Wednesday, October 05, 2011

दशमीक आइ नवमी दिन


आसिन, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ नवमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ माता सिद्धिदात्रिके पुजा रहल अछि ।
पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता सिद्धिदात्रिके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता सिद्धिदात्रिके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।
आजुक दिन कलस्थापना दिन अपन अपन घरमे विधिपूर्वक रखने जयन्तीके विभिन्न शक्तिपीठमे चढाओल जाति अछि ।  काल्हि जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे १२ हजार ५ सय ६१ खसीक बली देल गेल अछि । अहिना आइ सेहो बिभिन्न ठाममे बली देल जाऽ रहल अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 
राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन