Saturday, July 23, 2011

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार सुरु


७ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीके केन्द्रीय समितिक बैसार अखन बैसल अछि । ओइसँ आगु स्थायी समितिके बैसार बैसल छल ।

पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे जारी केन्द्रीय समितिके बैसारसँ कार्यविभाजनबारे पदाधिकारीसबबीच भेल सैद्धान्तिक सहमतिके अन्तिम रुप देल जाएत बताओलगेल अछि ।

पदाधिकारीसबबीच तत्कालके लेल संसदीय दलक नेता प्रचण्ड  कायम राखयके, उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराईके संसदीय वोर्ड, मोहन बैद्य किरणके संगठन तथा अनुशासन विभाग आ महासचिव रामबहादुर थापा बादलके सैन्य विभागके जिम्मा देबयके सहमति भेल अछि । सहमतिसँगै माओवादीभितरके विवाद तत्कालके लेल अन्त्य हाएत बताओलगेल अछि ।

अहिना, आजुक केन्द्रीय समितिके बैसारमे उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाशक नेतृत्वमे नयाँ टिमके वर्तमान सरकारमे पठाबयबारे निर्णय करत श्रोत जनौलक अछि ।

बैसारमे शान्ति आ संविधानबारे अध्यक्ष प्रचण्डक तत्कालिन कार्ययोजनासम्वन्धी राजनीतिक प्रस्ताव उपर सेहो बिमर्श होयबाक एक नेता जानकारी देलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन