Tuesday, January 10, 2012

कांग्रेस आ एमालेके कहने जका संविधान नहि बनतः गजुरेल


२६ पुस, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल काग्रेस आ एमाले कहने जका संविधान कोनो हालतमे बनय नहि देव दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव गजुरेल संसदीय ब्यवस्था कोनो हालतमे नहि मानब स्पष्ट कएलनि । ओ कहलनि-’संसदीय ब्यवस्था मानयके रहित तऽ २०५२ सालमे हतियार उठेबे नहि करितौ । राजा हमरासबहक लेल समस्या नहि छल ।’

ओ पार्टी उठौने संविधानके अन्तरबस्तुके  कोनो हालतमे नहि छोडब स्पष्ट कएलनि । क्रान्तिकारी भूमिसुधार लागु कऽ क बेसी भेल जमिन भूमिहिन आ सुकुम्बासीके वितरण करयके, आत्मनिर्णयके अधिकार सहितक संघीयता, मजदुर आ किसानके सबसँ बेसी अधिकार देवयके, राष्ट्रपति कार्यकारी होवयके शासन ब्यवस्था आ निर्वाचन प्रणालीके विषयमे काल्हि बैसयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे लिखित प्रस्ताव  प्रस्तुत हाएत जानकारी सेहो देलनि ।

सचिव गजुरेल कांग्रेस आ एमालेके कारण शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण कार्य जोखिममे परल आरोप लगौलनि । कांग्रेस आ एमाले माओवादीविरुद्ध १६ दलके मोर्चाबन्दी केने कारण जनसंविधान आ जनताके संघीय गणतन्त्र स्थापनके लेल एक भऽ क लडय पार्टी एकीकरण भेल जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई पार्टीके एजेण्डा लागू करय नहि सकिरहल आ मधेसी मोर्चाके मात्रे एजेण्डा लागु केलासँ आरोप लगबैत ओ तत्काल प्रधानमन्त्रीके पद छोडनाइ ठिक हाएत धारणा रखलनि । कांग्रेसे  अविश्वासके प्रस्ताव लाबयके तयारी कऽ रहलासँ ओइसँ आगुए प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देवय चाही सचिव गजुरेलक सुझाव छलनि ।


हतियार सहित ४ गोटे गिरफ्तार


रौतहट, पुस २६ । ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुर रौतहटके टोली दु थान अबैध हतियार सहित ४ गोटेके बितल साँझ गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्लाके गम्हरिया पर्सा गाबिस-२ के सेख मुस्लिम, बसबिट्टी जिङ्गडिया गाबिस-६ के देबनारायण साह, कर्कच कर्मैया गाबिस-२ के बिन्देश्वर पासवान आ माधोपुर गाबिस-१ के रबिन्द्रप्रसाद साहके २ थान अबैध नलकटुवा पेस्तोल आ दु राउण्ड गोली सहित ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुरके टोली गिरफ्तार केने प्रहरी उपरीक्षक ठुले राई जानकारी देलनि ।

गम्हरिया पर्सा स्थित एक घरमे हत्याको योजना बना रहल अबस्थामे सुराकिके आधारमे पुलिस चारु गोटेके गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

पुलिस तीन गोटेके गिरफ्तार केलक


२६ पुष हजारीबाग, झारखंड । कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी आ दिल्ली पुलिस आयुक्त बीके गुप्ताके हालमें एक धमकी सहितक ई-मेल पठौने कहैत पुलिस  तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

हजारीबागके पुलिस अधीक्षक पंकज कंबोज कहलनि जे कांग्रेस अध्यक्ष आ दिल्ली

बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु


२६ पुष पाकिस्तान । पाकिस्तानके क़बायली क्षेत्रमे भेल एक बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ३० गोटे घाइल भेल अछि ।

एक वरिष्ठ अधिकारीके अनुसार ख़ैबर एजेंसीके तालुक़ा जमरूदमें बिष्फोट भेल छल ।

लडाकुद्वारा मकवानपुर बन्दक आहृवान


२६ पुस, हेटौँडा । अनमिनके प्रमाणीकरणमे अयोग्य ठहर भऽ बहिर्गमनमे परल पूर्व माओवादी लडाकु आहृवान केने बन्दक कारण मकवानपुर जिल्लाके जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।

भारतीय सीमा सुरक्षा बलद्वारा मध्यरातिमे नेपाली उपर आक्रमण


इनरुवा, पुस २६ । भारतीय सिमा सुरक्षा वल एसएसबीके जवानसब नेपाली भूमिमे प्रवेश कऽ क सीमा क्षेत्रके वासीसबके घर घरेमे प्रवेश कऽ पिटपाट केलक अछि ।

बितलराति भारतीय सीमासंग जुडल सुनसरीके घुस्कीके बासीसबके हतियारधारी एसएसबी पिटपाट केलक अछि । एसएसबीके पिटाइसँ ९ गोटे घाइल भेल अछि ।

१५-२० गोटेके समूहमे आएल एसएसबी महिला पुरुष किछ नहि देख अन्धाधुन्द पिटपाट केने छल । घाइल मे सँ तीन गोटे महिला सेहो रहल अछि ।

एसएसबीके पिटाइसँ घुस्की ५ के कलमुद्धिन मियाँ, सलिम मियाँ ,तजमुल मियाँ, परिविना खातुन,

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित


२६ पुस, काठमाडौँ । आइके लेल बजाओलगेल एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित भेल अछि ।

सहमति प्रयासमे शीर्ष नेताबीचक बिमर्श जारी रहलासँ बैसार स्थगन कएलगेल पोलिट्ब्युरो सदस्य हरिबोल गजुरल जानकारी देलनि । मुदा बैसारके नयाँ तिथि तय नहि भेल अछि । बैसार भिन्सर ११ बजेबाद पार्टी मुख्यालय कोटेश्वर पेरिसडाँडामे बजाओलगेल छल । संस्थापन आ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षबीच काल्हि भेल सहमतिके अन्तिम रुप देवय पदाधिकारी बैसार नयाँबजारस्थित अध्यक्ष प्रचण्डक निवासमे जारी अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन