Monday, July 25, 2011

पाँचबुँदे कार्यान्वयनके माँग, कांग्रेसद्धारा संसदक बैसार अवरुद्ध


९ साउन, काठमाडौं । पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनके माँग करैत प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस व्यवस्थापिका संसदके बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।
आजुक बैसार सुरु होइते कांग्रेस प्रमुख सचेतक लक्ष्मण घिमिरे पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि होबयधरि संसद चलय नहि देब बतौलनि ।
राष्ट्रिय सहमतिके सरकारके लेल प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबयके सहमति भ गेल अवस्थामे दु दर्जनमन्त्री थपय लागल कहैत ओ एहन अवस्थामे सहमति कार्यान्वयन होबय  नहि सकत बतौलनि ।
घिमिरे बजलाबाद कांग्रेसक सभासदसब अपना अपना सिटसँ उठल छल । बेर बेर आग्रह करितो कांग्रेस सभासदसब ठार भेलाबाद सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ बैसार मंगलधरिके लेल स्थगित कएलनि अछि ।
आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक २०६८/६९ उपर सैद्धान्तिक बिमर्श करबाक कार्यसूची छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन