Thursday, November 17, 2011

आई राष्ट्रिय कफि दिबस


१ अगहन जनकपुरधाम । आई राष्ट्रिय कफि दिबस बिभिन्न कार्यक्रम आयोजन कऽ कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि। नेपालक ४० जिल्लामे कफी होईत आबिरहल राष्ट्रिय चाय तथा कफि बिभाग बोर्ड जनओलक अछि।

नेपाल एखनि कफि उत्पादन कऽ कऽ स्वदेशक मांग पुर्ति कऽ रहल अछि तऽ बिदेशमे करीब २० करोडके कफि बेचैत अछि। नेपालक कफी अर्गानीक आ ठण्ढा हाबा पानिमे भऽ रहलाक कारणे बिदेशमे नेपाली कफिके माँग बेसी अछि। कफी खेति कऽ कऽ किसानक जिबन स्तर उठाओल जाऽ सकैए कहि एहि तर्फ सरकारके बेसी ध्याण देबए पडत उद्योगी सभके कहब अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन