस उनिट कऽ दुर्घटना भेल छल । जाहिके बाद यात्रुसब बससँ बाहर सडक पर खसल छल ।

चीनके पूर्वी प्रांत अनहुईमें घना धुनिके कारण २४ टा गाडी उपर गाडी चढ़ि गेलासँ १० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

अहिना ११ गोटेके मृत्यु केंद्रिय हेनान इलाकामें एकटा ट्रकके एकटा जिपसँ ठकराएलाबाद भेल छल ।

पार्टीभितरके विवादके असर शान्ति आ संविधानमे परय नहि देबः प्रचण्ड


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड पार्टी भितरके विवादके असर शान्ति आ संविधान निर्माण पऽ  नहि परत बतौलनि अछि ।

सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग आइ अपने निवासमे भेल भेटमे प्रचण्ड पार्टी भितरके आन्तरिक विवादसँ शान्ति आ संविधान निर्माणमे कोनो असर परय नहि देब बतौलनि । भेटमे नेम्वाङ दशैंके सँगै नेपाली जनता शान्ति आ संविधान खोजिरहलासँ तत्काल सम्वाद करय आग्रह कएने छलथि । दलसब दशैंआगुए सहमति हाएत कहितो नहि भेल स्मरण करबैत नेम्वाङ दशैंके बादे शान्ति प्रक्रियामे ब्रेक थ्रु करयके प्रतिवद्धता कार्यान्वयन करय आग्रह कएने छलथि ।
जवाफमे प्रचण्ड शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय अपने गम्भीर रहल कहैत तत्काल दलसबसँग बिमर्श करब बतौलनि अछि । सभामुख नेम्वाङ आइए बेरियामे प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराईसँग भेट कऽ शान्ति आ संविधान निमार्णबारे बिमर्श कऽ रहल छथि ।

माओवादी राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षणके जमघट होबय जा रहल


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी आसिन २९ गते काठमाडौंमे राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षणके जमघट करय लागल अछि ।

कन्टेनरके चाबी विशेष समितिके बुझौलाबाद उत्पन्न विवाद उत्कर्षमे पहुँचल समय माओवादी राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षणके जमघट करय लागल अछि ।

पार्टी हेडक्वाटर अगुवा कार्यकर्तासबहक प्रशिक्षण जमघट बजौने माओवादी प्रवत्ता दिनानाथ शर्मा जानकारी देलनि । जमघटमे राज्यसमिति सदस्यसबधरिके सहभागिता रहत । कार्यकर्ता प्रशिक्षण जमघटमे पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे शीर्ष नेतासब प्रशिक्षिण देबयके कार्यक्रम रहल अछि ।

प्रचण्ड आ पौडेलबीच भेटवार्ता


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ नेपाली कांग्रेसक उपसभापति रामचन्द्र पौडेलबीच आइ भेटवार्ता भेल अछि  ।  प्रचण्ड निवास नयाँ बजारमे भेल भेटमे शान्ति आ संविधान निर्माणबारे बिमर्श भेल अछि ।

भेटमे पौडेल शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय आग्रह केने छलथि । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सब विषयमे सहमति नहि होबयधरि समायोजन कएल जाएबला लडाकूसबहक संख्या आ पुनःस्थापना प्याकेजमे सहमति कऽ क लडाकू बर्गिकरण प्रक्रिया शुरु करय प्रस्ताव कएने छलथि । जवाफमे पौडेल सब विषयमे प्याजेकमे सहमति करयके अडान लेने श्रोतक कहब अछि ।

प्रचण्ड आ पौडेलबीच काल्हि माओवादी आ कांग्रेसक शीर्ष नेतासबहक बैसार बैसयके सहमति भेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन