Monday, October 10, 2011

विश्व मानसिक स्वास्थ्य दिवस मनाओल जा रहल


२३ आसिन, जनकपुर । अक्टोबर १० तारिखके, नेपालमे सेहो विभिन्न कार्यक्रम कऽ आइ विश्व मानसिक स्वास्थ्य दिवस मनाओल जाऽ रहल अछि ।

विश्वमे अखन ४५ करोड सँ बेसी लोक बिभिन्न प्रकारके मानसिक स्वास्थ्य समस्यासँ पीडित रहल विश्व स्वास्थ्य संगठन जनौलक अछि । ओइ मेसँ साढे पन्ध्र करोड गम्भीर प्रकृतिक मानसिक स्वास्थ्य समस्यासँ पीडित अछि ।

विश्वके पाँच प्रतिशत बालबालिकामे समेत मानसिक रोगके समस्या देखल जाति अछि । मानसिक रोगीसबप्रति समाजमे होबयबला नकारात्मक व्यवहार आ उचित इलाजक अभावमे एहन रोगीसबहक मृत्युदर बहुत रहल स्वास्थ्यकर्मीसबहक कहब अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन