Wednesday, March 09, 2011

पेशावर में बिष्फोट, 34 गोटेके मृत्यु


एजेन्सी, फागुन २५ । पाकिस्तानक शहर पेशावरमें आइ भेल एक आत्मघाती हमलामें कम स कम ३४ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ४० स बेसी गोटे घाइल भ गेल अछि ।
पेशावर पुलिसके वरिष्ठ अधिकारी अब्दुल कलामक अनुसार स्थानीय लोक सरकारके समर्थक नेता काला ख़ान के पत्नीके नमाज़े जानाज़ा पढ़ारहल समय ई बिष्फोटन पेशावरके इलाक़ा मतनीमें भेल अछि ।
ओ कहलनि जे जखन नमाज़े जनाज़ा शुरु भेल त एक गोटे 15 स 20 साल बीचक आत्मघाती हमलावर नजदिक पहुँचक अपने आपके बमस उड़ा लेलक । अहि नमाज़े जनाज़में करीब ८० गोटे सहभागी छल ।
बिष्फोटके बाद घाइलके पेशावरके अस्पतालमें भर्ती कराओल गेल अछि आ पुलिस आ अर्धसैनिक बल इलाक़ाके घेर लेने अछि ।
ओम्हर, स्थानीय तालिबानक प्रवक्ता हमज़ा ख़ान टेलीफ़ोन कऽक अहि आत्मघाती हमलाके ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।
ओहिस पहिनहु पेशावर आ अन्य क़बायली इलाक़ामें सरकारके समर्थक नेताके निशाना बनाओल गेल अछि ।
अहिस पहिने काल्हि सेहो पाकिस्तानमे बिष्फोट भेल छल जाहिमे २० गोटेके मृत्यु भेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन