Tuesday, February 22, 2011

मोडल सुजाता ३

मोडल सुजाता २

मोडल सुजाता १

मोडल सुजाता

सात सुत्रिय भङ्ग हाएत त कांग्रेस सरकारमे जाएत - महत

काठमाडौं, फागुन १० । नेपाली कांग्रेसक नेता डा. रामशरण महत कहलन्हि अछि जे माओवादी आ एमालेबीचक सात सुत्रीय सहमति भङ्ग भेल तऽ कांग्रेस सरकारमे जा सकैत अछि।
सात सुत्रीय सहमतिक संशोधन मात्र कांग्रेसके मान्य नई अछि उल्लेख करैत कांग्रेससँगक सहकार्यकेलेल ओहिके भङ्ग कऽकऽ नव सम्झौता करब जरुरी छैक महत बतओलन्हि अछि।
राजधानीमे आई एकटा कार्यक्रमकेँ सम्बोधित करैत महत ई बात बतओलन्हि अछि।
दुनु दल बीचक सात सुत्रीय सहमति भङ्ग कऽकऽ नव सम्झौताके सँग आगु बढलगेल तऽ काँग्रेस एखनुक सरकारमे सहभागि भऽ सकैत अछि हुनकर कहब छलन्हि।
सात सुत्रीय सहमतिमे बाम ध्रुविकरण करक,लडाकुके अलग फोर्स गठन करक उद्देश्यसभ अन्तर्निहित रहल कहैत एहि प्रकारक सहमति कांग्रेसके अस्वीकार्य अछि महत बतओलन्हि।
दु पार्टी बीचक सहमतिके कोनो अर्थ नई अछि उल्लेख करैत सेना समायोजन काज विशेष समतिके छैक महत उल्लेख कएलन्हि अछि।

सात सुत्रीय संशोधन करय चाहत त सहमति भङ्ग हाएत - गुरुङ

काठमाडौं, फागुन १० । सात सुत्रीय सहमति संशोधन कएलगेल तऽ माओवादी आ एमाले बीचक सहमति भङ्ग भऽ जएतैक एकिकृत नेकपा माओवादीक नेता देव गुरुङ्ग चेतावनी देलन्हि अछि।
राजधानीमे आई एकटा कार्यक्रमके सम्बोधित करैत एकतर्फी ईच्छा अनुसार कोनो हालतमे सम्झौता संशोधन नइ हएतैक गुरुङ्ग दावा कएलन्हि अछि।
सम्झौताक भाषा आओर परिस्कृत कएल जा सकैत अछि गुरुङ्गक कहब छलन्हि।
सम्झौताक मूल मर्म आ भावनाकेँ विस्थापित कऽकऽ कोनो प्रकारक संशोधन नई भऽ सकैत अछि ओ स्पष्ट कएलन्हि अछि।
सेना समायोजन नई भेलाक कारणेँ सुरक्षा मन्त्रालय माओवादीके नई देबक तर्क कएल गेल तऽ माओवादी सरकामे सहभागी नइ हएतैक गुरुङ बतओलन्हि अछि।एहि अवस्थामे बाहर रहि कऽ समर्थन करक नीतिके विषयमे सेहो सोँचबालेल माओवादी वाध्य हएतैक हुनकर कहब छलन्हि।

प्रतिष्ठानमे लागल ताला खुजल

धरान, फागुन १० - बीपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे बितल ६ दिनस लागल तालबन्दी आइ बेरियास खुजल अछि । व्यवस्थापन पक्ष आ आन्दोलकारी पक्षवीच ४ सुत्रिय सहमति भेलाबाद तालाबन्दी खुजल अछि । तालाबन्दी खुजलाबाद प्रतिष्ठानक प्रशासनिक कार्य सुचारु भेल अछि ।
कर्मचारी कल्याण मञ्च, नर्सिङ कल्याणकारी कमिटि आ हेल्थ प्रोफेसनल स्वास्थ्य प्राविधिक कमिटि सम्बद्ध कर्मचारीसब विभिन्न माँग राखि उपकुलपति प्रा.डा. पुर्णचन्द्र कर्माचार्य, शिक्षाध्यक्ष प्रा.डा. रुपासिं राजभण्डारी, रजिष्ट्रार नन्दकुमार थापा आ अस्पताल निर्देशक प्रा.डा. बलभद्रप्रसाद दासके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केने छल ।

अदालत कहलक जे गोधरा कांड एकटा साज़िश

अहमदावाद, फागुन १० । भारतक अहमदावादक एकटा विशेष अदालत गोधरा रेल कांडके षडयन्त्र प्रमाणित करैत एहि मामलाक बिभिन्न आरोपीमेसँ ३१ गोटेके दोषी ठहरओलक अछि।
तहिना अदालत ६३ टा अभियुक्तके रिहा करक आदेश देलक अछि।
एहि मामलाक मुख्य अभियुक्त हुसैन उमरके सेहो अदालत रिहा करक आदेश देलक अछि।
२७ फरवरी २००२ के साबरमती एक्सप्रेसक एकटा डिब्बामे आगि लगाबक आरोपमे गिरफ्तार अभियुक्तसभक विषयमे अदालत आई ई फैसला कएलक अछि।
एहि घटनामे ५९ आदमीके मृत्यू भऽगेल रहैक जाहिमे अधिकांश अयोध्यासँ घुरि रहल हिंदू कार सेवक छल।
दोषीके सजायक विषयमे अदालत अगामी शुक्रदिन अपन फैसला सुनाओत।
अदालतक फैसलाके विषयमे अपन प्रतिक्रिया दैत भारतीय जनता पार्टीक प्रवक्ता प्रकाश जावेडकर कहलन्हि अछि जे एहि घटनाके सम्बन्धमे भाजपाक धारणा सहि छल।
पूर्व नियोजित षडयन्त्रके स्वरुप सावरमती एक्सप्रेसमे आगि लगाओलगेल रहैक भाजपा कहैत आबि रहल छल।
फैसलाक गंभिरताके देखैत गुजरातक सुरक्षा व्यवस्था कडा बनाओलगेल अछि।

भक्ताके उक्सौलापर हत्या

दमौली, फागुन १० । तीन गोटे पडोसीके खुर्पी प्रहार क हत्या केने तनहुँके व्यास-१० मालपोत लाइनके दिविङ राना भक्ताके उक्सौला पर अपने हत्या केने पुलिस समक्ष बयान देलक अछि ।
रानाके बयानके बाद पुलिस जामुने १ निवासी भक्ता बलसुर थापाके नियन्त्रणमे ल अनुसन्धान सुरु केलक अछि । भक्ता थापा राना लगौने आरोप अस्वीकार केलक अछि । पुलिस हिरासतमे रहल भक्ता थापा अपने सामान्य फूकफाक कक इलाज केने मुदा पडोसीसबके डाइनके आरोप नै लगौने बतौलक अछि । अहि विषयमे थप अनुसन्धान भरहल पुलिस जनौलक अछि ।
हत्यामे संलग्न रानाके परिवार रानाके किछ समय एम्हरस मानसिक स्थिति ठिक नै रहल पुलिस समक्ष वतौलक अछि ।
राना काल्हि अपन पडोसी ६० बर्षक दिलबहादुर सापकोटा, हुनक कनिया ५५ बर्षक यशोदा आ ६० बर्षक टिकाराम श्रेष्ठके खुर्पी प्रहार कक हत्या केने छल । ओकर आक्रमणमे परि गम्भीर घाइल भेल श्रेष्ठके कनिया पार्वतीके पश्चिमाञ्चल अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।

राप्रपा नेपालक अध्यक्ष थापाके मातृशोक

काठमाडौं, फागुन १० । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपालक अध्यक्ष कमल थापाके मातृशोक परल छन्हि । थापाके माय विष्णु कुमारीके आइ ८२ वर्षक उमेरमे निधन भेल अछि ।
मधुमेह,, रक्तचाप सहितक रोगस पिडित विष्णुकुमारीके विरेन्द्र सैनिक अस्पताल छाउनीमे इलाजक क्रममे निधन भेल अछि ।
राप्रपा नेपालक अध्यक्ष थापाके तीन भाई छन्हि । जर्नेल नेत्रबहादुर थापा आ अखिल नेपाल फुटबल संघ एन्फाक अध्यक्ष गणेश थापा छथि ।

सात सुत्रिय खारेज हाएत त काग्रेस सहकार्य करय तयारः कोइराला

जनकपुर, फागुन १० । नेपाली काङ्ग्रेसक सभापति सुशील कोइराला सात बुँदे सहमति परिमार्जन नै भ खारेज होबय परत बतौलनि अछि ।
नेकपा एमाले सात सुत्रिय सहमति परिमाजर्नके गृहकार्य करहलास काङ्ग्रेस सभापति कोइराला ओइके खारेज करय परत बतौलनि अछि । जागरण अभियानक क्रममे आइ कपिलवस्तु सदरमुकाम तौलिहवा पहुँचल कोइराला साचारकर्मीसँग बातचित करैत कोइराला सहमति परिमार्जन नै खारेज करय परत आ ओइके बाद काग्रेस सहकार्य करय तयार रहल बतौलनि । ओ माओवादी आ एमालेक अध्यक्षसबबीच भेल सात सुत्रिय सहमति अन्तरिम संविधानके मर्म आ भावना विपरित भेलास ओ खारेज नै होबयधरि कांग्रेस सरकारमे जाएके नै सोचत बतौलनि ।

भारत शान्ति प्रक्रिया भँगाडयके प्रयासमे - प्रचण्ड

बर्दिया, फागुन १० । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ भारत सहितक देशी विदेशी शक्तिसब नेपालमे संविधान बनय नै देबयके आ शान्ति प्रक्रिया भँगाडय लागि परल आरोप लगौलनि अछि ।
बर्दिया माओवादीद्धारा जनयुद्धके माइतीगाउँ सोरहवा-२ जगतियामे आइ आयोजित जमघटके सम्बोधन करैत प्रचण्ड कहलनि जे - ‘जनताके संविधान बनय नै देबय आ शान्ति कायम होबय नै देबय भारत सहितक विदेशी दलाल आ प्रतिक्रियावादी तत्वसब षड्यन्त्र क चुकल अछि, ओइस अपनसबहक स्वाभिमान आ राष्ट्रियता संकटमे परिरहल अछि ।’
ओ विदेशी दलाल आ चाकडी कक बैसय चाहबलाके तत्व देशमे स्थापित होयबाक खतरा बढल कहैत जनताके आन्देालनमे उतरय परत बतौलनि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड विदेशीकै इशारामे चलयबला राजनीतिक दलसबहक कारण सरकार गठनमे अबेर भरहल बतौलनि ।
अहिस आगु शहिद तथा बेपत्ता परिवारसँगके साक्षात्कारमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अपन समर्थनमे बनल एमालेके सरकार रहबे करत त सहिद बेपत्ता परिवारके १० लाखके दरस राहत उपलब्ध कराबयके प्रतिबद्धता व्यtm कएलनि ।

थाना पर पथ्थरवाजी, पुलिस फायरिङ्गमेँ युवक घाइल

भभुआ, फागुन १० ।
बिहारक कैमुर जिल्लकेँ मोहनियामेँ एकटा व्यवसायीकेँ हत्याक विरोधमे थानापर पथराव आ आगजनीकेँ घटनाकवाद पुलिसक फायरिङ्गमे एक युवक गम्भीर घाइल भेल अछि तऽ आन्दोलनकारी तीनटा पुलिसक जीप आ एकटा बारुण यन्त्रमे आगजनी कएलक अछि ।
पुलिसक अनुसार सुनील जायसवालकेँ सोमराति किछ अपराधिसभ गोलि मारि कऽ हत्या कएने अछि । हत्याक विरोधमे मंगलदिनकेँ गामवासी पहिने थानापर पथ्थरवाजी कएलक ताहिकेँवाद शेरशाह सूरी मार्गके जाम कएने छल । घटना स्थपर पर पहुँचल पुलिस वलकेँ देखते गामवासीसभ उग्ररुप लेने छल तथा थाना पर पथ्थरवाजी करयकेँ संगे वारुण यन्त्रमे आगजनी कएने छल ।
गामवासी थानाकेँ भितर प्रवेश कऽ फर्नीचर तोडयकेँ संगे कागजपत्र सेहो जरा देने अछि । अहिकेँवाद पुलिस भीडकेँ तितरवितर करवाकलेल फायरिंग कएने छल जाहिमे एकटा युवक गम्भीर घाइल भेल अछि । घाइल युवककेँ स्थानीय अस्पतालमे उपचार भऽ रहल अछि । घटना स्थल पर भारी संख्यामे पुलिस वल वजाओल गेल अछि ।

सातबुँदे सहमति अनुमोदन करय एमाले केन्द्रीय समितिके बैसार जारी

काठमाडौ, फागुन १० - सातबुँदे सहमतिबारे पार्टी भितरके विवाद अन्त्य करैत शान्ति आ संविधानक मूल मर्म अनुरुप कार्यान्यवन करयके प्रस्तावके अनुमोदन करय एमाले केन्द्रीय कमिटिक बैसार आइ जारी अछि ।
अध्यक्ष झलनाथ खनाल माओवादीसंग केने सातबुँदे सहमति संस्थागत करय केन्द्रीय कमिटिक बैसार बैसल अछि ।

मोटर साइकल दुर्घटनामे चारि युवककेँ मृत्यु

जनकपुरधाम, फागुन १० ।
सप्तरी , पर्सा आ मोरंगमे आइ भिन्सर भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे चारि युवककेँ मृत्यु भेल अछि तऽ एक गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि । बीरगन्ज पथलैया सडक खण्ड अन्तर्गत वाराकेँ परवानी पुरमे आइ भिन्सर मोटरसाइकल दुर्घटना भेला सँ दुगोटे युवककेँ घटना स्थलेपर मृत्यु भेल अछि । हरिखेतान बहुमुखि क्याम्पसकेँ तीनगोटे विद्यार्थी चढल ना १४ प २४२५ नम्वरकेँ मोटरसाइकलकेँ विपरित दिशा सँ आवि रहल ना ३ ख ३४१४ नम्वरकेँ ट«क ठक्कर देला सँ मोटरसाइकलपर सवार जितु चौधरी आ अजय चौधरीकेँ मृत्यु भेल अछि ।
हुनकासभकेँ संग मोटरसाइकलपर सवार संदीप ठाकुर गम्भीर घाइल भेल जिल्ला प्रहरी कार्याल पर्सा जनौलक अछि । गम्भीर घाइल ठाकुरकेँ वीरगन्ज स्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे उपचार भऽ रहल अछि । ट«क सहित चाललकेँ अस्थायी प्रहरी पोष्ट गण्डक नियन्त्रणमे लेने अछि ।
अहिना पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत मोरंगकेँ डाँगिहाटमे आइ भिन्सर मोटरसाइकल दुर्घटना भेला सँ को ७ प ५७०० नम्वरकेँ मोटरसाइकल दुर्घटना भेला सँ पथरी गाविस १ केँ २२ बर्षीय जितेन्द्र पौडेलकेँ मृत्यु भेल अछि । भिन्सर पौने ६ बजे दिस नम्वर नहि खुजय सकल सवारी साधन ठक्कर देला सँ पौडेलकेँ मृत्यु भेल अछि ।
अहिना सपतरीक वरमझियामे बस सँ ठोकरयला सँ मोटरसाइकपर सवार एक गोटेकेँ मृत्यु भेल अछि । को ३ प १९२९ नम्वरकेँ मोटरसाइकलपर सवार पोर्ताहा १ मे बमबम गुप्ताकेँ घटना स्थलेपर मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।
तहिना पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत वाराकेँ चौधकिलोमे आइ भिन्सर यात्रुवाहक वस दुर्घटना भेला सँ चौध गोटे यात्री घाइल भेल अछि । घाइल मध्ये चारि गोटेकेँ अवस्था गम्भीर रहल अछि ।धनगढी सँ काकभिट्टा जा रहल ना ३ ख ४२७९ नम्वरकेँ वस तीव्र गतिक कारण दुर्घटना भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय वारा जनौलक अछि । घाइलसभकेँ नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पताल वीरगन्जमे उपचार भऽ रहल अछि ।

हेल्थ क्लबस अवैध सामान बरामद

१० फागुन, वीरगन्ज । पर्साके वीरगन्ज आदर्शनगरमे रहल स्विमिङ पुलमे आइ भिन्सर अवैध समान भेटल अछि । वीरगन्ज उपमहानगरपालिकाके स्वामित्वमे रहल स्विमिङ पुलमे ट्वाईलेटके सीट आ केमिकल भेटल अछि ।
४ पाँच दिनस वीरगन्ज उपमहानगरपालिका कार्यालयसँगै रहल युवा हेल्थ क्लबमे आवतजावत बन्द करौलाबाद सुराकीके आधारमे समान बरामद भेल अछि । क्लबके हलस दु ट्रक ट्वाईलेटके सीट आ ९ टा ड्रममे रहल केमिकल भेटल अछि ।

नेपालक वाम दल साईनबोर्ड जेहन : उपेन्द्र यादव

१० फागुन, वीरगन्ज । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव नेकपा एमालेके अवसरवादी चरित्रस देश दुर्घटनामे फँसत चेतावनी देलनि अछि । एमाले भितरके किछ महत्वाकांक्षी नेतासबह कारण राजनीतिक गतिरोधस निकास पाबय नै सकल हुनक आरोप छलनि ।
बाराके कलैयामे आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अध्यक्ष यादव वाम दलसब कम्युनिष्टके सिद्धान्त आ नामके बदनाम केने दावी कएलनि ।
‘अपनाके कम्युनिष्ट बताबयबलासब सत्ताके खेलमे लागिकऽ कम्युनिष्टके सिद्धान्त आ नामके बदनाम केने अछि ,’ओ कहलनि जे, ‘नेपालक बाम पार्टीसब साईन बोर्डस बेसी नै अछि ।’
माओवादी आ एमालेबीच भेल सात बुँदे गोप्य सम्झौतास देश आ शान्ति प्रकृयाके धरापमे पारत ओ चेतावनी सेहो देलनि । सेना समायोजनके ढाँचा बिशेष समिति तयार करय परत अपन पार्टीके धारणा रहल ओ जानकारी देलनि ।
अध्यक्ष यादव देशके निकास देबय कोनो दु दलबीच मात्रे नै भ वाम, लोकतान्त्रिक आ मधेशी दलसबहक संयुक्त मोर्चाके आबश्यक्ता रहल बतौलनि । माओवादी जनसेना बिशेष समितिमे अबितो चेन अफ कमाण्ड माओवादीएके मातहतमै रहल कहैत अध्यक्ष यादव आपत्ति जनोलनि ।
दु दिना युवा प्रशिक्षण कार्यक्रममे सहभागि होबय अध्यक्ष यादव बारा पहूँचल छथि । प्रशिक्षण कार्यक्रममे बारा, पर्सा आ रौतहटके क एक सय २५ गोटे युवासबहक सहभागिता रहल फेारमक केन्द्रीय सदस्य उमेशलाल दास बतौलनि अछि ।

भूकम्पस न्यूजिल्याण्डमे ६५ गोटेक मृत्यु

न्यूजिल्याण्ड, फागुन १० - न्यूजिल्याण्डमे ६ दशमलव ३ रेक्टर स्केलके भूकम्प ऐलास कमस कम ६५ गोटेके मृत्यु भेल अछि । दोसर पैघ शहर क्रिष्टचर्चमे आएल भूकम्पमे मरयबलाके संख्या बढय सकबाक अधिकारीसब जनोलक अछि ।
स्थानीय समय अनुसार दुपहर १२ बाजिकऽ १५ मिनेटमे आएल भूकम्पस सयौं भवन ढहिगेल अछि । प्रधानमन्त्री जोन कि कहलनि जे हम न्यूजिल्याण्डके अँन्हार भविष्य देखने छी ।
भूकम्पस सयौं गोटे पिचाएल अन्तर्राष्ट्रिय सञ्चारमाध्यमसब जनोलक अछि । भूकम्पके बाद न्यूजिल्याण्डके अन्तर्राष्ट्रिय उडान रद्द कएलगेल अछि । विजुली आ पिबयबला पानि सेहो अवरुद्द भेल अछि ।
क्रिष्टचर्चक मेयर बब पार्कर संटककाल घोषणा करयके माँग करैत सर्वसाधारणके शहरके केन्द्र खाली करय आहृवान केने अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन