Monday, October 03, 2011

दशमीक आइ सप्तमी दिन बेलतोडी भ रहल


१६ आसिन, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ सप्तमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ बेलतोडी भ रहल अछि ।
दशमीक आइ सप्तमी दिन माता कालरात्रीक पुजा कएल जा रहल अछि । पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता कालरात्रीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता कालरात्रीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
अहिबिच काल्हि बेलनौती भेल छल आ काल्हि नौतल गेल बेलके आइ तोरि क लाओल जा रहल अछि । जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसँ पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब बाजागाजाके साथ बेलतोरी कार्यक्रममे सहभागी भ रहल अछि । काल्हि नौतलगेल बेलके आइ तोरिक आनि प्राण प्रतिष्ठा कराबयके जनबिश्वास रहल अछि । अहिके सँग आजुक दिन दुर्गा माताके दुर्गा मन्दिरमे प्रतिष्ठा कराओल गेल कहैत जाइत अछि त माटिक प्रतिमा बनाओल गेल सबमे माताक आँखिके पुर्ण रुपसँ तयार कएल जाति अछि । एम्हर जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे आइ माताक भब्य श्रृगाँर कएल जाएत । 
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन