Sunday, August 28, 2011

पौडेल सदनमे एनाक बजलथि


११ भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री पदके लेल अपन उम्मेदवारीके घोषणा करैत कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल लोकतन्त्रके संस्थागत करय अपने चुनाव लडल बतौलनि ।

ओ कहलनि जे-प्रजातान्त्रिक मुल्य मान्यताके रक्षाके लेल हम उम्मेदबार भेल छी आ राजनीतिमे ठार छी । एकर मुल्यांकन काल्हि हाएत, आइ कएलगेल गठवन्धनसबसँ सेहो काल्हि चिरफार हाएत ।

माओवादीक उम्मेदवार डा. बाबुराम भट्टराईप्रति लक्षित करैत सहमतिके नाममे अपने पदमे जाएके खेल मात्र करैत आएल बतौलनि ।

माओवादी आ मधेसी मोर्चाबीच भेल गठवन्धनप्रति असन्तुष्टि जनबैत पौडेल कहलनि जे-हमसब केहन केहन सहमति कऽरहल छी । पर्दा पाछु कतेकौ खेलसब भेल अछि ।

माओवादीक कारण संविधान बनय नहि सकल कहैत ओ कहलनि जे-संघीय लोकतान्त्रिक संविधान बनाबयके  बिषयमे सहमतिमे रहि कऽ काज केने रहैत तऽ पहिल्के बर्षमे संविधान बनि जाइत ।

अन्ततः बाबुराम बनताह प्रधानमन्त्री


११ भादव, काठमाण्डौ । मधेसी मोर्चासँगके ४ बुँदे सहमतिके बाद अन्ततः एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई देशके नयाँ प्रधानमन्त्री बनयके पक्का भेल अछि ।

लम्बा समयधरि निर्णयमे पहुँचय नहि सकल मधेसी मोर्चासँग बितलराति ४ बुँदे सहमति भेल छल ।

मोर्चा घटक फोरम गणतान्त्रिकके अध्यक्ष जेपी गुप्ता कांग्रेस मधेस तथा राज्य पुर्नसंरचना आ संघीयता विरोधी भेलासँ प्रगतिशिल विचार राखयबला माओवादीके सहयोग करयके निर्णयमे अपनेसब पहुँचल बतौलनि ।

स्रोतक अनुसार दु पक्षबीच भेल चारि बुँदे सहमतिमे मोर्चा भट्टराईके प्रधानमन्त्रीमे मतदान करयके, मोर्चाके एक दर्जन मन्त्रालय देबयके, शान्ति आ संविधानके अविलम्ब निष्कर्षमे पहुँचाबयके तथा मधेसक मुद्धा सम्वोधन करयके सहमति भेल अछि ।

संविधानसभामे माओवादीक २ सय ३७ आ मोर्चाके ६५ सभासद् अछि । अहिना भट्टराईके पक्षमे १२ सभासद् रहल मधेसी जनाधिकार फोरम नेपाल, ५ सभासद् रहल नेकपा संयुक्त, ४/४ सभासद् रहल राष्ट्रिय जनमोर्चा आ माले समाजवादी तथा दु सभासद् रहल नेकपा एकीकृत सेहो मत देबयके निर्णय कऽ चुकल अछि ।

मताधिकार कायम रहल कुल ५ सय ९५ मेसँ जितय लेल २ सय ९८ मत लौलासँ पुगि जाएत । भट्टराईके पक्षम अखनधरि ३ सय २९ मत स्पष्ट रुपमे देखलगेल अछि । छोट दल  आ माओवादीबीच सिंहदरबारमे जारी बैसारमे सहमति हाएत तऽ भट्टराईके मत आओर बढ्यके सम्भावना अछि ।

बाँकी टटका समाचारसब ( Fresh news )

पसन्द केलन्हि

के कतयसँ कि देख रहल छथि ?

कुन देशसँ देखरहल छथि ?

Flag Counter