Monday, February 28, 2011

सुदके देखौलक माओवादी कारीझण्डा

भोजपुर, फागुन १६ । एकीकृत नेकपा माओवादीक कार्यकर्ता आइ दिक्तेलबजारमे भारतीय राजदुत राकेश सुदके कारीझण्डा देखौलक अछि ।

दिङ्लामे भारतीय सहयोगमे निर्माण होबयबला अस्पताल उद्घाटन करय गेल सुदके माओवादी कार्यकर्ता कारीझण्डा देखौलक अछि । अहिस आगु सोलुखुम्बुमे माओवादी कार्यकर्ता राजदुत सुदउपर जुत्ता प्रहार केने छल । माओवादी कार्यकर्ता सीमा अतिक्रमण बन्द कर, भारतीय हस्तक्षेप बन्द कर सहितक नारा लगबैत राजदुत सुदविरुद्ध नारावाजी सेहो केने छल ।

३ करोड १८ लाख रुपैयाँ लागतमे बनय लागल अस्पतालके निर्माण कार्य १८ महिनाभितरमे सम्पन्न होयबाक लक्ष्य राखल गेल अछि । अस्पतालस भोजपुरक उत्तरी क्षेत्रके १२ स बेसी गाविसके ९० हजारस बेसी नागरिक लाभान्वित हाएत ।

त्रिशूली-३ ए का लागि चीनियाँ सहयोग

काठमाडौं, फागुन १६ । चीन सरकार उपरका त्रिशुली-३ ए जलविद्युत् आयोजना निर्माणक लेल ७ अर्ब रुकैया ऋण उपलब्ध कराबय लागल अछि । ओ ऋण एक्सपोर्ट-इम्पोर्ट बैंक अफ चाइना (एक्जिम बैंक) मार्फत् उपलब्ध हाएत ।

ऋणसम्बन्धी सम्झौतापत्रमे चीनके वाणिज्य उपमन्त्री फु जियिङ आ अर्थसचिव रामेश्वरप्रसाद खनाल आइ हस्ताक्षर कएलनि अछि । उपरका त्रिशुली-३ ए जलविद्युत् आयोजनास ६० मेगावाट विद्युत् उत्पादन कएल जाएत । नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके ओ आयोजना कार्यान्वयन करय ४ वर्ष लागत ।

अहिबीच चीन सरकार आर्थिक तथा प्राविधिक सहयोगके थप सुदृढ करय लेल नेपालके ५४ करोड ७० लाख अनुदान देबयके सहमति जनौलक अछि ।
अहिना, चीन राजधानीके चक्रपथके सुधारके लेल सेहो सहयोग उपलब्ध कराबय लागल अछि ।

वीरगञ्ज कारागारमे तनाव

काठमाडौं, फागुन १६ । कैदीके आन्दोलनके कारण वीरगञ्ज कारागारमे तनाव उत्पन्न भेल अछि । कैदीके दोसर ठाम बदली करय लागल बिरोधमे कैदीसब आन्दोलनमे उतरलाक बाद तनाव भेल अछि ।

उत्पन्न तनाब नियन्त्रणके प्रयासमे पुलिस एक राउण्ड हवाई फायर करयके सँगही करीब आधा दर्जन असुर ग्यास प्रहार केलक अछि । असुर ग्यासक कारण पाँच गोट कैदी घाइल भेल अछि । घाइल होबयबलासबमे उमेश मुखिया आ सागर झा सहितक रहल अछि । कारागार व्यवस्थापन बिभाग कार्यालय पर्सा वीरगञ्ज दु गोटे कैदीके दोसर जिल्लामे बदली करय लगलाबाद कैदीसब आन्दोलनमे उतरल अछि । ओसब सरुवा करय लागल कैदीके फिर्ता कर कहैत नारा सेहो लगौलक अछि ।

बिभागके आदेश अनुसार लालबाबु अन्सारी आ शम्भु गौतमके बदली करय लागल प्रमुख जिल्ला अधिकारी नागेन्द्र झा बतौलनि । प्रमुख जिल्ला अधिकारी झाके अनुसार अपहरण मुद्धामे वीरगञ्ज कारागारमे सजाय भोगि रहल कैदीके आइए दाङ्ग कारागारमे बदली करबाक छल । कारागार स्रोतक अनुसार बिदेशी साह आ शुक्र तामांङके सेहो बदलीके प्रकृया आगु बढाओगेल अछि ।

सरकारके पुर्णता देबय जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णयः प्रचण्ड

काठमाडौं, फागुन १६ । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड सरकारके पुर्णता देबयके विषयमे जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णय कएल जाएत बतौलनि अछि ।

एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनालके प्रधानमन्त्री बना कऽ माओवादी प्रतिक्रियावादीसबहक गालमे थप्पड मारने कहैत ओ सरकारके पुर्णता देबयके विषयमे जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णय कऽक दोसर थप्पड मारत बतौलनि ।

‘झलनाथ खनालके प्रधननमन्त्रीमे निर्वाचित कऽक हमसब साहसिक निर्णय केने छी’ माओवादी आ डिलिराम आचार्य नेतृत्व केने पुनर्गठित नेकपा मसालबीच पार्टी एकताके घोषणा करैत प्रचण्ड कहलनि जे-’एखन सरकारके पूर्णता देबयमे अवरोध भरहल अछि, हमसब आइए काल्हिमे दोसर महत्वपूर्ण निर्णय कऽक दलाल ा प्रतिक्रियावादीसबहक गालमे दोसर थप्पड मारब ।’

मन्त्रिपरिषद् गठनमे अबेर भ रहलास जनता निराश भेल कहैत ओ सरकारके पूर्णता देबयके विषयमे गम्भीर बिमर्श भरहल जानकारी देलनि ।

एमाले माओवादीके बाट ताकि कऽ नै बैसत: श्रेष्ठ

काठमाडौं, फागुन १६ । नेकपा एमालेक नेता कृष्णगोपाल श्रेष्ठ माओवादी तत्काल सरकारमे नइ तऽ एमाले बाट ताकि कऽ नइ बैसत चेतावनी देलन्हि अछि।
आइ राजधानीमे भेल साक्षात्कार कार्यक्रममे नेता श्रेष्ठ सुरक्षा सम्बन्धी मन्त्रालय माओवादीके नइ देबाक चाहि कहैत आब माओवादी सरकारमे नइ अएलाबादो एक दु दिनमे एमाले एसगरे सरकारके पूर्णत देत बतओलन्हि अछि। ओ कहलन्हि जे सुरक्षा सम्बन्धी मन्त्रालय कोनो हालतमे माओवादीके देनाइ सम्भव नइ अछि। ओ माओवादी सरकारमे नइ आएल तऽ कांग्रेस सहितक अन्य दलसभके साथमे लऽकऽ बाम लोकतान्त्रिक गठबन्धके निरन्तरता दैत सरकारके पूर्णत देल जाएत बतओलन्हि अछि।
सात बुँदे औचित्य प्रधानमन्त्रीके निर्वाचन आ दुनु नेतासभके पुन: स्पष्टिकरण सँगे समाप्त भेल दावा करैत ओ धाक धम्किके भरमे किछ पाएब माओवादी सोच्ने अछि तऽ ओ दिनमे स्वप्न देखनाइ मात्रे अछि चेतावनी देलन्हि अछि। तहिना प्रधानमन्त्री त्याग केने पार्टी गृहमन्त्रालयमे अडान लेनाइ उपयूक्त नइ हाएत ओ बतओलन्हि अछि।

माओवादीके गृह नै भेटत त समर्थन फिर्ताः रायमाझी

काठमाडौं, फागुन १६ । एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता टोपबहादुर रायमाझी सात बुँदे सहमति अनुसार गृहमन्त्रालय नै पाओत त अपन पार्टी सरकारके देने समर्थन फिर्ता लेबाक चेतावनी देलनि अछि ।
आइ राजधानीमे भेल साक्षात्कार कार्यक्रममे रायमाझि कहलनि जे आब अहिस बेसी त्याग माओवादी करय नै सकत । कि सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन भऽ क सरकारमे जाएत कि समर्थन फिर्ता लऽ क प्रतिपक्षमे बैसत । माओवादी विचमे पेण्डुलम भऽ क नै बैसत ।’

रुक आ देखयके स्थितिमे आब एक दु दिनस बेसी अपन पार्टी नै बैसत कहैत ओ सहमति कार्यान्वयन नै हाएत त माओवादी एक दू दिन भितरेमे अपन निर्णय लेत बतौलनि ।

एमालेके कहबमे माओवादी नै चलत कहैत ओ एमाले सहमति कार्यान्वयन नै करत त झलनाथ खनालक क्षमतामे प्रश्न उठत बतौलनि ।

शान्ति आ संविधान नै चाहयबलासब षडयन्त्र करहल दावी करैत माओवादी नेता रायमाझी आन्दोलनके नेतृत्व कऽक आँधी तुफान आनि देब चेतावनी देलनि ।

माओवादी आ एमालेके बिमर्श निष्कर्ष विहीन

काठमाडौं, फागुन १६ । सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन आ मन्त्रिपरिषद् विस्तारबारे एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमालेबीच आइ भेल बिमर्श विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरवारमे भेल बैसारमे दुनु दल अपन अपन अडान कायमे रखलाबाद कोनो सहमति होबय नै सकल । बैसारक बाद एमाले नेता केपी शर्मा ओली बैसारमे अपनेसब गृह मन्त्रालय माओवादीके देबय नै सकब पुरने अडान रखने बतौलनि ।

मुदा एकटा मन्त्रालयके विषयमे मन्त्रिपरिषद विस्तार रोकय नै चाहीमे दुनु दल सकारात्मक रहल हुनक कहब छलनि । माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश सातबुँदेके बारेमे एमाले प्रष्ट नै केलास सहमति होबय नै सकल बतौलनि। बिमर्शके निरन्तरता देबय दुनु दल सहमत भेल अछि ।

सात बुँदे कार्यान्यवन नै हाएत त सरकारके देने समर्थन फिर्ताः बैद्य

काठमाडौ, फागुन १६ । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य सात बुँदे सहमतिके मर्म अनुसार आगु बढय नै सकत त सरकारके देने समर्थन फिर्ता लेब बतौलनि अछि । सहमति बमोजिम मन्त्री परिषद विस्तार होबय परत कहैत बैद्य अन्योल बढिते जाएत त सरकारके समर्थन करैत रहय नै सकब बतौलनि ।

आइ राजधानीमे ओयोजित जनसंचार अभियानमे बजैत उपाध्यक्ष बैद्य माओवादी समर्थनस सरकार बनितो सहममतिबारे एमाले भितर रहल अष्पष्टताके कारण मन्त्री परिषद् विस्तार होबय नै सकल बतौलनि । जारी गतिरोध अन्त्यक लेल एमालेके गंम्भीर भऽ लागय परत ओ बतौलनि ।

माओवादीले सातबुँदे सहमति अनुसार गृह मन्त्रालय अपने पाबयके दावी करैत आएल अछि । एमाले गृह माओवदीके देबय नै मिलत अडान रखलास सरकार निर्माणमे अन्योल उत्पन्न भेल अछि ।

कैदीद्वारा कारागार परिसरमे आगजनी आ प्रदर्शन

वीरगन्ज, फागुन १६ । कैदीके घुसकाबयके विरोध करैत वीरगन्ज कारागारके कैदीसब आई भिन्सरमे नाराबाजी केलक अछि । लालबहादुर कुर्मी आ शुक्रे तामाङके दाङ कारागारमे ल जाएके निर्णयके विरोधमे कैदीसब छत पऽ चढिकऽ प्रदर्शन केलक अछि ।

कारागार परिसरमे ओसब आगजनी समेत केलक अछि । अपनासबके भेटयबला रासन भत्ता समेत जेलर कट्टा करैत आबिरहल ओसब आरोप लगौलक अछि । जेलर बीर बहादुर कुर्मी अहि बिषयमे बाजय नै चाहलथि ।

प्रमुख जिल्ला अधिकारी नागेन्द्र झा जेल भितर गलत क्रियाकलाप भरहलास सूचनाके आधारमे दु गोटेके आन ठाम सरुवा करय लागल बतौलनि ।'

जेलर पैसा मँगने आ कैदी पैसा नै देलाबाद सरुवा करय लागल कैदीसब बतौलक अछि । भिन्सरेस नारावाजीमे उतरल कैदीसब खाना समेत बहिष्कार केलक अछि । उचित इलाज नै केलास दु कैदीके हालेमे मृत्यु भेलास सेहो ओसब खिसियाल अछि ।

सातबुँदे प्रष्टयाबऽ नै सकत त प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबय परत : यादव

काठमाडौ, फागुन १६ । मधेसी जनअधिकार फोरमक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण पूरा करयके आधार तयार नै करयधरि सरकारमे अपन पार्टी सहभागी नै हाएत बतौलनि अछि ।

आइ भैरहवामे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे बजैत यादव लडाकुके व्यवस्थापन आ तोकल समयमे संविधान निर्माणके आधार तय नै होबयधरि सरकारमे जाएके अर्थ नै रहल बतौलनि अछि । ओ अपनाके प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सरकारमे सहभागी होबय आग्रह करितो ओइ विषयमे प्रष्ट करय नै सकलास सरकारमे सहभागी नै भेल बतौलनि । ओ गृह मन्त्रालयके विषयके लऽ दु दल सरकारके बन्दी बनौने आरोप सेहो लगौलनि ।

यादव माओवादी आ एमालेबीच भेल सातबुँदे सहमतिमे देखलगेल विवादित बुँदा स्पष्ट कक अन्य दलके विश्वासमे लेबय नै सकत त तत्काल प्रधानमन्त्रीस राजीनामा दऽक अन्य दलके विकल्प खुल्ला करयके धारणा रखलनि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन