Friday, October 28, 2011

प्रधानमन्त्री आ पूर्व राजा सेहो टीका लगौलनि


काठमाडौं, कार्तिक ११ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ भिन्सर ११ बाजि कऽ ५५ मिनेटके शुभ समयमे दिदी थिरकुमारी शर्मा भट्टराई आ बहिन पार्वती शर्माके हातसँ टीका लगौलनि अछि । प्रधानमन्त्री टीकाके लेल अपन भाई शिव भट्टराईके घर कोटेश्वर पहुँचल छलथि ।

प्रधानमन्त्रीक स्वकीय सचिवालयके अनुसार प्रधानमन्त्रीके दिदी थिरकुमारी आ बहिन  पार्वती देशमे शान्ति आ समृद्धि कायम करय सफल होबय कहैत टीका लगौने राष्ट्रिय समाचार समिति जनौलक अछि ।

राससके अनुसार पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र शाह सेहो भिन्सर ११ बाजि कऽ ५५ मिनेटमे बहिन शोभा शाहीके हातसँ टीका लगौलनि अछि । टीकाके लेल ओ शाहीके निवास कमलादी गेल छलथि । हुनका शाही  सप्तरङ्गी टीका लगौने छलिह ।

मोडेल - शिखा ठाकुर








भरद्धितियाक तस्विरसब




 काठमाडौँक रानी पोखरी ।
काठमाडौँके रानी पोखरी । जे सालमे एक दिन भरद्धितियाक दिन मात्र खुजैत अछि ।

‘सरकार ठोसरुपमे प्रस्तुत नहि भेल’


काठमाडौं, कार्तिक ११ । एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल शान्ति प्रक्रिया पूरा करय आ संविधान निर्माणक लेल सरकार ठोसरुपमे प्रस्तुत नहि भेल आरोप लगौलनि अछि ।

अपने निवास डल्लुमे सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत अध्यक्ष खनाल सरकारके आब होबयबला शीर्ष वार्तामे ठोसरुपमे प्रस्तुत होबय आग्रह कएलगेल जानकारी देलनि । मुदा ओ किछुए दिनमे शान्ति प्रक्रियामे सहमति होबयके विश्वास व्यक्त कएलनि । ओइके लेल काल्हिएसँ हमसब द्विपक्षीयत्रिपक्षीय बिमर्श सुरु करब,’ खनाल कहलनि ।

सेना समायोजनके विवादित दु महत्त्वपूर्ण विषयमे सहमति जुटाबय सत्तारुढ माओवादी आ एमालेक शीर्ष नेताबीच काल्हि बिमर्श हाएत । माओवादी, एमाले सहित कांग्रेसक नेतासबसँग रबिदिन शीर्ष बिमर्श हाएत ।

अन्नपूर्ण क्यासिनोके फरार जीएम गिरफ्तार


काठमाडौँ, कात्तिक ११ ।  पुलिसक केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो जिल्ला अदालत ठगीके मुद्दामे दोषी ठहर केने अन्नपूर्ण क्यासिनोके जीएम तप्त बहादुर विष्टके भक्तपुरसँ गिरफ्तार केलक अछि ।  

मनोज कुमार रावलके जाहेरीसँ ठगी मुद्दामे सम्मानीत काठमाडौं जिल्ला अदालतके जेठ ९ गतेके फैसला अनुसार ६ महिना कैद, २५ लाख जरिवाना आ २५ लाख बिगो तोकलगेल अछाम जिल्ला ढाकु-७ स्थायी घर रहल विष्टके भक्तपुर बालकोट रोजभिलेज स्थित घर नम्वर २२ सँ प्रहरी प्रधान कार्यालय केन्द्रीय अनुसन्धान व्यूरोसँ खटल पुलिस कात्तिक ९ गते गिरफ्तार केलक अछि ।

विभिन्न मुद्दामे अदालतसँ विभिन्न समयमे भेल फैसलासँ कैद तथा जरिवाना ठहर करितो अदालतके फैसला बिपरित फरार रहि कऽ चोरा नुका कऽ चलयबला आदमीसबके गिरफ्तार कऽ कानुनी दायरामे लाबयके उद्देश्यसँ ओ ब्यूरोसँ संचालन कएलगेल अपरेशन हन्ट अन्तर्गत हुनका गिरफ्तार कएल गेल व्यूरो जनौलक अछि ।

पाक धमाकामें वरिष्ठ अधिकारीके मृत्यु


११ कातिक पाकिस्तान । पाकिस्तानके ख़ैबर पख़्तूनख़्वाह प्रांतके ज़िला नौशहरामें एकटा पुलिस गाडी पर भेल आत्मघाती हमलामें एक वरिष्ठ अधिकारी सहित २ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

एक वरिष्ठ पुलिस अधिकारीके अनुसार शहरके मुख्य सड़क पर जाऽ रहल पुलिस गाडीके अहि हमलामे निशाना बनाओल गेल छल जाहिमे वरिष्ठ अधिकारी अजमेर शाहके मृत्यु भेल अछि तऽ आरो २  गोटे पुलिसकर्मी घाइल सेहो भेल अछि ।

ज्ञातब्य जे पुलिस अधिकारी अजमेर शाहके तालिबानके दिससँ बितल किछ दिनसँ धमाकी देल जाऽ रहल छल ।

आइ भरदुतिया, सामा चकेवा सेहो शुरु


जनकपुरधाम, कार्तिक ११ । हिन्दूसबहक भाइ बहिनक पबित्र पावनि भरदुतिया आइ मिथिलान्चल सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ मनाओल जाऽ रहल अछि । आइ परम्परा अनुसार दिदीबहिनीसब अपन भाइ तथा भैयाके सुख, समृद्धि एवम् दीर्घायुके कामना करैत भाइ भैयाके टिका लगाबि रहल अछि ।

भरदुतियाके भैयादुज सेहो कहल जाइत छैक । भरदुतियाक लेल आजुक शुभ समय  ११ बाजि कऽ ५५ मिनेटसँ सुरु भेल आ सूर्यास्तधरि टीका लगाबय सकयके नेपाल पञ्चाङ्ग समिति जनौलक अछि ।

मिथिलान्चलमे आजुक दिन बहिनसब भैया तथा भाइके हाथमे पिठार सिन्दुर लगाकऽ हातमे पान सुपारी पैसा रखैत जलसँ हात नौतति अछि । नौतऽ  काल माथमे टिका लगा कऽ दिदी बहिनसब भाइके औरदाके लेल गँगा नौते जमुनाके हम नौतैछी भाइके । जहियातक  गँगामे जल रहेय तहिया तक भाइके औरदा रहेय कहैत नौतल करैत अछि । तकरबाद अपन इच्छाशक्तिके अनुसार भाइसब बहिनके उपहार देबयके परम्परा रहल अछि ।

अहिना ओम्हर पहाडी समुदायमे विधिअनुसार मण्डप बना कऽ  अष्टचिरञ्जीवीके पूजाके साथ ओइमे कहियो नहि सुखयबला तेलके घेरा लगा कऽ नहि मुरझायबला दुइभ मखमली आ सयपत्री फूलके माला, सप्तरङ्गी टीका लगा कऽ चिरायु रहयके कामना करैत अछि ।

तकरबाद दिदीबहिनसब अपन भाइ तथा भैयाके मिठाइ, फलफूल, ओखर, कटुस आ मसलाके सँगे सेलरोटी देबयके आ भैयासब अपन बहिनके इच्छाशक्ति अनुसार दक्षिणा तथा उपहार देबयके चलन रहल अछि ।

अहिबिच भाइ बहिनक पबित्र प्रेमके प्रतीकके रुपमे मनाओल जाएबला सामाचकेवा पावनिके तयारी सेहो आइएसँ विधिवत् रुपमे सुरु भेल अछि ।

दिदीबहिनसबके भाइ भैयाके दीर्घायु एवम् मङ्गल कामना करयके इ पावनिसँ एक आपसमे सम्बन्ध मधुर होयबाक धार्मिक एवम् सांस्कृतिक मान्यता रहि आएल अछि ।

खास कऽ अहि पावनिमे माटिके कलात्मक मूर्तिसब बनाओल जाइत अछि । मूर्ति बनाबय लेल भरदुतियाके  दिन माटि आनिक अहि पावनिके शुभारम्भ कएल जाइत अछि । छठि पावनिके खरनासँ मूर्ति बनाबयके काज सुरु भेलाबाद समा चकेवा खेलैत कात्तिक पूणिर्माके मध्यरातिमे इ पावनिके समाप्ति कएल जाइत अछि ।

 माटिसँ बनाओल गेल मानव, पशु आ चराके मूर्तिसब काँचे अवस्थामे रहैत अछ तऽ ओइके सामाआ आगिमे पकाओल गेल मूर्तिके चकेवाकहल जाइत अछि ।

समा चकेवा बनिगेलाबाद दिदिबहिनसब प्रत्येक साँझ सँगे बसिकऽ अपन अपन डाला लऽ गित गबैत इ पावनि मनबैत अछि ।

भगवान् कृष्ण आ जाम्बवतीके बेटीके नाम सामा छल । भगवान् कृष्णके श्रापके कारण शकुन्त चरा भेलाबाद साम्बके पुनः मानव योनीमे घुराबय सामाके भाइ साम्ब सफल भेलासँ याद स्वरुप इ पावनि मनाओल जाइत अछि ।


मोटरसाइकल दुर्घटनामे २ गोटेके मृत्यु


११ कातिक जनकपुरधाम । धनुषाके नक्टाझिज स्थित हजरा चौकमे आइ भिन्सर भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे गोटेके मृत्यु भेल अछि
जनकपुर ढल्केवर सडकखण्डके   नक्टाझिज स्थित हजरा चौकमे मोटरसाइकल अनियन्त्रित भेलाबाद दुनु गोटेके मृत्यु भेल अछि   जनकपुरदिस आबिरहल ७३८७ नम्बरक मोटरसाइकल अनियन्त्रित भऽ पोलमे ठोकराकऽ  महोतरी एकडारा बेला के डाक्टर भुपेन्द्र ठाकुर गोनरपुरा के इन्जिनियर अनिश साहके मृत्यु भेल अछि

मृतकके शवके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अँचल अस्पतालमे राखल गेल अछि

संविधानसभाक म्याद ६ महिना थपयके दाहालक संकेत


काठमाडौं, कार्तिक ११ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल संविधानसभाक म्याद ६ महिना थपयके संकेत केलनि अछि अन्तिम बेर ६ महिना म्याद थप जनता सेहो अनुमति देत दाबी कएलनि

नेपाल संवत् ११३२ क अवसरमे आइ राजधानीक कीर्तिपुरम आयोजित कार्यक्रमम संविधानसभाक म्याद फेर ६ महिना थपल जाएत बतौलनि अछि । संविधानसभाक थप तेसर बेरक म्याद आगामी अगहन १४ गते समाप्त भऽ रहल अछि

दाहाल एक महिनाभितर संविधानक एकीकृत मस्यौदा लाबय सम्भव नहि हाएत तऽ विवादित विषयम सहमति खोजयके प्रयास  जारी रह बतौलनि पैघ दलक नाता सँ अपन दल शान्ति संविधानक लेल जिम्मेवारीपूर्ण तरिकासँ काम करत जानकारी देलनि

दाहाल पछिल दिनम ेल शीर्ष बैसारसब सकारात्मक भेल चर्च करैत आब सहमतिक आशा जागल बतौलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन