Saturday, November 19, 2011

वडही समाजद्धारा प्रदर्शन


जयकृष्ण यादव ।
इनरुवा , अगहन ३  । सुनसरीके वडहीसब राज्यके हरेक क्षेत्रमे बडहीसबहक समानुपातीक सहभागीताके माँग करैत आइ सुनसरीके इनरुवामे  पदर्शन केलक अछि ।

वडही जातिसबहक संस्था नेपाल वडही समाज सुनसरीके अगुवाईमे व्यानर आ विभिन्न माँग सहीतक प्लेय कार्ड लऽ निकालल गेल रयालीमे सैयौके सहभागीता छल ।   प्रदर्शनके क्रममे सहभागीसब जतीय विभेद अन्तय करयके ,  राज्यके हरेक क्षेत्रमे बडहीसबहक समानुपातीक सहभागीता होबयके , शान्ति सुरक्षाक व्यवस्था करयके , हत्या हिसाँ वन्द करयके , भ्रष्टाचार आ मँहगी नियन्त्रण करय सहितक माँग रखैत नारावाजी केने छल ।

विभिन्न १२ वुदें माग राखि कऽ  नेपाल बडही समाज सुनसरी आइ शुरु केने अधिवेशन आगुए इनरुवामे पर्दशन केने सहभागी सुरेश शर्मा वतौलनि ।

समाजक अधिवेशनसँ काल्हि साझँ धरिमे वन्द सत्र कऽ नयाँ समिती सार्वजनिक कएल जाएत वताओल गेल अछि ।

फोटो सँसार - डाउनलोड करु वालपेपरक लेल














मारुतीके ठक्करसँ साइकल यात्रीके मृत्यु


दमक, अगहन ३ । पूर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तरगत झापाके सुरुगांमे आइ भिन्सर साढे ११ बजे भेल सवारी दुर्घटनामे दु  यूवकके मृत्यू भेल अछि ।

 जिल्ला प्रहरी कार्यलय झापाके अनुसार मृत्यु होबयबलामे सतासीधाम ६ के ३४ बर्षक केशरमान राई आ सतासीधाम ९ के २६ वर्षक कमल गीरी रहल अछि । पश्चिमसँ पूर्वदिस जाऽ रहल मे १ ज २८०७ नम्बरक मारुती भ्यान वायह दिश जाऽ रहल साइकलके पाछुसँ ठक्कर देला बाद घाइल भेल ओ युवकके इलाजक  क्रममे मृत्यू भेल अछि ।

 घाइल अवस्थामे हुनकासबके कञ्चनजंघा अस्पताल बिर्तामोडमे इलाज होबय नहि सकलाबाद थप इलाजक लेल मेची अञ्चल अस्पताल भद्रपुर लऽ जाएके क्रममे मृत्यु भेल अछि । घाइल अबस्थाके चालक गरामुनीके धनबहादुर गजमेर बिकके कञ्चनजंघा अस्पताल बिर्तामोडमे इलाज भऽ रहल अछि तऽ भ्यानके पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि ।

नेवादामें लागल आगि, दस हज़ार लोग घर छोडि कऽ भागल


३ अगहन नेवादा । अमरीकाके नेवादा प्रांतके जंगलमें लागल आगिके कारण २५ टा घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि आ करिब १० हजार लोक अपन अपन घर छोडि कऽ जाए बाध्य भेल अछि ।

इ आगि करिब २ हजार एकड़ क्षेत्रधरि फैल गेल छल आ अहि  घटनामें घर छोड़ि कऽ भागय समय एक गोटेके जरि कऽ मृत्यु सेहो भेल बताओल जाऽ रहल अछि । अहिना अहि घटनामे १६ गोटे घाइल सेहो भेल अछि ।

सुरक्षा अधिकारीके अनुसार आगिके नियन्त्रणमे लेल जाऽ चुकल अछि । ओहिठाम  रुकि –रुकि कऽ भऽ रहल बर्फ़बारी सँ सेहो अहि आगिके मिझाबयमे मदद भेटल अछि ।

अंतरराष्ट्रीय सेनाके सँग भेल गोलीबारीमें २ गोट पुलिसकर्मीके मृत्यु


३ अगहन अफ़ग़ानिस्तान । अफ़ग़ानिस्तानके ग़ज़नी प्रांतमें देशके पुलिस आ अंतरराष्ट्रीय सेना बीच भेल दुतर्फी मुठभेडमे २ गोट पुलिसकर्मीके मृत्यु भेल अछि ।

ओ क्षेत्रमे अंतरराष्ट्रीय सेना रातिमे छापा मारि रहल समय  पुलिस अधिकारीसब पुलिसकर्मीके रोकय चाहला पर इ घटना भेल छल ।

नेटोके प्रवक्ताके कहब अछि जे ओ घटनाके जानकारी कराओलगेल अछि आ ओकर जाँच भऽ रहल अछि ।

अफ़ग़ानिस्तानमें अंतरराष्ट्रीय सेना छापा मारैत आएल बिषय विवादमे घेराएल अछि ।

पुनःस्थापना प्रति लडाकुके आकर्षण कम


सिन्धुली , अगहन ३ । वर्गीकरणके क्रममे रहल माओवादी लडाकु पुनःस्थापनाके अवसरके बेसी पसन्द नहि कऽ रहल अछि । लडाकुके समायोजन,पुनःस्थापना आ स्वेच्छिक अवकाशमे जाएबला तीन टा अवसर दैतो अधिकांश लडाकु समायोजन आ स्वेच्छिक अवकाश बेसी पसन्द कऽ रहल अछि ।

आइ भिन्सरे ८ बजे सँ सातो मुख्य शिविरमे लडाकुके वर्गिकरण कार्य सुरु भेल  अछि । सिन्धुलीमे ५४ गोटे आ नवलपरासीमे ७४ गोटेके वर्गीकरण होबयधरि दुनु ठाममे पुनःस्थापनामे जाएबला लडाकुसब नहि भेटल अछि । समायोजन आ अवकाशमे  जाएबलासबहक संख्या करिब करिब बराबर रहितो समायोजनमे जाएबलासबहक संख्या कनिक बेसी अछि ।

भिन्सरेसँ सुरु भेल वर्गीकरण प्रक्रिया एकदमे सुस्त गतिमे बढि रहल अछि । कामके गति देखलासँ पुरा वर्गीकरण सम्पन्न करय कमसँ कम दु सप्ताह समय लागत देखयमे अबैत अछि ।

अहिना वर्गीकरणमे अलग होबयबला लडाकुके लेल तीन प्रकारक कार्डके व्यवस्था रहितो कार्डमे त्रुटी रहल अछि । समायोजनके लाल, स्वेच्छिक अवकासमे जाएबलाके हरियर आ पुनःस्थापनामे जाएबलाके निला कार्ड देल जाएत कहल गेल होइतो त्रुटीबस सब कार्ड उजरे रङ्के रहलासँ कतेकौ स्थानमे कार्डके वितरण होबय नहि सकल अछि । कार्डमे पुरुष लिखैतकाल महिला आबयके जेहन त्रुटीसब देखल गेल अछि ।

रोल्पास्थित शिविरमे अनमिन प्रमाणिकरण करैत समयके तथ्यांक आ एखुनक तथ्यांक फरक परलाबाद वर्गीकरण प्रक्रिया  रोकलगेल अछि ।

एश्वर्या राय बच्चन अपन बेटीक सँग


ईरान मामलामे कूटनीतिक समाधान चाही: मनमोहन


३ अगहन नयाँ दिल्ली । भारतिय प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह ईरानके परमाणु कार्यक्रमके मामलामे कोनो डेग  कूटनीतिके माध्ययमसँ उठाबय चाही बतौलनि अछि ।

समाचार एजेंसी पीटीआईके अनुसार प्रधानमंत्री अमरीकाके राष्ट्रपति बराक ओबामाके सँग भेल बैसारमे इ बात  उठौने छलथि ।

प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह राष्ट्रपति ओबामास बालीमें केने भेटघाटक क्रममे इ बातचित भेल बताओलगेल अछि ।

संयुक्त राष्ट्रके अंतरराष्ट्रीय परमाणु ऊर्जा एजेंसी हालेमे एक रिपोर्टमें ईरानके परमाणु कार्यक्रम पर प्रश्न उठौने छल ।

अमेरिकी अभिनेतृ तथा फेसन मोडेल ओलिविया







माओवादीक बैसार फेउर स्थगित


३ अगहन, काठमाडौँ । आन्तरिक विवाद समाधानक प्रयासमे आइके लेल बजाओलगेल एकीकृत नेकपा माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार फेउर स्थगित भेल अछि ।

अहिसँ आगु बेर बेर स्थगित होइत आएल बैसार अध्यक्ष प्रचण्ड सिन्धुपाल्चोक महोत्सव उदघाटनके लेल चौतारा जाए लगलासँ आइ सेहो स्थगित भेल अछि । बैसार भिन्सर ११ बजेबाद पार्टी केन्द्रीय कार्यालय कोटेश्वरके पेरिसडाँडामे बजाओल गेल छल । अहिसँ आगु अगहन १ गते बजाओलगेल बैसार विज्ञ समूह गठनके तयारीप्रति आपत्ति जनौने उपाध्यक्ष मोहन वैद्य समूहके मनाबय लेल स्थगित कएलगेल छल । केन्द्रीय समितिके पार्टीमे बढैत गेल विभिन्न विवाद सोझराबयके जिम्मेवारी देलगेल अछि । आजुक बैसारमे उपाध्यक्ष मोहन वैद्यक फरक मतबारे अध्यक्ष प्रचण्डके जवाफ देबाक कार्यसूची छल ।

वैद्य पक्ष पार्टी अध्यक्ष प्रचण्ड आ उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई विरुद्ध बितल १७ कात्तिकमे १० बुँदे आ २८ मे ३ बुँदे असहमति प्रस्ताव दर्ता करौने छल । वैद्य पक्ष हतियारके चाबी प्रकरण, सरकार भारतसँग केने बिप्पा सम्झौता, सरकार गठन आगु मधेसी मोर्चासँग कएलगेल ४  बुँदे आ शान्तिप्रक्रिया आगु बढाबयके सिलसिलामे प्रमुख दलसबबीच भेल सातबँुदे सहमति तथा पछिलाबेर प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई केने मन्त्रिमण्डल विस्तार सहितक विषयमे आपत्ति जनबैत आएल अछि । १३ बुँदे असहमतिमे वैद्य पक्ष अध्यक्ष प्रचण्डके अमेरिका, सिङगापुर आ सिलुगुढी भ्रमणप्रति सहो आपत्ति जनबैत स्पष्टीकरण मँगने अछि । अध्यक्ष प्रचण्ड आ प्रधानमन्त्री भट्टराईके ओ सब काम पार्टी नीति आ निर्णय विपरीत रहल आरोप वैद्य पक्षक अछि ।

हम छी डेमी





बिना मलिकके पोज





केट मॉस के इ फोटो १६ हजार पाउंडमें बिकाएल !


फुटबलमे एहन दिवानगी ?











मिस नेपाल २०११ के फष्ट रनरअप अनुपमा गुरुङ






facebook Page Like

  • मनोरँजन