Sunday, September 25, 2011

बुद्ध एयरके विमान दुर्घटना, १९ गोटेके मृत्यु


८ आसिन, काडमाण्डौँ । माउन्टेन फ्लाइटसँ घुरि रहल बुद्ध एयरके बीचक्राफ्ट विमान ललितपुरके विशंखुनारायण आ लामाटार गाविसके बीचमे परयबला कोटडाँडामे  आइ भिन्सर पौने ८ बजे दुर्घटनाग्रस्त भेलाबाद १९ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

बुद्ध एयरके नाइन एन-एइके कलसाइनके १९०० डी विमान खराब मौसमके कारण दुर्घटना भेल अछि । दुर्घटनामे परि विमानमे सवार पुरे १९ गोटेके मुत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय ललितपुरक प्रमुख एसपी भोगबहादुर थापा जानकारी देलनि । मृत्यु होबयबलामे चालक दलके तीन सहित ६ गोटे नेपाली, 2 गोटे अमेरिकी नागरिक, 1 गोटे जापानी नागरिक आ १० गोटे भारतीय नागरिक रहल अछि ।  भारतिय नागरिकसब तामिलनाडु राज्यके रहल बताओल गेल अछि ।

दुर्घटनामे परि मृत्यु होबयबला नेपालीसबमे चालक दलक सदस्यसब क्याप्टेन जेबी ताम्राकार, को-पाइलट पद्मा अधिकारी, एयर होस्टेस अस्मिता श्रेष्ठ, यात्रुसब शारदा कर्माचार्य, जंगजन कर्माचार्य आ निराजन कर्माचार्य रहल बुद्ध एयर जनौलक अछि । सबके घटनास्थलेमे आ निराजनके इलाजक लेल लऽ जाति काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि ।


स्थानीय प्रत्यक्षदर्शी कुमार श्रेष्ठक अनुसार पैघ आवाजके सँग विमान जमिनमे खसल आ खसयसँ आगुए विमानमे आकाशेमे आगि लागल छल । घटना होइते स्थानीय आ पुलिसक टोली घटनास्थल पहुँच कऽ उद्धार केने छल । शवसबके नेपाली सेनाक हेलीकोप्टरमार्फत अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल पहुँचाओल गेल छल ।

धुनि लगलाक कारण मौसम खराब भऽ पहाडमे ठोकरा कऽ विमान दुर्घटना भेल आ आगि लागल होबय सकयके अनुमान कएल गेल अछि । नागरिक उड्डयन प्राधिकरण अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल कार्यालयके अनुसार भिन्सर ६ बाजि कऽ ४९ मिनेटमे उडल ओ विमान अन्तिम बेर सात बाजि कऽ ३१ मिनेटमे नियन्त्रण कक्षक सम्पर्कमे आएल छल । सम्पर्कविहीन भेल करिब २० मिनेटक बाद विमान दुर्घटना भेल अनुमान कएल गेल अछि । अहिस आगु चालक दलक सदस्य विमानमे खराबी आएल सूचना कन्ट्रोल रुमके करौलाबाद रन वे-२ मे आपतकालीन अवतरणके लेल अनुमति दऽ देलाक बादो विमान दुर्घटना भेल बताओल गेल अछि । उड्डयन प्राधिकरणके अनुसार अन्तिम बेर सम्पर्क भेल विमानस्थल आ दुर्घटनाग्रस्त विमान बीचक दुरी मात्रे दु मिनेटक रहल छल ।

सुरक्षित विमान सेवाके रुपमे लेल जाएबला बुद्ध एयरक विमान दुर्घटना भेल इ पहिल बेर अछि । घटनाकबाद बुद्ध एयर सूचना जारी कऽ आजुक पूर्वनिर्धारित सब उडान रद्ध केने जनौलक अछि ।

अहिबीच सरकार बुद्ध एयरके विमान दुर्घटनाबारे छानविन करय नागरिक उड्डयन प्राधिकरणके पूर्वमहानिरीक्षक राजेशकुमार दलीके संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय टोली गठन केलक अछि । टोलीके एक सप्ताहभितर दुर्घटनाक बिषयमे अध्ययन कऽ विस्तृत विवरण बुझाबय कहलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन