Tuesday, October 04, 2011

दशमीक आइ अष्टमीक दिन बलि प्रदान कएल जाएत


१७ आसिन जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ अष्टमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ महागौरीके पुजा पाठ भऽ रहल अछि ।

पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे पुजा करय तथा प्रसाद चढाबय लेल आधा रातिएसँ श्रद्धालुसब लाइनमे लागल देखल गेल अछि । आन सालक अपेक्षा अहिबेर जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे श्रद्धालुसबहक बेसी भिड देखल गेल अछि । एम्हर महिलासबके खोँचि भरय लेल सेहो पँघ भिड देखल गेल अछि ।

शक्ति स्वरुपा माता महागौरीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता महागौरीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।

अहिना आइ साँझमे निशा पुजा कएल जाएत । तत्पश्चात निशा पुजाके बाद दुर्गा मन्दिरसबमे खसीके बली देल जाएत । जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे आइ साँझ पौने ७ बजे स बलि देल जाएत स्थानिय महाबिर युवा कमिटी जनौलक अछि ।  बली प्रदान करय लेल आन साल २ टा ठेहाके बब्यबस्था रहितो खसी चढाबयबलासबके बेसी भिडके ध्यानमे रखैत अहिबेर ४ टा ठेहाके ब्यबस्था कएल गेल अछि । एक मिनेटमे ५० टा सँ बेसी खसी चढाओल जाएत बताओल गेल अछि । खसी चढाबय लेल पडोसी देश भारतसँ सेहो पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब प्रत्येक साल आबिरहल पुजा कमिटी जानकारी देलक अछि । बितल साल करिब साढे १२ हजार बलि प्रदान भेलासँ अहिबेर करिब १५ हजारधरि बली राजदेवी मन्दिरमे चढय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर बौधी माताक मन्दिर  सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । भिडभाडके ध्यानमे रखैत बिभिन्न स्थानमे सुरक्षा ब्यबबस्था सेहो कडा बनाओल गेल अछि ।

राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन