Wednesday, October 12, 2011

प्रधानमन्त्री ४ दिना भारत भ्रमण करताह


काठमाडौ, आश्विन २५ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई कात्तिक ३ सँ ६ गतेधरि भारतक औपचारिक भ्रमण करयके तय भेल अछि । परराष्ट्र मन्त्रालय तयार केने प्रारम्भिक कार्य सूचीमे प्रधानमन्त्रीके सुरुमे प्रस्तावित सात दिना भ्रमण छोट कऽ ४ दिनमा कएल गेल अछि ।

पहिल ३ दिन  प्रधानमन्त्रीके भारतीय राष्ट्रपति, प्रधानमन्त्री, अर्थमन्त्री, विदेशमन्त्री सहितक विशिष्ट पदाधिकारीसबसँग औपचारिक भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । वायह बीचमे भारतस्थित ‘फ्रेन्ड्स अफ नेपाल’ के पदाधिकारी तथा जवाहरलाल नेहरू युनिभर्सिटीमे आयोजना होबयबला समारोहमे भट्टराई सहभागी हेताह ।

भ्रमणक क्रममे नेपाल–भारत संयुक्त आर्थिक विकास परियोजना अन्तर्गतके साझा भन्सार बिन्दु, सुख्खा बन्दरगाह, तराई सडक आदिबारे बातचित हाएत ।

महत्वपुर्ण समाचारसब

२०६८  


बैशाख


१९ गते - ( २ मई २०११ ) । अल क़ायदा प्रमुख़ ओसामा बिन लादेनके अमरीकी सैनिक  पाकिस्तानके ऐबटाबादमें गोली मारि कऽ हत्या केलक ।

आसिन


८ गते -  माउन्टेन फ्लाइटसँ घुरि रहल बुद्ध एयरके बीचक्राफ्ट विमान ललितपुरके विशंखुनारायण आ लामाटार गाविसके बीचमे परयबला कोटडाँडामे दुर्घटनाग्रस्त भेलाबाद १९ गोटेके मृत्यु ।

२३ गते - भारतिय चर्चित गजल के गायक जगजित सिँहक ७० बर्षक उमेरमे निधन ।

२६ गते - सिन्धुलीसँ काठमाडौं जाऽ रहल एकटा यात्रुबाहक बस सुनकोसी नदीमे खस्लाबाद कमसँ कम ४६ गोटेके मृत्यु ।

कातिक 

१ गते -  नेपालगञ्जसँ रोगीसबके लऽ काठमाडौं जाऽ रहल नेपाली सेनाके आर.ए.एन ४९ आईलेण्डर बिमान दुर्घटनामे विमानमे सवार सम्पुर्ण ६ गोटेके मृत्यु ।  

३ गते - 2011 October 20 ।. लीबियामें पूर्व शासक कर्नल मुअम्मर गद्दाफ़ीके सिर्तेमें हुनक वफ़ादार आ अंतरिम सरकारके सैनिकके बीच भेल  दुतर्फी भिडन्तमे मृत्यु । 


४ गते - नेपालक प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराइ आ भारतक प्रधानमन्त्री मनमोहन सिँहबिच बिपा सम्झौता । सम्झौतामे भारत उद्योगीके नेपालमे लगानी करय आग्रह । उद्योगमे घाटा भेला पर ओकर सम्पुर्ण क्षतिपुर्ति नेपालके ब्योहरयके सहमति ।


१० गते - राष्ट्रिय विभुति शंखधर साँख्वा प्रचलनमे लौने नेपाल सम्बत आईसँ शुरु । सन् १९०३ मे तत्कालीन प्रधानमन्त्री चन्द्र शमशेर नेपाल सम्बत् प्रयोगमे रोक लगबैत विक्रम सम्बत् लागू केने छलथि । साँख्वाके सरकार २०५६ साल अगहन २३ गते राष्ट्रिय विभुति घोषणा केने छल ।


१४ गते - ( 31 october 2011 ) । विश्वके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽ चुकल अछि । सात अरबवाँ बच्चाक जन्म फिलिपींसके राजधानी मनिलामे भेल अछि । फिलीपिंसक एकटा अस्पतालमे जन्म लेने ओ बच्चाक नाम डैनिका रहल अछि । डैनिकाके जन्म राति करिब १२ बजे भेल छल । यूनाइटेड नेशनके वेवसाइट पर एहि विषयमे तथ्यांक दर्ज भऽचुकल अछि । एहिके सँग दुनियाके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽचुकल अछि ।


२४ गते - २०६८ कातिक २४ आ २५ गते माल्दिभ्समे १७ हम् सार्क सम्मेलन सम्पन्न भेल अछि ।


अगहन


१२ गते - देशभरि अखनो ५२ लाख निरक्षर  । अनौपचारिक शिक्षा केन्द्र सानोठिमी पचहतरो जिल्ला शिक्षा कार्यालयसँ सङ्कलित १५ वर्षसँ उपरके समूहक निरक्षरताके सङ्ख्या सार्वजनिक केलक  ।  देशभरि हाल १५ वर्षसँ उपरके १७ लाख ३८ हजार ६४३ पुरुष आ ३४ लाख ३५ हजार ३३६ महिला निरक्षर । देशके पचहतरो जिल्ला मेसँ सबसँ बेसी निरक्षर रहल जिल्ला सर्लाही आ सबसँ कम रहल जिला मनाङ  । सर्लाहीमे एकलाख ३२ हजार ७९८ महिला आ ८८ हजार ८९७ पुरुष निरक्षर तथा मनाङमे ९०७ महिला आ ४९९ पुरुष निरक्षर ।




 १५ गते -  नेपाल भ्रष्ट्रचार करयके देशके १ सय ५४ हम् नम्बरमे  । ट्रान्सपरेन्सी इन्टरन्यानशलके प्रतिवेदन अनुसार भ्रष्टचारीके नम्वरमे बितल  वर्ष १ सय ४६ हम् स्थानमे छल । १ सय ८३ देश मेसँ नेपाल १ सय ५४ हम् स्थानमे अछि तऽ सबसँ बेसी भ्रष्टमे सोमालिया, उत्तर कोरिया आ म्यानमार रहल अछि । अहिना सबसँ कम भ्रष्टमे न्यूजिल्याण्ड रहल अछि ।



१८ गते - ( 04 Dec. 2011 ) - भारतीय सिनेमाके सदाबहार अभिनेता देवानंदके लंदनमें हृदयघातक कारण ८८ बर्षक उमेरमे निधन । 


पुष



पुष ३ गते ( रविवार, 18 दिसंबर, 2011 ) । इराक़में रहल अमरीकी सैनिकसब आइ भिन्सर इराक़ छोड़ि कऽ कुवेतके तरफ प्रस्थान , जाहिके साथ  करीब ९ साल पुरान अमरीकी सैन्य अभियान ख़त्म भऽ गेल  । इराक़में अमरीकी सेनाके अभियान 2003 में अमरीका द्धारा कएलगेल हमलासँ शुरु भेल छल । जाहिके बाद सद्दाम हुसैनके शासनके अंत भऽ गेल छल । सद्दामके सत्ता सँ हटाओल गेलाक बाद इराक़में विद्रोहीके सँग भेल संघर्षमे करिब 4500 अमरीकी सैनिके मृत्यु भेल तऽ करिब 32000 गोटे घाइल भेल आ सैकड़ों अरब डॉलर अहि सैन्य अभियान पर खर्चा कएल गेल । एक समय इराक़में एक लाख ७० हज़ार अमरीकी सैनिक छल आ ओ सब करिब ५०० सँ बेसी क्याम्प बनौने छल ।



१० गते -  ( 25 Dec. 2011 ) - 
अमेरिकाके १५ वर्षक उमेरमे जर्डन रोमेरो विश्वके सातो महादेशके उँच शिखर आरोहण कऽ किर्तीमान कायम केलनि अछि । १३ वर्षके उमेरमे सगरमाथाके आरोहण करय सफल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

उत्तरी मेक्सिकोके पहाडी क्षेत्रमे बनल विश्वके सबसँ उँच पुलके उद्घाटन भेल अछि । मेक्सिकोके कठिन रास्तामे बनल बुलआर्ट पुल ४ सय ३ मिटर अर्थात १३२२ फुट उँच अछि । ११२४ मिटर लम्बा पुल ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।






धस्नामे परि एक महिलाके मृत्यु तीन घाइल


सर्लाही, आश्विन २५ । घर निपय लेल माटि लेबय गेल १ गोटेके सर्लाहीमे माटिके धस्नामे परि मृत्यु भेल अछि तऽ ३ गोटे घाइल भेल अछि ।

सर्लाहीके अत्रौली गाविसमे  पटौना नदी लग आइ  माटि खनय काल अत्रौली गाविस-१ के ३५ बर्षक कुमारीदेवी यादवके धस्नामे पिचा कऽ मृत्यु भेल अछि । उद्धार कऽ हुनक अस्पताल पहुँचैबतो मृत्यु भेल पुलिस  जनौलक अछि ।

वायह ठामक १३ बर्षक ममता कुमारी यादव, ३० बर्षक गंगा देवी महतो आ ३५ बर्षक चन्द्रकला यादव गंम्भीर घाइल भेल अछि । प्रहरी नायव उपरीक्षक कृष्ण प्रसाईं घाइल तीनु गोटेके इलाजक लेल अस्पताल पठाओल गेल जानकारी देलनि ।

माओवादीके दुनु पक्षक राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित


२५ आसिन, काठमाण्डौ । एकीकृत माओवादीक संस्थापन आ बैद्य पक्ष बजौने राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित भेल अछि ।

माओवादी पदाधिकारीसबहक आइ भिन्सर बैसल बैसारसँ संस्थापन पक्ष २९ गते बजौने आ वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण पक्ष २८ गते बजौने कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला स्थगित करयके निर्णय केलक अछि ।

संस्थापन पक्षले पार्टीके आधिकारिक लाइनबारे जानकारी देबय कहैत आसिन २९ गते प्रशिक्षण भेला बजैबते बैद्य पक्ष २८ गते समानान्तर भेला बजौने छल । प्रचण्ड निवास नयाँबजारमे बैसल पदाधिकारीसबहक बैसारसँ कार्तिक १७ गते केन्द्रीय समितिक बैसार बजौने अछि । बैसारसँ केन्द्रीय समितिके निर्णय नहि करयधरि विवादास्पद अभिव्यक्ति नहि  देबय आ बिमर्श भेला जेहन कार्यक्रम नहि करयके सेहो निर्देशन देलगेल अछि ।

माओवादी पदाधिकारीसबहक बैसारसँ भूमिसुभार मन्त्री एवं पार्टी केन्द्रीय सदस्य प्रभु साहविरुद्ध लगाओलगेल हत्या आरोपके मुद्धा निराधार रहल कहैत सरकारक ध्यानाकर्षण करौने अछि । बैसारमे सातो पदाधिकारीके सहभागिता छल । अहिसँ आगु बैद्य पक्ष पदाधिकारी  आ स्थायी समितिक बैसार बहिस्कार करैत आएल छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन