Monday, November 28, 2011

आइ माता जानकीके मटकोर


१२ अगहन जनकपुरधाम । ऐतिहासिक एवम् धार्मिक नगरी जनकपुरमे जारी विवाहपञ्चमी महोत्सव अन्तर्गत आइ माता जानकीके मटकोर हर्षोल्लासपूर्वक भऽरहल अछि । काँल्हि राम मन्दिरमे तिल्कोत्सव कार्यक्रम सम्पन्न भेलाक पश्चात आइ मटकोर भऽरहक अछि। काँल्हि भेल तिल्कोत्सव कार्यक्रममे राममन्दिरक महन्थ राम गिरी आ जानकी मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णव एक आपसमे सम्धी मिलन कएने छलथि। महन्थ गिरी अयोध्या नरेश दशरथ तथा महन्थ दास राजा जनकक रुपमे प्रतिनिधित्व कएने छलथि ।

तिल्कोत्सवक अवसरमे जानकी मन्दिरसँ बाजागाजासहित राममन्दिरमे १ सय ५१ भार पहुँचाओलगेल छल। आइ मटकोर सम्पन्न भेलाक बाद काँल्हि स्थानिय बाह्रविघा रणभूमि मैदानमे स्वयम्वर आ जानकी मन्दिरमे शुभविवाहक कार्यक्रम रहल अछि।

तहिना अगहन १४ गते रामकलेवा अर्थात् विदाई समारोह भेला पश्चाय विवाहपञ्चमी महोत्सव सम्पन्न हाएत। बाजागाजा आ झाँकीसहित राम आ सीताक प्रतिमाके विशेष रुपमे बनाओलगेल डोलामे सिंहासन करा कऽ रणभूमि बाह्रविघा मैदानमे लऽजाँक स्वयम्वर कार्यक्रम होइत अछि।

भारतक अयोध्या सहितक विभिन्न स्थानसँ विभिन्न मठक महन्थ आ साधुसन्तसभ बरातीक रुपमे जनकपुर आबक क्रम अखनो जारीए अछि । तहिना महोत्सवमे सहभागी होवयलेल धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सर्लाही सहितक नेपालक विभिन्न जिल्लासँ श्रद्धालुसभके जनकपुर आबक क्रम सेहो जारी अछि । सर्वसाधारणक सुरक्षाके दृष्टिगत करैत जनकपुरक सुरक्षा व्यवस्था कडा कएलगेल अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन