Tuesday, July 26, 2011

काँग्रेस आइयो संसद अवरुद्ध करत


१० साउन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामा नहि देबयधरि सदन चलय नहि देत जनौलक अछि ।

पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल कांग्रेस केन्द्रीय समितिके बैसारसँ पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि होबयधरि सदन चलय नहि देबयके निर्णय केलक अछि ।

बैसारसँ सदन अवरुद्ध सहितक केहनो तरिका अपनाइयो क प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबय बाध्य पारय संसदीय दलके निर्देशन देलगेल  अछि । बैसारकबाद केन्द्रीय सदस्य आनन्दप्रसाद ढुङ्गाना कहलनि जे-पाँचबुँदे सहमति अनुसार प्रधानमन्त्रीके राजीनामा आ शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढयधरि सदन अवरुद्ध करयके निर्णय भेल अछि ।

कांग्रेस मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करयके माओवादी प्रस्ताव पाँचबुँदे सहमति विपरित आ शान्ति प्रक्रियाके अलमलमे पारयके षड्यन्त्र भेल ठहर केलक अछि ।

बैसारमे सभापति सुशील कोइराला, वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा, संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल सहितक नेतासब पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनके लेल प्रधानमन्त्री स्वयंम गम्भीर नहि भेल आरोप लगौने छलथि ।

केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापति कोइराला हालेमे भेल अपन अमेरिका, युरोप, भारत सहितक देशके भ्रमणबारे जानकारी करौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन