Tuesday, January 10, 2012

कांग्रेस आ एमालेके कहने जका संविधान नहि बनतः गजुरेल


२६ पुस, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल काग्रेस आ एमाले कहने जका संविधान कोनो हालतमे बनय नहि देव दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव गजुरेल संसदीय ब्यवस्था कोनो हालतमे नहि मानब स्पष्ट कएलनि । ओ कहलनि-संसदीय ब्यवस्था मानयके रहित तऽ २०५२ सालमे हतियार उठेबे नहि करितौ । राजा हमरासबहक लेल समस्या नहि छल ।

ओ पार्टी उठौने संविधानके अन्तरबस्तुके  कोनो हालतमे नहि छोडब स्पष्ट कएलनि । क्रान्तिकारी भूमिसुधार लागु कऽ क बेसी भेल जमिन भूमिहिन आ सुकुम्बासीके वितरण करयके, आत्मनिर्णयके अधिकार सहितक संघीयता, मजदुर आ किसानके सबसँ बेसी अधिकार देवयके, राष्ट्रपति कार्यकारी होवयके शासन ब्यवस्था आ निर्वाचन प्रणालीके विषयमे काल्हि बैसयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे लिखित प्रस्ताव  प्रस्तुत हाएत जानकारी सेहो देलनि ।

सचिव गजुरेल कांग्रेस आ एमालेके कारण शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण कार्य जोखिममे परल आरोप लगौलनि । कांग्रेस आ एमाले माओवादीविरुद्ध १६ दलके मोर्चाबन्दी केने कारण जनसंविधान आ जनताके संघीय गणतन्त्र स्थापनके लेल एक भऽ क लडय पार्टी एकीकरण भेल जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई पार्टीके एजेण्डा लागू करय नहि सकिरहल आ मधेसी मोर्चाके मात्रे एजेण्डा लागु केलासँ आरोप लगबैत ओ तत्काल प्रधानमन्त्रीके पद छोडनाइ ठिक हाएत धारणा रखलनि । कांग्रेसे  अविश्वासके प्रस्ताव लाबयके तयारी कऽ रहलासँ ओइसँ आगुए प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देवय चाही सचिव गजुरेलक सुझाव छलनि ।


हतियार सहित ४ गोटे गिरफ्तार


रौतहट, पुस २६ । ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुर रौतहटके टोली दु थान अबैध हतियार सहित ४ गोटेके बितल साँझ गिरफ्तार केलक अछि ।

जिल्लाके गम्हरिया पर्सा गाबिस-२ के सेख मुस्लिम, बसबिट्टी जिङ्गडिया गाबिस-६ के देबनारायण साह, कर्कच कर्मैया गाबिस-२ के बिन्देश्वर पासवान आ माधोपुर गाबिस-१ के रबिन्द्रप्रसाद साहके २ थान अबैध नलकटुवा पेस्तोल आ दु राउण्ड गोली सहित ईलाका प्रहरी कार्यालय समनपुरके टोली गिरफ्तार केने प्रहरी उपरीक्षक ठुले राई जानकारी देलनि ।

गम्हरिया पर्सा स्थित एक घरमे हत्याको योजना बना रहल अबस्थामे सुराकिके आधारमे पुलिस चारु गोटेके गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

पुलिस तीन गोटेके गिरफ्तार केलक


२६ पुष हजारीबाग, झारखंड । कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी आ दिल्ली पुलिस आयुक्त बीके गुप्ताके हालमें एक धमकी सहितक ई-मेल पठौने कहैत पुलिस  तीन गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

हजारीबागके पुलिस अधीक्षक पंकज कंबोज कहलनि जे कांग्रेस अध्यक्ष आ दिल्ली

बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु


२६ पुष पाकिस्तान । पाकिस्तानके क़बायली क्षेत्रमे भेल एक बम बिष्फोटमे २० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ३० गोटे घाइल भेल अछि ।

एक वरिष्ठ अधिकारीके अनुसार ख़ैबर एजेंसीके तालुक़ा जमरूदमें बिष्फोट भेल छल ।

लडाकुद्वारा मकवानपुर बन्दक आहृवान


२६ पुस, हेटौँडा । अनमिनके प्रमाणीकरणमे अयोग्य ठहर भऽ बहिर्गमनमे परल पूर्व माओवादी लडाकु आहृवान केने बन्दक कारण मकवानपुर जिल्लाके जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।

भारतीय सीमा सुरक्षा बलद्वारा मध्यरातिमे नेपाली उपर आक्रमण


इनरुवा, पुस २६ । भारतीय सिमा सुरक्षा वल एसएसबीके जवानसब नेपाली भूमिमे प्रवेश कऽ क सीमा क्षेत्रके वासीसबके घर घरेमे प्रवेश कऽ पिटपाट केलक अछि ।

बितलराति भारतीय सीमासंग जुडल सुनसरीके घुस्कीके बासीसबके हतियारधारी एसएसबी पिटपाट केलक अछि । एसएसबीके पिटाइसँ ९ गोटे घाइल भेल अछि ।

१५-२० गोटेके समूहमे आएल एसएसबी महिला पुरुष किछ नहि देख अन्धाधुन्द पिटपाट केने छल । घाइल मे सँ तीन गोटे महिला सेहो रहल अछि ।

एसएसबीके पिटाइसँ घुस्की ५ के कलमुद्धिन मियाँ, सलिम मियाँ ,तजमुल मियाँ, परिविना खातुन,

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार स्थगित


२६ पुस, काठमाडौँ ।इके लेल बजाओलगेल एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय समिति बैसार स्थगित भेल अि

सहमति प्रयसम शीर्ष नेताबीचक बिमर्श जारी रहलासँ बैसार स्थगन कएलगेल पोलिट्ब्युरो सदस्य हरिबोल गजुरल जानकारी देलनि मुदा बैसारके नयाँ तिथि तय नहि भेल अछि । बैसार भिन्सर ११ बजेबाद पार्टी मुख्यालय कोटेश्वर पेरिसडाँडाम बजाओलगेल छल । संस्थापन उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षबीच काल्हि भेल सहमतिके अन्तिम रुप देवय पदाधिकारी बैसार नयाँबजारस्थित अध्यक्ष प्रचण्डक निवासम जारी ि

facebook Page Like

  • मनोरँजन