Tuesday, April 05, 2011

संविधानमे मुस्लिम अधिकार सुनिश्चितके माँग


काठमाडौं, चैत २२ । मुस्लिम समुदाय आ सम्वद्ध विभिन्न संघ/संस्था आब बनयबला नयाँ संविधानमे अपन हक अधिकारके सुनिश्चित करय सरकारके ध्यानाकर्षण करौलक अछि ।
मुस्लिम आ दलितके विभिन्न संघ संस्था आइ संयुक्त र्‍याली निकालि कऽ नयाँ संविधानमे मुस्लिम, दलित, जनजाति, पिछडल बर्गके अधिकार सुनिश्चित करय माँग केलक अछि । माइतिघर मण्डलासँ सुरु भेल र्‍याली बबरमहल, सिंहदरबार दक्षिण गेट होइत संविधानसभा भवन आगु नयाँ बानेश्वर पहुँच कऽ कोणसभामे परिणत भेल छल ।
कोणसभाके हाजी मिर्जा अर्शद बेग, मौलाना गुलाम रसुल फलाही, अधिवक्ता अख्तर अलि अन्सारी सहितक सभ संविधानमे मुस्लिम, दलित, जनजातीके अधिकार सुनिश्चित करय आ संविधानमे मुस्लिमके छुट्टे पहिचान कायम करयके माँग केलनि ।

भारतीय वैज्ञानिकसभ नेपाल आबि रहल


काठमाडौं, चैत २२ । भारतीय राष्ट्रिय विज्ञान अकादमी (इन्सा) के अध्यक्ष प्रा. डा. कृष्णलाल तथा उपाध्यक्षद्वय प्राडा एन. सत्यमूर्ती आ प्राडा आलोक भट्टाचार्य नेपाल भ्रमणमे आबय लागल छथि ।
नेपाल विज्ञान तथा प्रविधि प्रज्ञा प्रतिष्ठान (नास्ट) के निमन्त्रणामे भारतीय टोली बृहस्पति दिन नेपाल आबय लागल छथि ।
तीन दिना भ्रमणके क्रममे हुनकासभके भौतिकशास्त्र, जीवशास्त्र तथा विज्ञान शिक्षा सम्बन्धी ६ टा प्रवचन देबाक कार्यक्रम रहल अछि । प्रवचन कार्यक्रमसभ प्रविधि प्रज्ञा प्रतिष्ठान, खुमलटार, त्रिभुवन विश्वविद्यालयके सम्बन्धित केन्द्रीय विभाग, कीर्तिपुर तथा अमृत साइन्स क्याम्पस, लैनचौरमे चैत २४ आ २५ गते बेरियामे हाएत ।
नास्ट आ इन्साबीच सन् १९८९ स द्विपक्षीय सम्झौता भ वैज्ञानिक तथा प्राविधिक आदान प्रदान तथा अध्ययन अनुसन्धान होइत आएल नास्ट जनौलक अछि ।

युनुस उपर गोली चलाबयबला जगजित सदरखोरमे


काठमाडौं, चैत २२ । युनुस अन्सारीके गोली मारयबला भारतीय नागरिक जगजित सिंहके काठमाडौं जिल्ला प्रशासन कार्यालय पुर्पक्षके लेल थुनामे राखयके आदेश देलक अछि ।
ओकरा सदरखोर डिल्लीबजार चलान कएलगेल अछि । अहिना, जगजित ज्यान मार्ने उद्योग केने मुद्धाके प्रस्तावित राय सहितके अनुसन्धान प्रतिवेदन आइए काठमाडौं जिल्ला सरकारी वकिलके कार्यालयके बुझौलक अछि ।
प्रतिवेदनमे जगजितसँगै पाँच भारतीय नागरिक, चाल्स शोभराज आ अमर टन्डन विरुद्ध ज्यान मार्ने उद्योगमे मुद्धा चलाबय सुझाव देलगेल अछि ।
कार्यालय काल्हि काठमाडौं जिल्ला अदालतमे ज्यान मार्ने उद्योगके मुद्धा दर्ता करत । जगजित  नक्कली भारुके केन्द्रीय कारोबारमे केन्द्रीय कारागारमे थुनामे रहल अन्सारीके फागुन २६ गते गोली मारने छल । घटनाके तुरुन्त बाद गिरफ्तार भेल जगजितके सँगस पुलिस जर्मन रिभल्वर बरामद केने छल ।

जात्रामे झगडा करयबलाके सार्वजनिक मुद्दा


भक्तपुर, चैत २२ । भक्तपुरके प्रसिद्ध विस्केट जात्रामे पाथर फेकयबला आ  झगडा करयबलाके सार्वजनिक मुद्दा लगा कऽ कारबाही कएल जाएत ।
आइ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे प्रमुख जिल्ला अधिकारी दीपकराज नेपाल बितल वर्षसँ अहि वर्ष सुरक्षा व्यवस्था कडा कएल गेल जानकारी देलनि । अहि वर्षसँ जात्रा होबयबला स्थलमे झगडा करयबला व्यक्तिकके पहिचान करय सिसिटिभी जडान कएल जएत महानगरीय प्रहरी परिसरके प्रहरी नायब उपरीक्षक श्याम ज्ञवाली जानकारी देलनि ।
बितल वर्ष भेल पाथर फेकाफेकमे २१ गोटे घाइल  भेल छल ।  

त्रिविद्वारा सिरहा क्याम्पसके सब परीक्षार्थीके परीक्षा स्थगित


सिरहा, चैत २२ । सत्य नारायण मोरबैता यादव बहुमुखी क्याम्पस सिरहामे सञ्चालित एम.एड.के दोसर बर्षक परीक्षामे सहभागी सब बिद्यार्थीके परीक्षा त्रिभुवन विश्वविद्यालय एक्सपेल्ड केलक अछि ।
ओ क्याम्पसके १ सय ५९ गोटे विद्यार्थी एम.एड दोसर बर्षक परीक्षा देने छल । त्रिवि चैत्र १० गते परीक्षाफल प्रकाशित केनेमे सिरहा क्याम्पसके सम्पूर्ण विद्यार्थीके परीक्षा स्थगित केलक अछि ।
असार महिनामे भेल ओ परीक्षाके परीक्षा केन्द्र त्रिवि गोलबजार क्याम्पसमे घुसकौलाबाद विद्यार्थीसभ शुरुके दु दिन बहिष्कार केने छलथि । विद्यार्थीसभ विभिन्न किसिमके दवाव मुलक कार्यक्रम केलाबाद त्रिवि पूनः ओ दु विषयके परीक्षा गोलेबजारमे  लेने छल ।
त्रिवि पूनः सञ्चालन केने दु विषयके परीक्षाके पहिनेही दिन किछ परीक्षार्थीसभ त्रिवि खटौने पर्यवेक्षक भोला राउतके पिटपाट करैत माथ फोइर देने छल । पर्यवेक्षक राउत महिला परीक्षार्थीसभके महिला स्टाफ नहि खटा अपने देह जाँच केने बिरोधमे परीक्षार्थीसभ मारिपिट केने  परीक्षार्थी सत्रुधन यादव बतौलनि ।
सिरहा क्याम्पसके क्याम्प्स प्रमुख डाक्टर राम खेलावन यादव गल्ती करयबला बिद्यार्थी उपर मात्रे त्रिविके कारवाही करय चाहीमे सम्पूर्ण विद्यार्थी उपर कारबाही भेनाइ त्रिविके फेउरसँ इ  दोसर गलत कदम भेल बतौलनि ।
अहिस आगु सेहो  त्रिवि आई.एड. दोसर बर्षक १४ सय विद्यार्थीके सम्पूर्ण विषयके परीक्षा रद्द करयके सँगहि एक्सपेल्ड केने छल । विद्यार्थीसभ त्रिवि बिरुद्ध सर्वोच्च अदालतमे रिट दायर केने अछि । सर्वोच्च अदालत समयमे फैसला नहि केलासँ त्रिवि फेउर दोसर गल्ती करय उत्साहित भेल स्थानीयबासीके आरोप अछि ।

मजदुर विवाद मिलाबय बैसल माओवादीक बैसार निष्कर्ष बिहीन


काठमाडौ, चैत २२ । मजदुरके विवाद समाधान करय बैसल माओवादी पदाधिकारीके बैसार बिना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि । पार्टी कार्यलयमे कोटेश्वरमे  आइ बेरियामे बैसल बैसारमे संयोजक तोकयके बिषयमे बात नहि मिलल अछि ।
 बैसारमे मजदुरसभहक संगठनके  विघटन कऽक राष्ट्रिय सम्मेलनके आयोजना केलासँ किनका संयोजक बनाबयके विषयमे विवाद केन्द्रीत भेल छल । बैसारमे माओवादी नेता मोहन बैद्य पक्षके मजदुर नेता बद्री बजगाइ आ डा. बाबुराम भट्टराई प‌क्षक नेता लालध्वज नेम्वाङ् सम्मेलनके संयोजक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पक्षक मजदुर नेता शालिकराम जमकटेलके नहि बनाबय सुझाव देने छलथि । सहमति जुटय  नहि सकलासँ काल्हि फेउर बैसार बैसत बताओलगेल अछि ।
अहिस आगु माओवादीके स्थायी समितिक बैसारसँ समानान्तर रुपमे रहल तीनु मजदुर संगठन बिघटन करैत राष्ट्रिय सम्मेलनके आयोजक समिति बनाबयके निर्णय कएने छल ।
 बैसारमे माओवादी अध्यक्ष दाहाल, उपाध्यक्षद्वय भट्टराई आ बैद्य सहितक नेतासभ सहभागी छलथि । आजुक बैसार मजदुर विवादमे केन्द्रित भेलासँ काल्हिके बैसारमे सरकारमे सहभागी होबयबला मन्त्रीसभहक नामावली बारे बिमर्श हाएत बताओल गेल अछि ।

प्रचण्डके ठाममे प्रकाशके राखयके माओवादीक प्रस्ताव


काठमाडौं, चैत २२ एकीकृत नेकपा माओवादी संवैधानिक समिति गठन केने विवाद समाधान उपसमितिक संयोजकम उपाध्यक्ष नारयाणकाजी श्रेष्ठके प्रस्ताव केलक अछि
सभामुख सुभासचन्द्र नेम्वाङ समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य सहित प्रमुख तीन राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासभहक आइैसल बैसारमे माओवादी प्रचण्डक स्थानम प्रकाशक नाम रखने अछि । जवाफम कांग्रेस एमाले माओवादीक प्रस्ताव अस्वीकार केलक अछि
संवैधानिक समिति उपसमितिक म्याद बैशाख १ गतेधरिके लेल थपला बाद प्रचण्ड उपसमितिमैसय अस्वीकार कएने छलथि । प्रचण्ड कार्यव्यस्तताके कारण देखबैत  उपसमितिम नहि रहब बतौने छलथि ।
बैसारमे संवैधानिक समितिक बैसारमे उत्पन्न अवरोधबारे सेहो बिमर्श भेल छलपछिल समय संवैधानिक समितिम उत्पन्न अवरोध संरचना परिर्वतन सहित उपसमितिके केना कऽ क्रियाशिल कराबयके बिषयमे बिमर्श भेल छलबैसारक बाद माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश कहलनि जे काल्हि फेउर बिमर्श कऽक निर्णय करबाक सहमति भेल अछि
दलित, मुस्लिम सहितक सिमान्तकृत समुदायक अधिकार सुनिश्चित नहि ेल कहैत दलित जनजाति पार्टीक विश्वेन्द्र पासवान स्वतन्त्र सभासद् सदरुल मियाँ हक संवैधानिक समितिक बैसार अवरुद्ध करैत एल छथि । १७ गतेक बैसारमे राज्य पुनःसंरचनासम्वन्धी समितिक प्रतिवेदन फारने पासवान १८ गतेक बैसारमेर्सी फेकने छलथि
बैसारमे एमाले अध्यक्ष एवम् प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल, माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल सहितक सहभागी छलथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन