Wednesday, November 02, 2011

२ दिन भितर बर्गिकरणके कार्यतालिका तयार करय निर्देशन


१६ कात्तिक, काठमाडौं । सेना समायोजन विशेष समिति २ दिन भितर लडाकू बर्गिकरणके कार्यतालिका तयार करय सचिवालयके निर्देशन देलक अछि । विशेष समितिक आइ बैसल बैसारसँ कार्यतालिका तयार करय सचिवालयके निर्देशन देलक अछि ।

विशेष समितिक बैसारसँ दलसबबीच भेल सहमति कार्यान्वयन करयके निर्णय समेत केलक अछि । दलसबबीच अगहन ७ गतेभितर सम्पन्न करय जका एक सप्ताह भितर लडाकू बर्गिकरण प्रक्रिया शुरु करयके, ६ हजार ५ सय लडाकू समायोजन करयके, ५ सँ ८ लाखधरि पुनःस्थापना प्याकेज देबय सहितक सातबुँदे सहमति भेल अछि ।

विशेष समितिक अगिला बैसार शुक्रदिन बैसत ।

सार्वजनिक यातायातक भाडा करिब १० प्रतिशत सँ बृद्धि


१६ कात्तिक, काठमाडौं । सरकार सार्वजनिक यातायातक भाडा करिब १० प्रतिशत सँ बृद्धि केलक अछि । यातायात व्यवसायीसबसँगके सहमतिमे यातायात व्यवस्था विभाग सार्वजनिक यातायातके भाडा ९ दशमलव ९ प्रतिशतसँ बृद्धि केलक अछि ।

छोट तथा लोकल रुटसबमे १ रुपैयाँ बृद्धि हाएत तऽ ट्याक्सीमे प्रतिकिलोमिटर ३ रुपैयाँसँ बढि कऽ ३० पहुँचल अछि । अहिना मेची, महेन्द्रनगर, नेपालगञ्ज जेहन लम्बा रुटसबमे करिव सय रुपैयाँ भाडा बढत । बृद्धि कएलगेल भाडादर शुक्रदिनसँ लागू हाएत ।

७ बुन्दे सम्झौताप्रति वैद्य पक्षक कडा आपत्ति


१६ कात्तिक, काठमाडौं । शान्ति सम्झौता पुरा करय लेल बितल राति मुख्य दलसबबीच भेल सम्झौतामे एकीकृत नेकपा माओवादीक वैद्य पक्ष कडा आपत्ति जनौलक अछि । आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन कऽ वैद्य पक्ष सम्झौता देश आ जनताप्रति धोका तथा जनमुक्ति सेनाके आत्मसर्पण कराबयके जका भेल कहैत अहिके खारेज कऽ नयाँ सम्झौता करय माँग केलक अछि ।

पार्टी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण आ महासचिव रामबहादुर थापा बादल हस्ताक्षर केने प्रेस विज्ञप्तीमे जनमुक्ति सेनाके सम्मानपूर्वक समायोजन नहि कएल गेल तऽ दोसर जनआन्दोलनके सृष्टि होबयके चेतावनी देलगेल अछि । सम्झौता समूहगत नहि भऽ व्यक्तिगत आ निशस्त्र ढंगसँ नहि भऽ हतियार सहित होबयके वैद्य पक्ष माँग केने अछि ।

‘जनसेनाके वनके चौकिदार नहि कि, नियमित सेनाके जेना जिम्मेवारी दऽ कऽ सम्मानपूर्वक सम्मान करय परत’ विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि । महानिर्देशनालयमे जनमुक्ति सेनाके ३५ प्रतिशत नहि भऽ ५० प्रतिशत होबयके पार्टीके नीति रहल कहैत वैद्य पक्ष अहिमे सेहो कडा आपत्ति जनौलक अछि । पुनस्र्थापना प्याकेज जनमुक्ति सेनाके भूमिका अनुसार नहि भेल वैद्य पक्षक ठहर अछि ।

अहिबिच बितल राति प्रमुख दलसबवीच भेल ७ वुँदे सहमतिप्रति आपत्ति जनबैत आएल उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण पक्ष सात वुँदे सहमतिके विरोधमे ७ वुँदे सहमतिके ड्राफ्ट जराबय लागल अछि ।

सात वुँदे सहमतिप्रतिके अपन आधिकारिक धारणा पत्रकार सम्मेलन कऽ सार्वजनिक केलाबाद राष्ट्रिय सभागृह आगु वैद्य पक्ष ड्राफ्ट दहन करय लागल अछि । अहिना सहमतिके विरोधमे वैद्य पक्षक कार्यकर्तासब सँस्थापन पक्षके नेतासबके कारी भण्डा देखाओत  वताओल गेल अछि । तहिना ओ सब आइ सहमतिके विरोधमे देशभरि मसाल जुलुस समेत करय लागल अछि ।

दाहाल कात्तिक २२ गते राष्ट्रसंघ महासचिवसँ भेट्ताह


काठमाडौं, कार्तिक १६ । माओवादी अध्यक्ष एवं लुम्बिनी विकास राष्ट्रिय निर्देशक समितिक संयोजक पुष्पकमल दाहाल कात्तिक २२ गते राष्ट्रसंघ महासचिव बान की मुनसँग भेट करय लागल छथि ।

दाहालके राष्ट्रसंघ महासचिवसँ भेटयके कार्यक्रम बुधदिन तय भेल अछि । बृहत्तर लुम्बिनी विकास गुरुयोजना तयार करय आगु राष्ट्रिय अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग जुटाबय दाहाल आ कांग्रेस नेता मिनेन्द्र रिजाल शनिदिन न्यूयोर्क जाँ रहल छथि ।

 भेटमे दाहाल बृहत्तर लुम्बिनी विकास गुरुयोजना अन्तर्राष्ट्रिय समितिक अध्यक्षता करय मुनसँ आग्रह करताह बताओल गेल अछि । रुपन्देही, कपिलवस्तु तथा नवलपरासी जिल्लाके समेट कऽ बृहत्तर लुम्बिनी विकासक गुरुयोजना बनाओल जाएत आ लुम्बिनीके अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति सहके अवधारणा अनुसार आगु बढाबयके सरकारी तयारी अछि ।

सरकार सन् २०१२ के लुम्बिनी भ्रमण वर्षक रुपमे मनाबयके निर्णय अहिसँ आगुए कऽ चुकल अछि ।

उद्योग वाणिज्य महासंघद्वारा सात बुँदे सहमतिके स्वागत


१६ कात्तिक, काठमाडौँ । नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ प्रमुख तीन राजनीतिक दल आ मधेसी मोर्चाबीच भेल शान्ति, संविधान आ सत्तासाझेदारी सम्बन्धी सातबुँदे सहमतिके स्वागत केलक अछि ।

महासंघ आइ विज्ञप्ति जारी करैत सहमतिके स्वागत केलक अछि । महासंघ सहमतिके कार्यान्वयनमे जोड दैत ओइके लेल गम्भीर होबय दलसबसँ आग्रह केलक अछि । महासंघ दलसबहक जिम्मेवारी आ सुझबुझपूर्ण सहमतिसँ लम्बा समयसँ विद्यमान प्रसव पीडासँ देशके छुटकारा देने विचार व्यक्त केलक अछि । सहमतिसँ शान्तिप्रक्रिया कार्यान्वयनके साथ साथे संविधान निर्माणक वातावरण समेत बनल महासंघक ठहर अछि । महासंघ दलसबके आब देशके आर्थिक विकासमे ध्यान देबय आग्रह केलक अछि ।

बैद्य पक्षक बैसार बैद्य निवासमे


१६ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रमुख तीन दल आ मधेसी मोर्चाबीच काल्हि भेल सातबुँदे सहमति प्रति आपत्ति जनौने एकीकृत नेकपा माओवादीक मोहन बैद्य पक्षक अलगे बैसार भेल अछि ।

बैद्य निवास गोंगबुमे आइ बैसल बैसारमे ओ पक्षक महासचिब रामबहादुर थापा ‘वादल’, सचिव सीपी गजुरेल, स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ, नेत्रविक्रम चन्द सहितक नेता सहभागी छलथि । बैसारमे बैद्य पक्षक राजधानीमे उपलब्ध पोलिट्ब्युरो आ केन्द्रीय सदस्यधरिके नेताके सेहो सहभागी कराओल गेल छल । बैसारमे संस्थापन पक्षविरुद्ध नयाँ रणनीति तयार करयके विषयमे बिमर्श भेल बताओल गेल अछि । बैसारसँ बहराएके क्रममे नेतासब सञ्चारकर्मीसँग प्रतिक्रिया देबय नहि चाहलथि ।

पोलिट्ब्युरो सदस्य हरिभक्त कँडेल नयाँ सन्दर्भमे कोना कऽ आगु बढल जाए विषयमे बिमर्श भेल जानकारी देलनि । सातबुँदे सहमतिके बैद्य पक्ष पार्टी नीति आ निर्णय विपरीत रहल बतौलक अछि । स्रोतक अनुसार पार्टीमे प्रचण्ड आ बाबुरामके मनोमानी चलल कहैत किछ नेता तत्काल अलग होबयके धारणा रखितो उपाध्यक्ष बैद्य समय नहि आएल बतौने छलथि ।

सात बुँदेसँ गति अवरोध टुटलः प्रधानमन्त्री


१६ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई प्रमुख तीन दल आ मधेसी मोर्चाबीच काल्हि भेल सातबुँदे सहमति सँ जारी राजनीतिक गति अवरोध अन्त्य भेल बतौलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई प्रमुख तीन दल आ मधेसी मोर्चाबीच काल्हि भेल सातबुँदे सहमति सँ जारी राजनीतिक गति अवरोध अन्त्य भेल बतौलनि अछि । छठ पावनिके अवसरमे आइ भिन्सर राजधानीके रत्नपार्कस्थित रानीपोखरीमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई सहमितिसँ पाँच वर्ष आगु सुरु कएलगेल शान्तिप्रक्रिया पुरा होबयके आधार तयार भेल बतौलनि ।

 छठिके अवसरमे दलीय सहमति भेल कहैत प्रधानमन्त्री खुसी व्यक्त कएलनि । छठिके अवसरमे शुभ कामना देबयके क्रममे ओ कहलनि ‘पाँच वर्ष आगु सुरु भेल शान्तिप्रक्रिया पूरा हाएत, अहिसँ निक शुभकामना आरो किछ नहि हाएत । ओ अपने नेतृत्वके सरकार शान्ति आ संविधान लेखन प्रक्रिया निष्कर्षमे पहुँचाबयके हुनक कहब छलनि । सातबुँदे सहमतिमे सहमतिसबहक कार्यान्वयनसँगै राष्ट्रिय सरकार बनाबयके कहलगेल अछि । मुदा, याह सरकारमे विपक्षमे रहल कांग्रेस-एमाले सेहो सहभागी होबयके या दोसर सरकार गठन करयके बिषयमे सहमति मौन अछि ।

छठी पावनी आई सम्पन्न

१६ कातिक जनकपुरधाम ।  मिथिलाँचलक पमुख पावनि छठि काल्हि साँझ अस्ताइत सूर्यके अर्घ देल गेल छल त आइ भिन्सर उगैत सुर्यके अर्घ दऽ सम्पन्न भेल अछि । अहिक संग ४ दिनमा छठि पावनि आइ सम्पन्न भेल अछि ।

छठिक अवसरमे जनकपुरक गंगासागर, धनुषसागर, अंरगजा सर, गोरधोई पोखरि, दूधमती नदी आ जलाद नदी सहितक नदी तथा पवित्र कुण्डसबमे लाखौं श्रद्धालुसब छठि माताके पूजा अराधना केलनि । छठिमे घाटसबके दुलहीन जका सजाओलगेल छल । आइ भिन्सर पुजा समाप्तिके बाद लोकसब घर घरमे ठकुवा , भुसवा, केरासब पसादक रुपमे गहण केलनि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन