Friday, November 25, 2011

प्रमुख तीन दलक बैसार आइयो बैसत


९ अगहन काठमाण्डौ । संविधानसभाक म्याद थपय आ राज्यपुनर्संरचना आयोगमे सदस्य थपयके बारेमे बिमर्श करय प्रमुख तीन दलक बैसार आइ सेहो बजाओलगेल अछि ।

संविधानसभाक म्याद तीन या ६  महिना कतेक थपल जाए बिषयमे दलसबबीच फरक फरक धारणा रहल समय प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई तीन दलक बैसार बजौने छथि । बेरियामे ४ बजेबाद सिंहदरवारस्थित शान्ति मन्त्रालयमे सुरु होबयबला बैसारमे संविधानसभाक चरिम बेर थपल जाएबला म्याद आ अहिसँ आगु दलसबबीच भेल ७ बुँदे सहमति कार्यान्वयन प्रक्रियाके समीक्षा हाएत । प्रधानमन्त्री भट्टराई संविधानसभाके म्याद ६ महिना थपयके प्रस्ताव प्रमुख तीन दलक बैसारमे अहिसँ आगु प्रस्ताव कएने छलथि ।

अहिना राज्यपुनर्संरचना आयोगमे एक गोटे दलित सदस्य सहभागी कराबयके बारेमे सेहो तीन दलक बैसारमे सहमतिके प्रयास हाएत प्रधानमन्त्रीक नीजि सचिवालय जनौलक अछि । संसदमे आयोगमे दलित समुदायके प्रतिनीधित्व नहि भेल कहैत बिभिन्न पार्टीक सभासद विरोध जनौलाबाद तीन दलक कौल्हका बैसारमे आयोगमे १ गोटे दलित सदस्य राखयके सहमति भेल छल ।

द्वन्द्वके समयमे माओवादी कब्जा केने घरजमिन फिर्ताके ब्यबहारिक कार्यान्वयके बिषयमे सेहो बैसारमे बिमर्श हाएत । घरजमिन फिर्ता सुरु करय लेल किछ दिन आगु माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड , नेपाली काङ्ग्रेसक नेता कृष्णप्रसाद सिटौला आ एमाले उपाध्यक्ष बामदेव गौतम बर्दियामे पहुँचल छलथि । एम्हर माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष  कब्जा घरजमिन फिर्ता करयमे अबरोध कऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन