Thursday, October 18, 2018

दशमीक आई नवमी दिन, माता सिद्धिदात्रीक पूजा भरहल


१ कात्तिक, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ नवमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ माता सिद्धिदात्रिके पुजा भऽ रहल अछि ।


पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ शक्ति स्वरुपा माता सिद्धिदात्रिके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता सिद्धिदात्रिके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।


एम्हर, राजा जनकके कुलदेवीके रुपमे रहल तथा जनकपुरक प्रमुख शक्तिपीठके रुपमे जानल जाएवला राजदेवी मन्दिरमे अष्टमीक काल्हि बुध दिन १४ हजार ९ सय ९७ खसीक बली देल गेल अछि । बितल वर्षक तुलनामे अहि वर्ष २ हजार ६ सय ९० बली बेसी प्रदान कएल गेल अछि । बितल बर्ष १२ हजार ३ सय ७ बली प्रदान कएलगेल छल । बुधके साँझ करिब साढे सातबजेसँ शुरु भेल बोकाबली भिन्सर ३ बजेधरि चलल छल । अहिना आइ सेहो बिभिन्न ठाममे बली देल जाऽ रहल अछि ।

दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 

राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन