Wednesday, February 16, 2011

माओवादी ११ मन्त्रालय पाओत, मन्त्रीसबहक सपथ काल्हि

४ फागुन, काठमाडौं । सरकार गठनमे महत्वपूर्ण भुमिका निर्बाह केने एकीकृत नेकपा माओवादी ११ मन्त्रालय पाओत । माओवादीके गृह, परराष्ट्र, स्थानीय विकास, शान्ति, भौतिक योजना तथा निर्माण सहितक मन्त्रालय देबय एमाले सहमत भेल अछि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ आ एमाले अध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बीच आइ भिन्सर बालुवाटारमे भेल भेटमे ११ मन्त्रालय माओवादीके आ ८ मन्त्रालय एमालेके लेबाक सहमति भेल अछि ।
२६ मन्त्रालयमेस बाँकी मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल, तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टी नेपाल सहितक अन्य दलक लेल छुट्याओलगेल अछि ।
कार्यकर्ता प्रशिक्षणमे सहभागी होबय आइ भिन्सर पोखरा प्रस्थान करयस आगु माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य ‘किरण’ बालुवाटार पहुँचल छलथि । भेटमे प्रधानमन्त्री खनाल आ उपप्रधानमन्त्री भरतमोहन अधिकारी सहभागी छलथि । करिब १० मिनेटधरि भेल भेटवार्तामे काल्हि मन्त्रिपरिषद विस्तार करयके सहमति समेत भेल बालुवाटार स्रोत जनौलक अछि ।
भेटमे माओवादी नेतासब सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन प्रति एमाले भितरके असन्तुष्टिबारे चाँखि रखने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन